Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 4:12 - केवट नया कारार

12 हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, उटा दुःखदायी चीजसिके विषयमे आश्चर्यचकित नैहु जकर कारणसे तुहेंसब दुःख उठाबैछैं कहिनेकी तुहेंसब ख्रीष्टके छैं। मगर यी चीजसब यी देखाबैके लिए हैछै कि तुहें सचमे परमेश्वरमे विश्वास करैछैं। इहे ल्याके यी नैसोच कि तोरसिके संगे कुछु विचित्र हैछौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 4:12
11 Iomraidhean Croise  

पाप करैके इच्छासब अपनासब सभैके लगत जरुर ही आबैछै। मगर परमेश्वर विश्वासयोग्य छै। कहिनेकी ऊ अपनासिके आपनसिके क्षमतासे बेसी परीक्षामे पडैले नैदेतौ। जब अपनासब उटा परीक्षामे पड्बै ते ऊ अपनासिके सभे दिन परीक्षासे भागैके रस्ता देतै, ताकी अपनासब उटा परीक्षाके सहैके लिए मजगुत हैबै।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहेवाला आर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला सभे आदमीके अविश्वासी आदमीसब सतैतै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब तुहेंसब यी संसारमे परदेशीसब आर यात्रीसिके जुगुर रहैछैं। हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि ऊ सभे पापमय इच्छासिसे दूर र, कहिनेकी एरंको इच्छासब आत्माके विरोधमे हमेशा लडैछै।


इहे कारणसे तोरसिके पुरना दोस्तसब आश्चर्यचकित भ्याजैछै, जब तुहेंसब ओकरसिके संगे उटा खराब चीजसिमे सामिल नैहैछैं जे ऊसब करैछै। इहे ल्याके ऊसब तोरसिके बदनामी करैछौ।


तोरासिके आपन मजगुत विश्वासके साथ ओकर विरोध करना चाही। याद कर कि तोरसिके विश्वासी भ्या-बहिनसब जेसब पुरे संसारमे रहैछै, अहिने किसिमके दुःखसब सहैछै जेरं दुःख तुहेंसब सहैछैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan