१ पत्रुस 3:1 - केवट नया कारार1-2 हे पतनीसब, तुहेंसब आपन पतिके अधिनमे र, ताकी यदि ओकरासिमेसे कोय भी परमेश्वरके वचनमे विश्वास करैसे इन्कार करैछै ते, तोरसिके व्यवहारसे ओकरासिके बिना कुछु कहले ही ओकरासिके विश्वास करैमे सहायता कर्तै, जब ऊसब तोरसिके शुद्ध आर ईश्वरीय व्यवहारके देख्तै ते ऊसब ख्रीष्टमे विश्वास कर्तै। Faic an caibideil |
ओहिने करिके हे पतिसब आपन पतनीसिके संगे मिलिके र, आर ओकरसिके सहायता करैके विषयमे विचार कर। तोरासिके याद राखना चाही कि ऊसब तोरसिसे कमजोर छै, सेल्याके तोरासिके ओकरसिके आदर करना चाही। कहिनेकी तुहेंसब दोनो झन परमेश्वरद्वारा अनुग्रहके साथ देल वरदानमे बराबर हकदार छैं, जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। एरं कर ताकी जब तुहेंसब परमेश्वरसे प्रार्थना करैछैं ते ऊ तोर प्रार्थना सुनौ।