१ पत्रुस 1:12 - केवट नया कारार12 मगर परमेश्वर यी आपन वक्तासिके बतैल्कै कि ओकरसिके सन्देश ओकरसिके लिए नै मगर तोरसिके लिए रहै। उटा सन्देश येशू ख्रीष्टके विषयमे खुश-खबरी छै जे एखन तुहेंसब सुन्लहैं छे। परमेश्वर स्वर्गसे आपन पवित्र आत्मा भेजल्कै ताकी तोरासिके खुश-खबरी प्रचार करैमे आदमीसिके सहायता करै। यी सभे बात एतनें अदभुद छै कि एत्तेतक कि स्वर्गदूतसब भी उत्सुकतासे यी चीजसिके हैते हुए देखैछै। Faic an caibideil |
बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।