तुहेंसब मूर्तिके बलिदान चढैल भोजन, जानवरके खून, घैच मोचारिके मार्ल जानवरके मास आर व्यबिचारसे अलग रह। यी बातसिसे अलग रहभ ते तोरसिके लिए बढियाँ हैतहौं। बाँकी सब कुशल।
मगर हमर आपन शरीरके अंगके दोसर नियम हमर हृदय जे नियमके सही मानैछै उटा नियमसे लडै करैछै, आर यी शक्ति हमरा उटा पापके दास बन्या दैछै जे एखन भी हमर शरीरके अंगसिमे छै।
सेल्याके अपनासब ख्रीष्टके राजदूतसब छियै। परमेश्वर ओकर सन्देशके स्वीकार करैके लिए आपनसिके द्वारा आदमीसिसे आग्रह करैछै। हमेसब ख्रीष्टके तरफसे तोरासिके निवेदन करैछियौ, कि परमेश्वरके संगे शान्ति कायम कर।
कहिनेकी हे प्रियसब, परमेश्वर अपनासिके आपन बेटा-बेटीसिके जुगुर स्वीकार करैके लिए एरं प्रतिज्ञा कैल्कै छे, इहे ल्याके अपनासब उटा सभे खराब काम बन्द कर जे तोरसिके शरीर आर आत्माके अशुद्ध बनाबैछै। परमेश्वरके भय मान आर आदर कर। या अपनासब पुरा तरहसे पवित्र हुऐके लिए काम करैछियै।
सेल्याके, हमे जे प्रभु येशूके सेवा करैके कारणसे कैदी छियै, तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि उटा बोलावटके संगे जकरासे परमेश्वर तोरासिके आपन सन्तान हुऐके लिए बोलैल्कौ छे, ओकर मुताबिक जीवन जी।
यी सभे आदमीसब जेसब परमेश्वरपर भरोसा कैल्कै, उटा चीजसब पैले बिना मरि गेलै जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै रहे। मगर ऊसब यी बात आपन मनमे देखल्कै आर आनन्दित रहलै आर ऊसब यी बात बुझी गेलै कि ऊसब यी धर्तीमे खाली अन्ठिया आर परदेशी छियै।
जब तुहेंसब प्रार्थना करैछैं ते तुहेंसब परमेश्वरके आपन पिता कहैछैं। मगर याद राख कि ऊ पक्षपात नैकरिके हरेक आदमीके ओकर कामके मुताबिक फैसला करैछै। इहे ल्याके जब कि तुहेंसब यी धर्तीपर एकटा परदेशी बनिके रहैछैं ते तोरा ओकर प्रति बहुते सम्मानके साथ जिना चाही।
हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, उटा दुःखदायी चीजसिके विषयमे आश्चर्यचकित नैहु जकर कारणसे तुहेंसब दुःख उठाबैछैं कहिनेकी तुहेंसब ख्रीष्टके छैं। मगर यी चीजसब यी देखाबैके लिए हैछै कि तुहें सचमे परमेश्वरमे विश्वास करैछैं। इहे ल्याके यी नैसोच कि तोरसिके संगे कुछु विचित्र हैछौ।