१ पत्रुस 4:7 - केवट नया कारार7 सभे चीजके अन्त नज्दिक ऐल छै, सेल्याके तुहेंसब सचेत र आर अपने आपके वशमे राख ताकी तुहेंसब प्रार्थना करे सक्हैं। Faic an caibideil |
ओहिने करिके हे पतिसब आपन पतनीसिके संगे मिलिके र, आर ओकरसिके सहायता करैके विषयमे विचार कर। तोरासिके याद राखना चाही कि ऊसब तोरसिसे कमजोर छै, सेल्याके तोरासिके ओकरसिके आदर करना चाही। कहिनेकी तुहेंसब दोनो झन परमेश्वरद्वारा अनुग्रहके साथ देल वरदानमे बराबर हकदार छैं, जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। एरं कर ताकी जब तुहेंसब परमेश्वरसे प्रार्थना करैछैं ते ऊ तोर प्रार्थना सुनौ।
भूतसब शासकसिके आर ओकरसिके सेनासिके उटा जगहमे जमा कैल्कै, जकरा हिब्रू भाषामे आर-मागेड्डोन कहेल जैछै। सेल्याके प्रभु येशू कहैल्कै, “यी बात सुन! हमर फेर वापस आना चोरके जुगुर अचानक हैतै। ऊ आदमी धन्य छै जे हमे फेर वापस आबैके समयमे जग्गा रहैछै आर आपन कपडा तैय्यार राखैछै। तब ऊसब नंगा नैहैतै आर ऊसब बहुते आदमीसिके बीचमे बाहार जैबौ कर्तै ते भी ओकरासिके शर्मिन्दा बनाबेवाला कोनो चीज नैहैतै।”