१ पत्रुस 2:12 - केवट नया कारार12 कतनें बेर एरं आदमीसब हैछै जेसब प्रभुके नैजानैछै आर ऊसब तोरासिपर यी कहिके गलत आरोप लगाबे सकैछौ कि तोरसिके काम खराब छौ। इहे ल्याके तोरासिके आपन व्यवहारके विषयमे होशियार रहना चाही, ताकी ऊसब तोरसिके बढियाँ व्यवहार देखे सकौ। अन्तमे ऊसब स्वीकार कर्तै कि तोरसिके व्यवहार बढियाँ छै आर जे दिन परमेश्वर संसारके न्याय करैके लिए फेर यी संसारमे वापस ऐतै उटा दिन ऊसब परमेश्वरके महिमा कर्तै। Faic an caibideil |
मगर जे भी हुए, तुहेंसब एकटा बातके ध्यान राख कि तोरसिके जीवनके आचरण-व्यवहार ख्रीष्टके खुश-खबरीके योग्य होना चाही। अहिने करिके चाहे हमे आबिके तोरसिके भेट करियौ या दूर रहिके हमे तोरसिके बारेमे सुनियौ, मगर हमरा इहे बात पता चलै कि तुहेंसब एक आत्मामे स्थिर छैं आर एक मनके भ्याके एक साथ मिलिके उटा विश्वासके लिए संघर्ष करैछैं, जे कि खुश-खबरीपर आधारित छै।
आर दोसर आदमीसिके यी बातके पुष्टि करना चाही कि ऊ सभे दिन बढियाँ काम कैल्कै छे, उदाहरणके लिए, आपन बालबच्चासिके बढियाँसे देखभाल कैल, यात्रा करेवाला आदमीसिके आपन घरमे स्वागत कैल, नम्र भ्याके नोकरके जुगुर विश्वासीसिके सेवा कैल, आर दुःखमे पडल आदमीसिके सहायता कैल होना चाही। ऊ अपने आपके सभे तरहके बढियाँ काम करैके लिए खुदके समर्पण कैल होना चाही।
उदाहरणके लिए, यदि तोरलगत प्रचार करैके वरदान छौ ते, तोरा परमेश्वरके सन्देशसिके प्रचार करना चाही। यदि तोरलगत दोसर आदमीसिके सहायता करैके वरदान छौ ते, यी उटा सामर्थ्यके साथ कर जे परमेश्वर तोरा दैछौ। तब फेर जे कुछु भी तुहेंसब कर्भैं उटा येशू ख्रीष्टके द्वारा परमेश्वरके महिमा दिलैतै। सभे महिमा आर सामर्थ्य सभे दिनके लिए ओकर छै! आमेन।