१ पत्रुस 1:21 - केवट नया कारार21 ख्रीष्टके कैल कामद्वारा परमेश्वरपर तोरसिके भरोसा छौ, जे ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके महिमा देल्कै, ताकी तोरसिके आशा आर विश्वास परमेश्वरमे रहौ। Faic an caibideil |
बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।
सेल्याके या जे बात अपनासिके सभैसे पहेला ख्रीष्टके विषयमे सिखैल गेलै रहे, उहे आधारभूत शिक्षासिके नै दोहरैते र, आर या अपनासब परिपक्क शिक्षासिके बारेमे विचार विमर्श करैछियै। या अपनासब उटा आधारभूत शिक्षासिके अलग राखियै जे एकटा जगके जुगुर छै, यानिकी, आपन पापमय कामसे जे मौतके महर ल्याजैछै, पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके विषयमे आर परमेश्वरपर भरोसा करैके विषयमे सिखाबैछै।
आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके पिता आर परमेश्वरके धन्यवाद है। परमेश्वर आपनसिके प्रति आपन बडका दयासे अपनासिके एकटा नया जीवन देल्कै छे। कहिनेकी परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, ऊ अपनासिके बहुते आत्मविश्वासके साथ जियैके योग्य बनैल्कै छे, यानिकी अपनासब उटा चीजसिके प्राप्त करैके पुरा आशा करे सकैछियै जे ऊ अपनासिके दियैके प्रतिज्ञा कैल्कै छे।