१ पत्रुस 2:7 - केवट नया कारार7 यी पत्थल तोरसिके लिए बहुते किमती छौ जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं। मगर जे आदमीसब ओकरापर विश्वास नैकरैछै ओकरसिके विषयमे धरमशास्त्र कहैछै कि, “राज मिसतिरीसब जेटा पत्थलके प्रयोग करैसे इन्कार करिदेल्कै, उटा पत्थल इमारतके जगके सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै छे।” Faic an caibideil |
कहिनेकी अपनासब भी विश्वासी हुऐसे पहेला मूर्ख रहियै, परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहियै आर आदमीसब अपनासिके धोखा देल्कै रहे। अपनासब दासके जुगुर रहियै जे सभे प्रकारके खराब कामसब करैके इच्छासे नियन्त्रित रहै जकरासे अपनासिके आनन्द मिल्ते रहै। अपनासब आपन समयके खराब तरिकासे व्यवहार करैमे आर दोसर आदमीसिसे ईर्ष्या करैमे बितैते रहियै। अपनासब घृणित आदमीसब रहियै; सभेको अपनासिके घृणा कैल्कै आर अपनासब भी ओकरासिके घृणा कैलियै।
प्रभु येशूके तुलना एकटा जिन्दा पत्थलसे कैल गेलै छे। उटा पत्थलके आदमीसिके द्वारा फेकि देल गेलै रहे, कहिनेकी ऊसब कहैल्कै कि ऊ बेकार रहै। मगर परमेश्वरके नजरमे ऊ बहुते अनमोल छै आर परमेश्वर ओकरा जगके मूल पत्थलके रुपमे चुनल्कै। आर हे संगी विश्वासीसब तुहेंसब भी प्रभु येशूके नज्दिक या ताकी तोरासिके भी ओकरद्वारा उटा जिन्दा पत्थलके जुगुर बनैल जै जे परमेश्वरके आराधनाके घर बनाबैके लिए उपयोग कैल जैछै। ऊ तोरासिके भी पवित्र पुजारी बनैल्कौ छे। कहिनेकी जेरंके पुजारी परमेश्वरके बलिदान चढाबैछै, ओहिने करिके तुहेंसब भी बलिदानके रुपमे आपन हृदय परमेश्वरके चढैल्हैं छे। आर उटा बलिदान परमेश्वरके खुश बनाबैछै कहिनेकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके छैं।