Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 2:21 - केवट नया कारार

21 परमेश्वर तोरासिके बोलाबैके एकटा कारण यी छै कि तुहेंसब ओकर खातिर दुःख सही लेभैं। ख्रीष्ट, जे तोरसिके खातिर कष्ट भोगल्कै, ऊ तोरसिके उदाहरण छौ। इहे ल्याके तोरासिके ओकर कैल कामसिके अनुकरण करना चाही।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 2:21
30 Iomraidhean Croise  

जे आदमी हमर अनुसरण करैके लिए दुःख उठाबैले तैय्यार छै आर मरैके लिए भी तैय्यार छै ते, ऊ हमर चेला हुए सक्तै।


हमर चेला बन, आर हमरसंगे सिख। कहिनेकी हमे विनम्र आर कोमल हृदयके छियै, आर तुहेंसब आपन आत्मामे विश्राम पैभैं।


तब येशू आपन चेलासिके कहैल्कै, “अगर कोय हमर चेला बनैले चाहैछैं ते तोरासिके आपन योजना आर हितके छोडे पड्तौ। ओकरा हमर लिए मरैके लिए भी तैय्यार रहे पड्तै। अन्तमे, ओकरा हमर चेलाके रुपमे हमर अनुसरण करे पड्तै।


यी जरुरी रहै कि ख्रीष्ट यी सभे दुःख उठाबै आर फेर आपन महिमामे प्रवेश करै।”


कहिनेकी हमे तोरासिके एकटा नमुना देखैलियौ छे, ताकी तहुँसब ओहिने करहैं जेरं हमे तोरसिके संगे कैलियौ छे।


हमे यी सभे बात तोरासिके यी कारणसे कहैलियौ छे, कि हमरामे तोरासिके शान्ति हौ कहिनेकी तुहें हमरसंगे रहैछैं। संसारमे तोरासिके संकट हैतौ, मगर हिम्मत कर, हमे यी संसारके शासक यानी शैतानके पराजित करि देलियै छे।”


ऊसब सभे सहरमे चेलासिके मनके मजगुत बनैते रहलै आर यी उपदेश दै कि आपन विश्वासमे स्थिर र, आर यी कहै, “अपनासिके बहुते कष्ट सहिके परमेश्वरके राज्यमे प्रवेश करे पड्तै।”


आर ओकर मतलब स्पष्ट करिके यी साबित कर्ते रहलै, कि ख्रीष्टके दुःख जरुर उठाना रहै आर मुर्दासे जिन्दा होना निश्चित रहै, “यी येशू, जकर विषयमे खुश-खबरी हमे तोरासिके सुनाबैछिहौं, उहे ख्रीष्ट छै।”


हमे ओकरा देखैबै कि आदमीसिके हमर बारेमे बताबैके कारण कतनें दुःख उठाबे पड्तै।”


कहिनेकी जकरा ऊ पहलहैसे चुनल्कै छे, ओकरासिके ऊ पहलहैसे आपन बेटा येशूके स्वरुपमे हुऐके लिए निर्णय कैल्कै, ताकी परमेश्वरके बेटा बहुते भ्यासिमेसे पहेला हैतै।


तुहेंसब हमर अनुसरण कर, जेरंके हमे ख्रीष्टके अनुसरण करैछियै।


ख्रीष्टके उदाहरणके अनुसरण कर्ते हुए, दोसर आदमीसिके प्रति प्रेमसे भर्ल जीवन जी, ख्रीष्ट तोरासे प्रेम कैल्कौ आर तोरसिके पापसिके उठाबैके लिए खुदके बलिदान करिदेल्कै। आर परमेश्वर यी बातसे खुश रहै, कहिनेकी उटा बलिदान ओकर लिए गमकौव्वा धुपके जुगुर रहै।


जेरं ख्रीष्ट येशूके विचार रहै, ओहिने विचार तोरासिमे भी हुवौ;


आर कोय भी यी कष्टसिके कारणसे नैडगमगाबै। कहिनेकी तोरासिके मालुम छौ कि आपनसिके लिए इहे परमेश्वरके इच्छा रहै।


कहिनेकी तोरासिके मालुम छौ कि प्रभु येशू हमरासिके देल अधिकारद्वारा हमेसब तोरासिके निर्देशनसब देलियौ छे।


परमेश्वरके खुश बनाबैले चाहेवाला आर येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला सभे आदमीके अविश्वासी आदमीसब सतैतै।


परमेश्वर यी सभे चीजसिके बनैल्कै आर सभे चीजके आपन लिए सम्हारिके राखल्कै छे। यी कारणसे कि बहुते आदमीसिके आपन महिमामे सामिल करे सकै, परमेश्वर यी निर्णय कैल्कै कि इहे सही हैतै कि प्रभु येशू तकलीफ उठ्याके एरंको आदमी बनी जै जे चरित्रमे पूर्ण छै। कहिनेकी येशू ही छै जे आदमीसिके उद्धारके तरफ ल्याजैछै।


यी संसारके सृष्टि कैल जैसे पहेला, परमेश्वर समयसे पहेला यी निर्धारित करि लेल्कै रहे कि येशू ख्रीष्ट उद्धारकर्ता हैतै। मगर ऊ तोरासिके सहायता करैके लिए यी अन्तिम दिनसिमे यी संसारमे प्रकट भेलै छे।


जब ख्रीष्ट मर्लै ते आपनसिके पापके कारण क्रूसपर ओकर शरीरके सजाय देल गेलै। ऊ एरंको इहे ल्याके कैल्कै, ताकी अपनासब पाप करैले बन्द करि दियै आर धार्मिकतासे जियैले शुरु करि दियै। आर उटा घासिके कारण जे ऊ सहन कैल्कै, अपनासब ठीक भ्या गेलियै छे।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


खराबीके बदला खराबी नैकरेवाला आर अपमानके बदला अपमान नैकरेवाला, बरु ओकर बदलामे आशीर्वाद दिएवाला हु, कहिनेकी दोसर आदमीसिके आशीर्वाद दियैके लिए परमेश्वर तोरासिके बोलैल्कौ छे। यदि तुहेंसब एरं कर्भैं ते, परमेश्वर तोरासिके भी आशिष देतौ।


सेल्याके ख्रीष्ट यी संसार रहैके समयमे दुःख भोगल्कै आर तुहेंसब भी ओकर जुगुर विचार राखिके दुःख भोगैले तैय्यार हुए पडैछै। कहिनेकी यदि तुहेंसब ख्रीष्टके लिए दुःख भोगैके लिए इच्छा करैछैं ते, तुहेंसब पाप करैले छोडैके फैसला कैल्हैं छे।


खाली एकर विषयमे खुश र, कहिनेकी तोरासिके उटा दुःखसिमे एकटा हिस्सा मिल्लौ छे जे ख्रीष्टके मिल्लै रहे। इहे कारणसे, जब ख्रीष्ट सभे आदमीसिके आपन महिमा प्रकट करैके लिए फेर वापस ऐतै ते तोरसिके आनन्द सचमे बडका हैतौ।


यदि कोनो आदमी दावा करैछै कि हमे येशूमे एक भेल छियै, ते ऊ आदमीके, येशू जेरंको जीवन जिलै ओहिने जीवन जिना चाही।


एक्रहैसे प्रेम कि छै कहिके अपनासिके मालुम हैछै, कि येशू ख्रीष्ट आपनसिके लिए आपन जान देल्कै। सेल्याके अपनासिके भी आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके लिए आपन जान दियैके लिए तैय्यार रहे पडैछै।


ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan