१ पत्रुस 4:16 - केवट नया कारार16 मगर कोय आदमी ख्रीष्टियन हुऐके कारणसे दुःख भोगैछै ते ऊ लाज नैमानक। बल्की, परमेश्वरके प्रशंसा कर कि तुहें इहे ल्याके दुःख सहैछैं कहिनेकी तुहें ख्रीष्टके छैं। Faic an caibideil |
कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।
उदाहरणके लिए, यदि तोरलगत प्रचार करैके वरदान छौ ते, तोरा परमेश्वरके सन्देशसिके प्रचार करना चाही। यदि तोरलगत दोसर आदमीसिके सहायता करैके वरदान छौ ते, यी उटा सामर्थ्यके साथ कर जे परमेश्वर तोरा दैछौ। तब फेर जे कुछु भी तुहेंसब कर्भैं उटा येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके महिमा दिलैतै। सभे महिमा आर सामर्थ्य सभे दिनके लिए ओकर छै! आमेन।