जे हमरासे बेसी आपन मयाँ या बाबुके प्रेम कर्तै, ऊ हमर चेला बनैके योग्य नैछै। जे हमरासे बेसी आपन बेटा या बेटीके प्रेम करैछै, ऊ हमर चेला बनैके योग्यके नैहैतै।
जे हमर आज्ञाके जानैछै आर पालन करैछै, ऊ हमरासे प्रेम करैछै। आर जे हमरासे प्रेम करैछै, ओकरासे हमर परमेश्वर पिता प्रेम कर्तै। आर हम्हुँ ओकरासे प्रेम कर्बै, आर हमे अपने आपके ओकरलगत प्रकट कर्बै।”
हमरा प्रेम नैकरेवाला हमर आज्ञाके पालन नैकर्तै। यी बात जे तुहेंसब एखन सुनैछैं उटा हमे खुद आपन अधिकारसे नैकहैलियै छे। यी बात परमेश्वर पिताके तरफसे ऐलै छे, जे हमरा भेजल्कै छे।
हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर जे आशाके दाता छै, ऊ तुहेंसब विश्वास करैके कारणसे तोरासिके पुरा तरिकासे खुशी आर शान्तिके आनन्द लियैके लिए सहायता करौ ताकी पवित्र आत्माके शक्तिसे तोरसिके आशा बढते जौ।
इहे ल्याके हमरसिके नजर ऊ चीजसिपर टिक्ल नैछै जे दिखाई दैछै, मगर ऊ चीजसिपर नजर टिक्ल छै जे आँखीसे देख्ल नै ज्या सकैछै, कहिनेकी दिखाई दिएवाला चीजसब कुछु देर टिकैछै मगर जे चीज देख्ल नै ज्या सकैछै, ऊ सभे दिनके लिए रहैछै।
कहिनेकी यदि अपनासब ख्रीष्ट येशूके संगे एक छियै ते आपनसिके खतना भेल छै या नैभेल छै यी बात महत्वपूर्ण नैछै। मगर महत्वपूर्ण बात यी छै कि अपनासब ख्रीष्टके आपन उद्धारकर्ताके रुपमे विश्वास करैछियै, आर परमेश्वर आर दोसर आदमीसिके प्रति प्रेम राखैछियै।
यदि अपनासब परमेश्वरमे सच्चेके भरोसा करैछियै ते, अपनासब निश्चित हैछियै कि अपनासब आपन आशा कैल बात पैबै। आपनसिके भरोसाके कारणसे, अपनासब निश्चित छियै कि अपनासब एखनतक देखे नैसकेवाला चीज भी सच छै।
विश्वासेद्वारा राजाके क्रोधसे नै डर्याके ऊ मिश्र देशके छोडी देल्कै। कहिनेकी कठिनाईसिके सामना कैलके बाद भी, ऊ फेर वापस नैभेलै कहिनेकी मान कि यी एरं रहै जेरं कि ऊ परमेश्वरके देखल्कै रहे, जे अदृश्य छै।
यी पत्थल तोरसिके लिए बहुते किमती छौ जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं। मगर जे आदमीसब ओकरापर विश्वास नैकरैछै ओकरसिके विषयमे धरमशास्त्र कहैछै कि, “राज मिसतिरीसब जेटा पत्थलके प्रयोग करैसे इन्कार करिदेल्कै, उटा पत्थल इमारतके जगके सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै छे।”