Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 5:10 - केवट नया कारार

10 परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 5:10
39 Iomraidhean Croise  

मगर सिमोन, तुहें हमरापर विश्वास करैले नैछोडहैं कहिके हमे तोर लिये प्रार्थना कैलियौ छे। फेर तुहें पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगैलके बाद आपन साथी विश्वासीसिके हमरापर विश्वास करैके लिए मजगुत बना।”


हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर जे आशाके दाता छै, ऊ तुहेंसब विश्वास करैके कारणसे तोरासिके पुरा तरिकासे खुशी आर शान्तिके आनन्द लियैके लिए सहायता करौ ताकी पवित्र आत्माके शक्तिसे तोरसिके आशा बढते जौ।


हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर तोरासिके धीरज आर उत्साह दौ ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके अनुसरण कर्ते आपसमे एकतामे रहैं।


आब ओकरा, जे हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक तोरासिके विश्वासमे मजगुत बनाबे सकैछौ, यानिकी येशू ख्रीष्टके विषयके प्रचारके मुताबिक, उटा रहस्यके प्रकाश बमोजिम, जे युग-युगसे गुप्तमे रहै,


आर जोडमा बच्चासब जनमैसे पहलहै या कुछु खराब या भला काम करैसे पहेला ही परमेश्वर रिबेकासे कहैल्कै रहे कि ओकर बडका बेटा छोटका बेटाके सेवा कर्तै। परमेश्वर यी देखाबैके लिए कहैल्कै कि ऊ आपन इच्छाके चुनाव आपनहैं करैछै आर यी ओकरसिके कैल कोनो भी कामके कारणसे नैरहै।


चाहे यहूदी आदमीसब है या गैर-यहूदी आदमीसब, अपनासब ऊ चुन्ल आदमीसब छियै।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके देल अधिकारसे हमे तोरासिके अनुरोध करैछियौ कि तुहेंसब एक-दोसरसे सहमत हु ताकी तोरसिके बीचमे कोनो फुट नैहौ, बरु एक दोसरसे समान विचार राखिके आर समान मकसद राखिके मेल-मिलापमे र।


परमेश्वर यी काम कर्तौ कहिनेकी परमेश्वर जे बोलैछै उटा बात करैमे ऊ विश्वासयोग्य छै आर ऊ तोरासिके आपन बेटा, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके संगे सम्बन्धमे बोलैल्कौ छे।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आब अन्तमे तोरासिके आनन्द मिलौ, सिद्ध बन्ते जो, हमर सल्लाह सुन, आपसमे एक मनके भ्याके शान्तिपूर्वक र। आर प्रेम आर शान्ति दिएवाला परमेश्वर तोरसिके संगे रहतौ।


कहिनेकी हमरसिके समस्या छोटका छै आर बहुते लम्बा समयतक नैरहतै। कहिनेकी एकर परिणाम कहियो खतम नैहुएवाला महिमा हैतै, जे ऊ सभैसे बहुते बेसी हैतै जकर हमेसब कल्पना करे सकैछियै।


ख्रीष्टके द्वारा जे हमरा शक्ति दैछै ओकर सहायतासे हमे सभे कुछु करे सकैछियै।


जेरंके गहिर जड गाछके थामैछै आर जग घरके मजगुत राखैछै, ओहिने करिके तुहेंसब भी आपन विश्वासमे मजगुत हु आर तोरासिके सिखैल मुताबिक आपन विश्वासमे निरन्तर बढ्ते जो। आर परमेश्वरप्रति बहुते धन्यवादी हु।


तुहेंसब परमेश्वरके खुश करेवाला जीवन जी, जे तोरासिके आपन राज्य आर महानतामे बोलाबैछौ।


परमेश्वर हमरसिके प्रचार कैल खुश-खबरीके तोरासिके उद्धार पाबैके लिए प्रयोग कैल्कै ताकी आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके आदरमे तुहेंसब भी सामिल हुए सक्हैं।


हमेसब यी भी प्रार्थना करैछियै कि आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्ट आर परमेश्वर पिता तोरसिके हृदयके साहाससे भरि दौ आर तोरासिके सभे दिन बढियाँ काम करैले आर सच बोलैके लिए मजगुत बनाबौ।


मगर तुहेंसब प्रभुके पुरा रुपसे भरोसा करे सकैछैं। ऊ तोरासिके आत्मिक रुपसे मजगुत बनैतौ आर तोरासिके शैतानसे बचैतौ।


जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।


ऊ अपनासिके बचैल्कै आर अपनासिके एकटा पवित्र जीवन जियैके लिए बोलैल्कै छे, आर अपनासब बढियाँ काम करैके कारणसे ऊ अपनासिके नैचुनल्कै छे, मगर ओकर आपन योजना आर अनुग्रहके आधारमे छै। यी संसारके सृष्टि हुऐसे पहेला ही परमेश्वर येशू ख्रीष्टके आपनसिके लिए मरैके लिए भेजिके आपन अनुग्रह अपनासिपर देखाबैके योजना बन्या लेल्कै रहे।


सेल्याके परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके फैदाके लिए हमे सभे दुःख सहैछियै, ताकी उहोसब भी येशू ख्रीष्टमे विश्वास करे सकै आर बचे सकै, आर सभे दिन रहेवाला आदर ऊसब पाबे सकै।


सेल्याके ख्रीष्ट परमेश्वरके तरफसे मध्यस्थके रुपमे आपन आदमीसिके लिए एकटा नया करार आनल्कै छे। ऊ आदमीसब जकरा परमेश्वर बोलैल्कै छे, ऊ सभे आशिषके प्राप्त करे सकैछै जकर प्रतिज्ञा ऊ कैल्कै छे, यानिकी ऊ आशिषसब जे सभे दिन रहतै। ऊसब उटा चीजसब प्राप्त करे सकैछै कहिनेकी ख्रीष्ट मरि गेलै ताकी ऊ आदमीसब जेसब पुरना करारके अधिनमे रहते रहै ओकरासिके पापसे छुटकारा देल ज्या सकै।


तुहेंसब करेवाला सभे बातमे खुदके खराब बातसे अलग कर, कहिनेकी परमेश्वर, जे तोरासिके चुनल्कौ ऊ पवित्र छै।


हरेक आदमीके परमेश्वरके तरफसे वरदान मिल्लै छे आर ओकरासिके उटा वरदानके प्रयोग दोसर आदमीसिके सहायता करैके लिए करना चाही। ओकरासिके उटा विभिन्न वरदानसिके प्रयोग बढियाँसे करना चाही जे परमेश्वर ओकरासिके अनुग्रह करिके देल्कै छै।


उदाहरणके लिए, यदि तोरलगत प्रचार करैके वरदान छौ ते, तोरा परमेश्वरके सन्देशसिके प्रचार करना चाही। यदि तोरलगत दोसर आदमीसिके सहायता करैके वरदान छौ ते, यी उटा सामर्थ्यके साथ कर जे परमेश्वर तोरा दैछौ। तब फेर जे कुछु भी तुहेंसब कर्भैं उटा येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके महिमा दिलैतै। सभे महिमा आर सामर्थ्य सभे दिनके लिए ओकर छै! आमेन।


परमेश्वर आपन शक्तिके द्वारा अपनासिके उटा सभे कुछु देल्कै छे, जे अपनासिके एकटा ईश्वरीय जीवन जियैके लिए चाही। यी सम्भव छै कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके चिन्हैछियै आर ऊ उहे छै जे अपनासिके आपन महिमा आर नैतिक भलाइके द्वारा आपन आदमी हुऐके लिए बोलैल्कै छे।


आर परमेश्वर अपनासिके यी वादा कैल्कै छे कि ऊ अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


एकटा खाली परमेश्वर ही छै जे तोरासिके पाप करैसे बचाबे सकैछौ आर तोरासिके निर्दोष आर आनन्दित बनाबे सकैछौ, जब ऊ तोरासिके आपन महिमामे आपन समनामे खडा करैछौ। ऊ अपनासिके आपनसिके उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा बचैल्कै छे। महिमा, गौरव, सामर्थ्य आर अधिकार समयके शुरुआतके पहेलासे ही ओकर रहै, आब भी ओकर छै आर सभे दिनके लिए ओकर ही रहतै। आमेन।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan