Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 3:16 - केवट नया कारार

16 मगर यी विनम्र आर आदरपूर्ण तरिकासे कर। सभे दिन जे बढियाँ छै उहे कर। तब यदि आदमीसब तोरसिके विरुद्धमे खराब बात बोलैछै ते ऊसब लाजमे पड्तै जब ऊसब तोरसिके ख्रीष्ट संगके सम्बन्धके कारण तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 3:16
19 Iomraidhean Croise  

धन्य छैं तुहेंसब, जब हमर चेला हुऐके कारण आदमीसब तोरसिके निन्दा कर्तौ, सतैतौ आर झुठ बोलीके तोरसिके विरुद्धमे सभे किसिमके खराब बातसब कहतौ।


इहे कारण हमे हमेशा आपन जीवन ऊ तरहसे बिताबैके कोशिश करैछियै, जकरासे हमे परमेश्वर आर आदमीसिके नजरीमे निर्दोष रहियै।


मगर तोर विचार कि छै, उहे हमेसब तोरासे सुनैले चाहैछियै, कहिनेकी हमेसब जानैछियै, कि सभे जगहमे यी प्रभुके पथके विरोधमे आदमीसब बात करैछै।”


आब अगर कुछु भी अपनासिके परमेश्वरके प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै ते, इस्राएल देशके हमर यहूदी आदमीसब, परमेश्वरसे कहिने अलग छै? हमरा ओकरसिके लिए बहुते दुःख छै, आर सभे दिन हमर मनमे ओकरसिके लिए दरद महसुस हैछै। वास्तवमे, भला ही हमे खुदपर आरोप लगाबे सकैछियै आर आपने ही यहूदी भ्या-बहिनसिके उद्धारके लिए खुद ख्रीष्टसे अलग हुए सकैछियै, हमे ओकर लिए तैय्यार छियै। हमे ख्रीष्टके गवाह मानिके सच कहैछियौ। पवित्र आत्मा आर हमर विवेक भी गवाही दैछै कि यी सभे बातसब झुठ नैछै।


हमेसब गर्व करैछियै कि हमरसिके विवेक साफ छै। संसारमे आर खास करिके तोरसिके संगे हमरसिके सम्बन्धमे हमेसब परमेश्वरसे ऐल पवित्रता आर सच्चाईमे चल्लियै छे, यी आदमीके बुद्धिसे नै मगर परमेश्वरके अनुग्रहसे छै।


हमेसब शर्मनाक आर गुप्त कामसिके छोडी देलियै छे। नैते हमरसिके स्वभावमे छल-कपट छै आर नैते परमेश्वरके वचनमे हेर-फेर करैछियै। मगर हमेसब परमेश्वरके समनामे खाली सच सिखाबैछियै। सभेकोय गवाही दिए सकैछै कि यी बात सच छै।


तुहें निरन्तर ख्रीष्टमे विश्वास कर आर साफ विवेक राख। कुछु आदमीसब साफ विवेकके इन्कार कैल्कै छे। नतिजा स्वरुप ऊसब आब ख्रीष्टमे विश्वास नैकरैछै।


यी आदेश दियैके मकसद यी छै कि तुहेंसब एक दोसरके साफ मन, बढियाँ विवेक आर सच्चा विश्वाससे प्रेम करे सक्हैं।


हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै, जकरा हमे आर हमर पुर्खासब साफ विवेकके साथ आराधना कैलियै छे। हमे सभे दिन तोर लिए प्रार्थना करैछियै।


तोर शिक्षा सभे दिन सच्चा होना चाही आर कोय भी आलोचना करे सकेवाला नै होना चाही ताकी येशू ख्रीष्टके लिए तोर कामके विरोध करेवाला आदमीसब लज्जित हैतै कहिनेकी ऊसब आपनसिके विषयमे कोनो भी खराब बात कहे नैसक्तै।


हमरसिके लिए भी प्रार्थना कर्ते र। हमेसब निश्चित रुपसे जानैछियै कि हमरसिके विवेक स्वच्छ छै, आर हमेसब जे भी काम करैछियै उटा सभे चीजमे परमेश्वरके सम्मान करैले चाहैछियै।


मगर ख्रीष्ट पापरहित रहै, आर ऊ अपने आपके परमेश्वरके लिए एकटा कहियो खतम नैहुएवाला आर आत्मिक बलिदानके रुपमे दान चढ्या देल्कै। इहे कारणसे ओकर खून बहुते बेसी शक्तिशाली छै आर आपनसिके विवेकके शुद्ध बनाबैछै। आब अपनासब जिन्दा परमेश्वरके सेवा करे सकैछियै आर ऊ चीजसिके नैकरैछियै जे मौतके तरफ ल्याजैछै।


कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै।


कहिनेकी परमेश्वर चाहैछै कि तुहेंसब भला काम कर ताकी तुहें ऊ मूर्ख आदमीसिके तोरसिके विरुद्ध गलत आरोप लगाबैसे रोके सक्हैं जेसब परमेश्वरके नैचिन्हैछै।


कहिनेकी यदि आपनसिके गल्ती नैभेल पर भी अपनासब बिना कारण दुःख सहैछियै आर परमेश्वर सभे बात जानैछै कहिके अपनासब सोचैछियै ते परमेश्वर अपनासिसे खुश हैछै।


पहेलाके समयमे ओकरसिके बचैल जाना आब आपनसिके बचैल जानाके एकटा उदाहरण छै जब अपनासब बप्तिस्मा लैछियै। ऊ पानी जकरामे अपनासब बप्तिस्मा लैछियै, ऊ आपनसिके शरीरसे मैल नैहटाबैछै, मगर यी एकटा चिन्ह छै कि अपनासब परमेश्वरसे माफी माँग्लियै छे, ताकी आगु चलिके आपनसिके मन परेशान नैरहै। अपनासिके माफी कैल ज्या सकैछै कहिनेकी येशू ख्रीष्ट मौतके बाद फेरसे मुर्दासे जिन्दा भेलै छे,


इहे कारणसे तोरसिके पुरना दोस्तसब आश्चर्यचकित भ्याजैछै, जब तुहेंसब ओकरसिके संगे उटा खराब चीजसिमे सामिल नैहैछैं जे ऊसब करैछै। इहे ल्याके ऊसब तोरसिके बदनामी करैछौ।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan