१ पत्रुस 1:22 - केवट नया कारार22 कहिनेकी तुहेंसब सचके पालन करिके शुद्ध भेल छैं, आब तोरासिके आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके निष्कपट प्रेम करे पडैछै। तुहेंसब एक दोसरके पुरा हृदयसे बहुते गहरा प्रेम कर। Faic an caibideil |
हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, एत्ते तोरसिके लिए परमेश्वरके समनामे हमरसिके सभे दिन धन्यवाद देना सही छै। तुहेंसब प्रभुके प्यारा छैं, कहिनेकी परमेश्वर संसारके सृष्टिके शुरुसे ही पवित्र आत्माद्वारा तोरासिके पापसे अलग करिके आर येशू ख्रीष्टके बारेमे सच्चा सन्देशमे विश्वास करैके कारण उद्धारके लिए चुनी लेल्कौ छे।
तिमोथी, तोरा मालुम छौ कि एफिसस सहरमे गलत बात सिखाबेवाला कुछु आदमीसब छै। ऊसब निरन्तर झुट्ठा शिक्षासब आर बाप-पुर्खासिके लम्बा सूचीसब सिखाबैछै। जब हमे एफिसस सहरसे माकेडोनिया प्रदेशमे जैके लिए तैय्यार रहियै, हमे तोरासिके एफिसस सहरमे रहैके लिए आर ओकरासिके ओरं शिक्षा नैदियैके लिए बताबैके लिए बिन्ती कैलियौ। जब ऊसब ओरंको बातसब सिखाबैछै, नतिजा यी छै कि आदमीसब उटा बातके विषयमे बहस करैछै। ऊ शिक्षकसब परमेश्वरके देल काम नैकरैछै, जे काम ऊसब परमेश्वरमे भरोसा राखिके खाली करे सकैछै।
परमेश्वर पिता बहुते पहेला ही तोरासिके आपन आदमी बनाबैके लिए आर पवित्र आत्माके कामके द्वारा तोरासिके पवित्र बनाबैले चुनैके फैसला कैल्कै रहे। ऊ एरं इहे ल्याके कैल्कै ताकी तुहेंसब येशू ख्रीष्टके आज्ञापालन करहैं आर ओकर खूनके द्वारा शुद्ध हुए सक्हैं। हमे प्रार्थना करैछियौ कि परमेश्वर तोरासिके बहुते अनुग्रह आर शान्ति दौ।
यी ऊ आदमीसिके आत्मासब रहै, जेसब बहुते समय पहेला परमेश्वरके आज्ञाके उलंघन कैल्कै रहे। जब नूह आपन नाव बनैते रहै ते, परमेश्वर धीरजके साथ इन्तजार कर्ते रहै कि देखियै ऊ आदमीसब पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैछै। मगर जब पानी संसारके विनाश करिदेल्कै ते नावमे प्रवेश करेवाला खाली आठ आदमीसब बचैल गेलै रहे।