Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 1:7 - केवट नया कारार

7 यी तकलीफसिके मकसद यी देखाबैके लिए छै कि तुहेंसब सचमे परमेश्वरमे भरोसा राखैछैं या नैराखैछैं। येशू ख्रीष्टमे भेल तोरसिके विश्वास सोनासे भी मूल्यवान छौ। जेरंके नाश हुएवाला सोनाके आगिनसे जाँच्ल जैछै आर शुद्ध बनैल जैछै, ओहिने करिके यदि तोरसिके विश्वास अग्निमय परीक्षासिके द्वारा जाँच्ल गेलके बाद भी मजगुत रहैछौ ते, यी येशू ख्रीष्ट फेर वापस आबैके दिनमे तोरासिके बहुते प्रशंसा, महिमा आर सम्मान दिलैतौ।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 1:7
53 Iomraidhean Croise  

येशू ओकरासिके कहैल्कै, “हमे तोरासिके सच कहैछियौ, तुहेंसब जे हमर चेला बन्लहैं छे, नया सृष्टिमे जखनी हमे, आदमीके बेटा आपन महिमामय सिंहासनपर विराजमान हैबै, तहिया तहुँसब बारह सिंहासनमे बैठिके इस्राएलीसिके बारह कुलके न्याय कर्भैं।


मालिक ओकरा कहैल्कै, ‘शाबास! बढियाँ आर विश्वासयोग्य नोकर! तुहें कम धन सम्हारैमे विश्वासयोग्य भेल्हैं, आब हमे तोरा बहुते धन सम्हारैके जिम्मा देबौ। तुहें आपन मालिकके खुशीमे सामिल हो।’


ओकर मालिक ओकरा कहैल्कै, ‘शाबास! बढियाँ आर विश्वासयोग्य नोकर! तुहें कम सोनाके सिक्काके झोला सम्हारैमे विश्वासयोग्य भेल्हैं, आब हमे तोरा बहुते सोनाके सिक्काके झोला सम्हारैके जिम्मा देबौ। तुहें आपन मालिकके खुशीमे सामिल हो।’


सेल्याके आपन धन-दौलत बेचिके ऐल पैसा गरिबसिके दान करि दहैं। आपन लिए सभे दिन रहेवाला भण्डार बना आर कहियो खतम नैहुएवाला धन स्वर्गमे जमा कर, ओत्ते चोर भी चोरी नैकरैछै आर पिल्लु भी नैलागैछै।


हमे, आदमीके बेटा नैसोच्ल समयमे वापस आबेवाला दिनमे भी अहिने हैतै।”


कोय अगर हमर सेवा कर्तै ते ऊ हमर चेला बनक आर तब जते हमे छियै हमर सेवक भी ओथै रहतै। जे कोय हमर सेवा करैछै, हमर पिता ओकर कदर कर्तै।”


तुहेंसब हमरापर विश्वास करे नैसकैछैं, कहिनेकी तुहेंसब एक दोसरसे प्रशंसा चाहैछैं, आर तुहेंसब खाली एकटा परमेश्वर पितासे प्रशंसा पाबैके कोशिश नैकरैछैं।


मगर पत्रुस ओकरा कहैल्कै, “तुहें आर तोर पैसा नाश भ्याजौ, कहिनेकी तुहें परमेश्वरके वरदान रुपिया-पैसासे किनैले सकैछै कहिके विचार कैल्हैं।


जेसब बढियाँ काम करैछै, परमेश्वर ओकरासिके महिमा, आदर आर शान्ति देतै, पहेला यहूदी आदमीसिके मिल्तै तकरबाद गैर-यहूदी आदमीसिके मिल्तै।


सच्चा यहूदी आदमी ऊ छै जकर हृदय परमेश्वरके संगे सही छै। आर सच्चा खतना खाली मूसाके विधि-विधानके पालन करना नैछै, मगर यी हृदयके बदलाव छै, जे पवित्र आत्माके द्वारा उत्पन्न हैछै। एरंको आदमी दोसर आदमीसिसे नै मगर परमेश्वरसे प्रशंसा पाबैछै।


धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


कहिनेकी सृष्टि बडका आशासे परमेश्वर आपन सच्चा सन्तानसिके प्रकट कर्तै कहिके उटा आबेवाला दिनके लिए इन्तजार करैछै।


एक दिन हरेक आदमी आपन कैल काम केरंको छै से देख्तै। कहिनेकी जब येशू ख्रीष्ट फेर वापस ऐतै, ऊ यी सभे बातसब खुल्लम खुल्ला प्रकट कर्तै। ऊ हरेक सेवकके कैल काम देख्तै आर ऊ यी काम बढियाँ छै या खराब छै कहिके कहतै, ठीक ओहिने करिके जेरंके एकटा आदमी धातुसिके जाँच करैके लिए आगिनके प्रयोग करैछै, यी देखैके लिए कि उटा धातुसब लम्बा समयतक रहैछै कि जल्दी जरि जैछै।


सेल्याके प्रभुके वापस आबैतक कोय ककरो जाँच नैकर। ऊ कक्रहौ मालुम नैभेल आदमीसिके विचारसिके साफसे कही देतै। ओकरसिके हृदयके मकसद प्रकट करि देतै, तब परमेश्वरके तरफसे सभे आदमीसिके प्रशंसा मिल्तै।


ऊ आदमी धन्यके छै, जे परीक्षामे स्थिर रहैछै, कहिनेकी ऊ आपन विश्वास साबित कैलके बाद ऊ कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके मकुट पैतै, जे परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसिके दियैके वादा परमेश्वर कैल्कै छे।


सेल्याके सचेत र कि तुहेंसब कि करेवाला छैं आर होशियार र। उद्धार पाबैके आशा कर, जे अनुग्रहसे आबैछै, जे तोरासिके येशू ख्रीष्ट यी संसारमे फेर वापस आबैके दिनमे देल जैतौ।


आर तोर विश्वासके द्वारा, परमेश्वर आपन शक्तिसे तोरसिके रक्षा करैछौ जबतक कि तुहें शैतानके शक्तिसे पुरा उद्धार पाबि नैलैछहैं जे कि ख्रीष्टके वापस आबैके दिनमे देखैल जैके लिए तैय्यार छै।


प्रभु येशूके तुलना एकटा जिन्दा पत्थलसे कैल गेलै छे। उटा पत्थलके आदमीसिके द्वारा फेकि देल गेलै रहे, कहिनेकी ऊसब कहैल्कै कि ऊ बेकार रहै। मगर परमेश्वरके नजरमे ऊ बहुते अनमोल छै आर परमेश्वर ओकरा जगके मूल पत्थलके रुपमे चुनल्कै। आर हे संगी विश्वासीसब तुहेंसब भी प्रभु येशूके नज्दिक या ताकी तोरासिके भी ओकरद्वारा उटा जिन्दा पत्थलके जुगुर बनैल जै जे परमेश्वरके आराधनाके घर बनाबैके लिए उपयोग कैल जैछै। ऊ तोरासिके भी पवित्र पुजारी बनैल्कौ छे। कहिनेकी जेरंके पुजारी परमेश्वरके बलिदान चढाबैछै, ओहिने करिके तुहेंसब भी बलिदानके रुपमे आपन हृदय परमेश्वरके चढैल्हैं छे। आर उटा बलिदान परमेश्वरके खुश बनाबैछै कहिनेकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके छैं।


यी पत्थल तोरसिके लिए बहुते किमती छौ जे येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं। मगर जे आदमीसब ओकरापर विश्वास नैकरैछै ओकरसिके विषयमे धरमशास्त्र कहैछै कि, “राज मिसतिरीसब जेटा पत्थलके प्रयोग करैसे इन्कार करिदेल्कै, उटा पत्थल इमारतके जगके सभैसे महत्वपूर्ण पत्थल बनी गेलै छे।”


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, उटा दुःखदायी चीजसिके विषयमे आश्चर्यचकित नैहु जकर कारणसे तुहेंसब दुःख उठाबैछैं कहिनेकी तुहेंसब ख्रीष्टके छैं। मगर यी चीजसब यी देखाबैके लिए हैछै कि तुहें सचमे परमेश्वरमे विश्वास करैछैं। इहे ल्याके यी नैसोच कि तोरसिके संगे कुछु विचित्र हैछौ।


खाली एकर विषयमे खुश र, कहिनेकी तोरासिके उटा दुःखसिमे एकटा हिस्सा मिल्लौ छे जे ख्रीष्टके मिल्लै रहे। इहे कारणसे, जब ख्रीष्ट सभे आदमीसिके आपन महिमा प्रकट करैके लिए फेर वापस ऐतै ते तोरसिके आनन्द सचमे बडका हैतौ।


कुछु एरं बातसब छै जे हमे ओत्ते भेल मण्डलीके अगुवासिके कहैले चाहैछियै कहिनेकी हमे भी तोरसिके जुगुर एकटा मण्डलीके रेख-देख करेवाला छियै। हमे खुद उटा दुःखसिके देख्लियै छे जे बहुते समय पहेला ख्रीष्ट सहैल्कै। जब ऊ फेर वापस ऐतै ते, हमे भी ओकर महिमामे सामिल हैबै। आब हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ,


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब, परमेश्वर संसारके न्याय करैके दिनके तुहेंसब इन्तजार करैबेरियाँ तोरासिके पवित्र आर निष्खोट हुऐके लिए आर ओकरसंगे शान्तिमे रहैके लिए आपन तरफसे पुरा कोशिश करे पडैछै।


एकटा खाली परमेश्वर ही छै जे तोरासिके पाप करैसे बचाबे सकैछौ आर तोरासिके निर्दोष आर आनन्दित बनाबे सकैछौ, जब ऊ तोरासिके आपन महिमामे आपन समनामे खडा करैछौ। ऊ अपनासिके आपनसिके उद्धारकर्ता प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा बचैल्कै छे। महिमा, गौरव, सामर्थ्य आर अधिकार समयके शुरुआतके पहेलासे ही ओकर रहै, आब भी ओकर छै आर सभे दिनके लिए ओकर ही रहतै। आमेन।


देख, ऊ बादलके सवारीमे आबैछै, आर हरेक आदमी ओकरा देख्तै। जे आदमीसब ओकर मौतके लिए जिम्मेदार रहै, ऊसब भी ओकरा ऐते देख्तै आर धर्तीके सभे आदमीसब जोर-जोरसे कान्तै जब ऊसब ओकरा देख्तै। हौं, अहिने हैतै। आमेन।


उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ।


तुहें हमर सन्देशके पालन कैल्हैं ताकी जब तुहें दुःख उठाभैं ते ओकरा धीरजके साथ सहे सक्हैं। इहे कारण, हमे तोरा बडका परीक्षाके समयमे तोर रक्षा कर्बौ। परीक्षाके यी समय संसारके सभे आदमीसिपर ऐतै।


सेल्याके हमे तोरा चेतावनी दैछियौ कि तोरा हमरासे शुद्ध सोना खरीद करना चाही ताकी वास्तवमे तुहें धनवान बने सक्हैं। तोरा हमरासे पिन्हैके लिए उजरा कपडा भी खरीद करना चाही ताकी तोर शरीर झाँप्ल रहौ आर तुहें शर्मिन्दा नैहैं। आर तोरा आपन आँखके इलाज करैके लिए हमरासे दवा भी खरीद करना चाही ताकी तुहें देखे सक्हैं।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan