१ पत्रुस 3:21 - केवट नया कारार21 पहेलाके समयमे ओकरसिके बचैल जाना आब आपनसिके बचैल जानाके एकटा उदाहरण छै जब अपनासब बप्तिस्मा लैछियै। ऊ पानी जकरामे अपनासब बप्तिस्मा लैछियै, ऊ आपनसिके शरीरसे मैल नैहटाबैछै, मगर यी एकटा चिन्ह छै कि अपनासब परमेश्वरसे माफी माँग्लियै छे, ताकी आगु चलिके आपनसिके मन परेशान नैरहै। अपनासिके माफी कैल ज्या सकैछै कहिनेकी येशू ख्रीष्ट मौतके बाद फेरसे मुर्दासे जिन्दा भेलै छे, Faic an caibideil |
जेरंके एकटा बढियाँ सिपाही युद्धमे लडाई करैके समयमे कहियो हार नैमानैछै, तुहेंसब भी परमेश्वरमे भरोसा राखैले आर ओकर आज्ञापालन करैले कहियो भी नैछोडना चाही। कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके पक्डीके राख्, जकर खातिर तोरा बुलाहट भेल रहौ, आर बहुते आदमीसिके समनामे तुहें ख्रीष्टमे भरोसा राखैछैं कहिके साफ कहलहैं रहे।
आपनसिके हृदयके ऊ आपन खूनसे पवित्र बनैल्कै ताकी अपनासब जाने सकियै कि आब अपनासिमे कोनो गल्ती नैछै। आपनसिके शरीरके ऊ पानीसे लुहैल्कै, यी चिन्हके रुपमे कि ऊ अपनासिके शुद्ध करिदेल्कै छे। सेल्याके, हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, अपनासब आपनसिके पुरा मन आर एरंको विश्वासके साथ परमेश्वरके नज्दिक चल जे आब हिलेवाला नैछै।
आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।