१ पत्रुस 4:13 - केवट नया कारार13 खाली एकर विषयमे खुश र, कहिनेकी तोरासिके उटा दुःखसिमे एकटा हिस्सा मिल्लौ छे जे ख्रीष्टके मिल्लै रहे। इहे कारणसे, जब ख्रीष्ट सभे आदमीसिके आपन महिमा प्रकट करैके लिए फेर वापस ऐतै ते तोरसिके आनन्द सचमे बडका हैतौ। Faic an caibideil |
जे आदमीसब ऐज जिन्दा छै आर परमेश्वरसे विश्वासघात करैछै, ऊसब एकटा व्यबिचारी पतनीके जुगुर आर पापी आदमीसब छै। अगर तोरासिमेसे कोय भी हमरा आपन परमेश्वरके रुपमे स्वीकार करैले आर हमर शिक्षाके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी तुहें डराबैछैं कि एरंको पापी आदमीसब तोर मजाक उडैतौ, तब हमे, आदमीके बेटा इन्कार कर्बौ कि तुहें हमर चेला छैं, जब हमे पवित्र स्वर्गदूतसिके साथ धर्तीपर वापस ऐबै। तब सभेको हमर चम्कल तेजके देख्तै जे हमर पिताके जुगुर छै।”
परमेश्वर जे पूर्ण रुपसे अनुग्रहकारी छै, आपनसिके ख्रीष्टके संगे भेल सम्बन्ध हुऐके कारण आपन अनन्त महिमामे अपनासिके साझेदार हुऐके लिए बोलैल्कै छे। तुहेंसब कुछु समयके लिए कष्ट भोग्लके बाद परमेश्वर तोरासिके बढियाँ बनैतौ ताकी तोरासिमे कोनो दोष नैरहौ आर येशू तोरसिके हृदयके मजगुत बनैतौ आर ओकरापर तोरसिके भरोसाके वास्तवमे स्थिर बन्या देतौ।
एकटा खाली परमेश्वर ही छै जे तोरासिके पाप करैसे बचाबे सकैछौ आर तोरासिके निर्दोष आर आनन्दित बनाबे सकैछौ, जब ऊ तोरासिके आपन महिमामे आपन समनामे खडा करैछौ। ऊ अपनासिके आपनसिके उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा बचैल्कै छे। महिमा, गौरव, सामर्थ्य आर अधिकार समयके शुरुआतके पहेलासे ही ओकर रहै, आब भी ओकर छै आर सभे दिनके लिए ओकर ही रहतै। आमेन।
हमे, यूहन्ना, जे ख्रीष्टमे तोर साथी छियौ, तोरेसिके जुगुर सतैल जैछियै। हमे परमेश्वरके राज्यके एकटा नागरिक छियै जेरं कि तुहेंसब छैं आर हमरा भी आपन तकलीफके ओहिने ही धीरजके साथ सहन करना चाही जेरं तुहेंसब करैछैं। हमे परमेश्वरके वचन प्रचार करैके आर येशूके विषयमे बताबैके कारण पत्मोसके टापुमे निर्वासित करि देल गेलियै रहे।