Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 2:4 - केवट नया कारार

4-5 प्रभु येशूके तुलना एकटा जिन्दा पत्थलसे कैल गेलै छे। उटा पत्थलके आदमीसिके द्वारा फेकि देल गेलै रहे, कहिनेकी ऊसब कहैल्कै कि ऊ बेकार रहै। मगर परमेश्वरके नजरमे ऊ बहुते अनमोल छै आर परमेश्वर ओकरा जगके मूल पत्थलके रुपमे चुनल्कै। आर हे संगी विश्वासीसब तुहेंसब भी प्रभु येशूके नज्दिक या ताकी तोरासिके भी ओकरद्वारा उटा जिन्दा पत्थलके जुगुर बनैल जै जे परमेश्वरके आराधनाके घर बनाबैके लिए उपयोग कैल जैछै। ऊ तोरासिके भी पवित्र पुजारी बनैल्कौ छे। कहिनेकी जेरंके पुजारी परमेश्वरके बलिदान चढाबैछै, ओहिने करिके तुहेंसब भी बलिदानके रुपमे आपन हृदय परमेश्वरके चढैल्हैं छे। आर उटा बलिदान परमेश्वरके खुश बनाबैछै कहिनेकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके छैं।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 2:4
31 Iomraidhean Croise  

हे सभेको मेहनत करेवाला आर बोझसे दब्ल आदमीसब, हमरलगत या, हमे तोरासिके विश्राम देबौ।


“हमर दास जकरा हमे चुन्लियै छे, हमर प्रिय जकरसे हमे बहुते खुश छियै, हमे परमेश्वरके आत्मा ओकरामे राखी देबै, आर ऊ जात-जातके आदमीसिके न्यायके प्रचार कर्तै।


येशू ओकरासिके कहैल्कै, “कि तुहेंसब कहियो धरमशास्त्र नैपढ्लहैं छे? जे पत्थलके घर बनाबेवालासब बेकम्मा कहिके तिरस्कार कैल्कै, उहे कोनाके सिरानीके पत्थल बन्लै, यी प्रभुसे भेलै छे, आर आपनसिके नजरमे यी आश्चर्यमय छै।”


आब कुछु समयके बाद संसारके आदमी हमरा नैदेख्तै, मगर तुहेंसब हमरा देख्भैं। तुहेंसब हमरा देख्भैं कहिनेकी हमे फेरसे जिन्दा भ्याजैबै, आर सेल्याके तहुँसब भी जिन्दा रहभैं।


येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै।


कहिनेकी परमेश्वर पिता आपनहैमे जीवन छै, ओहिने करिके ऊ हमे, बेटाके भी आपनहैमे जीवनके स्रोत हुऐके अधिकार देल्कै छे।


तैय्योपर तुहेंसब कहियो खतम नैहुएवाला जीवन लियैले हमरलगत आबैले नैचाहैछैं।


मगर पितासे हमरा देल सभेको हमरलगत ऐतै, आर हमरलगत आबेवालाके हमे कोनो रितीसे नैत्यागबै।


हमर परमेश्वर पिता जे हमरा भेजल्कै छे, ऊ जीवन दैछै। जेरंके ऊ हमरा जीवन देल्कै, ओहिने करिके हमे भी ऊ आदमीके जीवन देबै जे हमर शरीरके खैछै।


कहिनेकी जब अपनासब परमेश्वरके दुश्मनसब रहियै, ऊ आपन बेटाके मौतके द्वारा परमेश्वर आपनसिसे मिलाप कैल्कै। इहे ल्याके अपनासब निश्चित रुपसे यी जाने सकैछियै कि आब जब कि आपनसिके ओकरसंगे मिलाप छै ते ऊ अपनासिके बचैतै कहिनेकी ख्रीष्ट जिन्दा छै।


यी निर्माण भ्या रहल भवनमे येशू ख्रीष्ट जगके जुगुर छै। उहे खाली एक्केटा जग छै। एकर मतलब यी छै, आदमीसब परमेश्वरके चिन्हेवाला एक्केटा रस्ता खाली येशू ख्रीष्ट छै।


जब ख्रीष्ट, जे तोरासिके सच्चा जीवन दैछै, ऊ जब यी संसारमे फेर वापस ऐतै तब तहुँसब ओकरेसंगे दिखाई देभैं आर ओकर आदरमे सामिल हैभैं।


यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।


यी पत्थल तोरसिके लिए बहुते किमती छौ जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं। मगर जे आदमीसब ओकरापर विश्वास नैकरैछै ओकरसिके विषयमे धरमशास्त्र कहैछै कि, “राज मिसतिरीसब जेटा पत्थलके प्रयोग करैसे इन्कार करिदेल्कै, उटा पत्थल इमारतके जगके सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै छे।”


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan