Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 2:1 - केवट नया कारार

1 सेल्याके, हरेक प्रकारके खराब व्यवहार करैसे इन्कार कर। दोसर आदमीसिके धोखा नैदहैं, छल-कपटी नैबन। दोसर आदमीसिसे जर्नी नैकर। ककरो बदनामी नैकर।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 2:1
50 Iomraidhean Croise  

ढोंगीसब, यशैया तोरसिके विषयमे ठीके भविष्यवाणी कैल्कै छे,


अहिने करिके तुहेंसब बाहारमे आदमीसिके समनामे धर्मी दिखाई पडैछैं मगर भितरमे छल-कपटी आर दुष्ट कामसे भर्ल छैं।


आर मालिक ओकरा कठोर सजाय देतै आर ओकरा ढोंगीसिके बीचमे फेकि देतै, जते आदमीसब पिडासे कान्तै आर दाँत किट्तै।”


हे ढोंगी, पहेला आपन खुदके बडका पापके सुधारी ले, तब तुहें साफ तरिकासे आपन विश्वासी भ्या-बहिनके आँखीके धुर देखिके निकाले सक्भैं आर दोसर आदमीसिके ओकरसिके छोटका पापके सुधारैके लिए सहायता करे सक्भैं।


कि हमरासिके कर देना चाही या हमरासिके कर नैदेना चाही?” येशू ओकरसिके छल-कपटी जानीके ओकरासिके कहैल्कै, “तुहेंसब हमरासे कुछु गलत कहेल जैके कारणसे फसाबैके कोशिश कहिने करैछैं? हमरा एकटा चानीके सिक्का आनिके देखा।”


“तोरासिके बहुते भयानक हैतौ! कहिनेकी, तुहेंसब ओरं छैं, जेरं कि खेतमे दिखाई नैदिएवाला सारा हैछै जकर उप्पर द्याके अन्जानमे आदमीसब लरैछै।”


इहे बीचमे जब हजारो आदमीसिके भीड जमा भेलै, एत्तेतक कि एक दोसरके चाँपे लाग्लै। येशू पहेला आपन चेलासिके कहे लाग्लै, “तुहेंसब फरिसी समूहके आदमीसिके खमीरसे होशियार र। कहैके मतलब छै, ओकरसिके छल-कपटी आचरणसे बचिके र।


जब तोर आपने भितरमे बहुते बडका पाप छौ ते तोरा आपनसे छोटका पापवाला कोनो आदमीके सहायता करैके कोशिश नैकरना चाही! हे ढोंगी, पहेला आपन खुदके बडका पापके सुधारी ले, तब तुहें साफ तरिकासे आपन विश्वासी भ्या-बहिनके आँखीके धुर देखिके निकाले सक्भैं आर दोसर आदमीसिके ओकरसिके छोटका पापके सुधारैके लिए सहायता करे सक्भैं।”


येशू नथानेलके आपन महर ऐते देखिके ओकर बारेमे कहैल्कै, “देख, इस्राएलीसिके भरोसामन्द सन्तान, जे पुरा तरहसे इमानदार छै।”


ऊसब सभे किसिमके पापसे भर्ल छै। ऊसब लोभ आर घृणा करैछै, दोसरके डाहा करैछै आर दोसर आदमीसिके हत्या करैछै। ऊसब झर-झगडा करैछै, छल-कपट करैछै आर झुठ बोलैछै, एक दोसरके चुगलखोरी करैछै,


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एकटा बच्चाके जुगुर नैसोच, मगर बच्चासिके जुगुर निर्दोष बन, जब खराबीके बात आबैछै, मगर एरंको बातसिके बुझैमे परिपक्क बन।


सेल्याके या अपनासब निस्तार पावन मनाबैछियै। निस्तार पावनके समयमे यहूदी आदमीसब आपन घरसे सभे खमीरके फेकि दैछै। ओहिने करिके विश्वासी बनैसे पहेला अपनासब जेरंको व्यवहार कर्ते रहियै ओरं व्यवहार करना बन्द करि देना चाही। उटा निस्तारके समयमे यहूदी आदमीसब रोटी खैल्कै, जकरामे खमीर नैरहै। ओहिने करिके अपनासिके व्यवहार करना चाही कहिनेकी परमेश्वरके आदमीसिके ओकरसिके जीवनमे कोनो किसिमके खराब व्यवहार नैभेल जुगुर व्यवहार करना चाही। जकर मतलब, अपनासिके धोखासे आपन मनमे खराबीके नुकाना नैचाही, बरु इमानदारीसे ख्रीष्टके अनुसरण करना चाही।


कहिनेकी हमरा यी डर छै कि जब हमे तोरसिकेलगत ऐबौ तब हमे तोरासिके ओरं नैपाबियौ जेरं हमे चाहैछियौ आर तहुँसब भी हमरा ओरं नैपाभैं जेरं तुहेंसब चाहैछैं। कहीं एरं नैहै कि हमे तोरसिके बीचमे झगडा, डाहा, क्रोध, स्वार्थ, ईर्ष्या, चुगलखोरी, अहंकार आर बखेडा पाबियौ।


सभे प्रकारके तित्तपनके विचार, क्रोध, गोस्सा, झगडा, निन्दा आर सभे किसिमके दुष्ट व्यवहार तुहेंसब त्यागी दहैं।


कहिनेकी हमरसिके उपदेश धोखा या खराब विचारसे नैछै, नैते यी छलकपटसे छै।


इहे प्रकारसे मण्डलीके सेवकके पतनीसब सभैसे आदर पाबैके योग्यके हुए पडैछै, दोसरके बारेमे खराब बात बोलेवाली नै होना चाही, मगर संयमी आर ऊसब सभे परिस्थितिमे भरोसा करैके योग्यके होना चाही।


अहिने करिके बुढ जनानीसब सभे बातमे एरं व्यवहार करै जे हरेक बातमे जे ऊ करैछै परमेश्वरके सम्मान दैछै, दोसर आदमीके बारेमे खराब बात नैबोलेवाली, आर बेसी नशा करेवाली नैहै, मगर ऊसब दोसर जनानीसिके बढियाँ जीवन जियैके तरिका सिखाबे पडैछै।


आपनसिके अगल-बगल एरंको बहुते आदमीसब छै जकर जीवन अपनासिके बताबैछै कि विश्वासके कि मतलब छै। सेल्याके या, सभे रोकेवाला चीजसब आर सभे ओझराबेवाला पापके दूर करिके अपनासब उटा रस्तापर चल जकरापर अपनासिके चलना चाही।


सेल्याके सभे तरहके गन्दा आचरण आर दुष्ट व्यवहार बन्द करिके नम्रतासे परमेश्वरके वचनके स्वीकार कर जे तोरसिके हृदयमे रोप्ल छौ आर जे तोरसिके जीवनके कहियो खतम नैहुएवाला सजायसे बचाबे सकैछै।


मगर यदि तोरसिके मनमे बहुते ईर्ष्या आर स्वार्थ राखैछैं ते यी बातमे घमण्ड नैकर आर सचके विरोधमे झुठ नैबोल।


हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, एक दोसरके निन्दा नैकर। जे आपन विश्वासी भ्या-बहिनके निन्दा करैछै या आपन विश्वासी भ्या-बहिनके दोष लगाबैछै, वास्तवमे ऊ परमेश्वरके प्रेमके विधि-विधानके निन्दा करैछै आर ऊ विधि-विधानके दोष देखाबैछै। मगर यदि तुहें विधि-विधानके दोष देखाबैछैं ते तुहें विधि-विधान मुताबिक नैचलेवाला भेल्हैं मगर विधि-विधानके न्यायधीश भेल जुगुर तुहेंसब एकर निन्दा करैछैं।


कि तुहेंसब यी सम्झैछैं कि धरमशास्त्र व्यर्थमे एरं कहैछै? “परमेश्वर एकटा आदमीके जीवन दियैके लिए ओकरामे आत्माके राखी देल्कै छे इहे ल्याके अपनासब खाली ओकरे हैयै कहिके ऊ तीब्र जर्नी राखैछै।”


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एक दोसरके विरोधमे नैकुडकुडा। एरंके परमेश्वर तोरसिके न्याय नैकर्तौ। देख्, न्यायधीश बहुते नज्दिक छै आर आबैके लिए तैय्यार छै।


आब तुहेंसब पापके दास नैछैं, कहिनेकी तुहेंसब आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा पहेला ही आजाद करि देल गेल्हैं छे। मगर खराब काम करैके लिए एकरा एकटा बहाना नैबना। मगर तोरासिके आपन कामसिके द्वारा देखाना चाही कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरके सेवक छैं।


धरमशास्त्र कहैछै, “ऊ कहियो पाप नैकैल्कै। ऊ कहियो कोनो झुठ नैबोल्लै।”


कहिनेकी धरमशास्त्र कहैछै, “यदि कोनो आदमी आपन जीवनके आनन्द लियैले चाहैछै आर बढियाँ दिन चाहैछै ते ओकरा होशियार रहना चाही कि ऊ खराब बात नैबोलै आर ओकरा झुठ नैबोलना चाही।


नतिजा स्वरुप, ऊ आदमी यी धर्तीपर आपन पुरा जीवन आपन पापमय मानवीय इच्छासब पुरा कर्ते नैजितै, मगर ऊ परमेश्वरके चहेल काम कर्तै।


इहे कारणसे तोरसिके पुरना दोस्तसब आश्चर्यचकित भ्याजैछै, जब तुहेंसब ओकरसिके संगे उटा खराब चीजसिमे सामिल नैहैछैं जे ऊसब करैछै। इहे ल्याके ऊसब तोरसिके बदनामी करैछौ।


ऊसब कहियो झुठ नैबोल्लै छे। ओकरासिमे कुछु गलत नैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan