Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ पत्रुस 1:1 - केवट नया कारार

1 हमे, पत्रुस, जे येशू ख्रीष्टके चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै, यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे यी चिट्ठी परमेश्वरके चुन्ल ऊ आदमीसिके लिखैछियै जे पोन्टस, गलातिया, कापाडोकिया, एशिया प्रदेश आर बेथानियाँ प्रदेशके अलग-अलग सहरमे परदेशीसिके जुगुर रहैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ पत्रुस 1:1
34 Iomraidhean Croise  

बारहटा चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके नाम एरं छै: पहेला, सिमोन जकर नाम पत्रुस राखल्कै आर ओकर भ्या अन्द्रियास, जब्दियाके बेटा याकूब आर ओकर भ्या यूहन्ना,


परमेश्वर उटा भयानक समयके घटाबैके निर्णय लेल्कै छे, नैते कोय भी जिन्दा नै बच्तियै। मगर ओकर चुन्ल आदमीसिके कारण, जकरा ऊ चुन्लकै छे, परमेश्वर समय घट्या देतै।


एक दिन, गालील समुन्दरके किनार द्याके जैबेरियाँ येशू पत्रुस कहेल ज्यावाला सिमोन आर ओकर छोटका भ्या अन्द्रियासके समुन्दर किनारमे जाल फेक्ते देखल्कै, कहिनेकी ऊसब मछमारा रहै।


परमेश्वर आपन चुन्ल आदमीसिके लिए जेसब रात-दिन ओकर समनामे कानैछै न्याय कर्तै, ऊ ओकरसिके सहायता करैमे देर नैकर्तै।


मगर खाली ओकरसिके ही नै, ऊ परमेश्वरके आरहौ सन्तानसिके लिए भी मर्तै जे यी संसारमे अलग-अलग जगहमे छिरियैल छै, ताकी ओकरासिके एक जगहमे जमा करे सकै।


यी बात सुनिके यहूदी आदमीसिके अगुवासब एक दोसरसे कहे लाग्लै, “यी आदमी कते जैले चाहैछै जते हमेसब ओकरा कहियो नै भेटे सक्बै? शायद यी ऊसब यहूदी आदमीसिके लगत जैतै जे यूनानी सहरसिमे परदेशी बनिके रहैछै। कि यी ओक्रहैसिके जैके आपन शिक्षा दियैले चाहैछै?


आर ओत्ते ऊ पोन्टस निवासी अकिलास नामके एकझन यहूदी आदमीके भेट कैल्कै, जकर जनम पोन्टस प्रदेशमे भेलै रहे। ऊ आपन पतनी अकिलासके संगे इटालिया प्रदेशसे ऐलै रहे कहिनेकी सम्राट क्लौडियस सभे यहूदी आदमीसिके रोमसे निक्लीके जैके लिए आज्ञा देल्कै रहे। सेल्याके पावल ओकरासिके भेट करैले गेलै।


पावल एन्टीओखिया सहरमे कुछु दिन रहेलके बाद ओत्तेसे बिदा भ्याके गलातिया प्रदेश आर फ्रिगीया प्रदेशमे सभे चेलासिके मजगुत कर्ते अलग अलग जगहमे गेलै।


यी काम दी सालतक चल्ते रहलै, आर एशिया प्रदेशमे रहेवाला यहूदी आदमीसब आर यूनानी आदमीसब सभेको प्रभुके वचन सुन्लकै।


मगर कुछु आदमीसब स्तिफनसके विरोध कैल्कै। ऊसब यहूदी आदमीसिके सभाघरके सदस्य रहै, जकरा गुलामी-मुक्त कहेल जैते रहै, ऊसब कुरेनी आर अलेक्जेण्ड्रिया सहरसिसे रहै आर किलिकिया प्रदेश आर एशिया प्रदेशसिसे भी रहै। ऊ सभेको मिलिके स्तिफनस संगे वाद-विवाद करे लाग्लै।


जे विश्वासीसब छिरियैल रहै, ऊसब चारो महर जैके खुश-खबरी प्रचार करे लाग्लै।


एत्ते एशिया प्रदेशके मण्डलीसिके विश्वासीसिके तरफसे तोरासिके नमस्कार करैछौ, अकिलास आर ओकर पतनी प्रिस्कीला आर मण्डलीके तरफसे भी जेसब ओकर घरमे जमा हैछै, प्रभुमे तोरासिके नमस्कार कहैछौ।


हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे चाहैछियै कि तुहेंसब उटा तकलीफसिके विषयमे जान जे हमरासिके एशिया प्रदेशमे भोगैले पड्लै। यी तकलीफ सहना हमरसिके बरदाससे बाहार रहै, एत्तेतक कि हमेसब जियैके पुरा उम्मीद ही छोडी देलियै रहे।


हमे यी चिट्ठी हमर संगमे भेल सभे विश्वासी भ्यासिके संगे ऊ मण्डलीसिके लिखैछियै जे गलातिया प्रदेशमे छै।


तुहेंसब उटा समयमे ख्रीष्टके नैचिन्हते रहैं आर तुहेंसब परमेश्वरके चुन्ल आदमी इस्राएलीसिके जुगुर नागरिकके रुपमे सम्बन्धित नैरहैं। तुहेंसब उटा बढियाँ चीजसिमे भी भागीदार नैरहैं जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर यहूदी आदमीसिसे कैल्कै रहे। आर तुहेंसब आशा बिहिन आर तुहेंसब यी संसारमे ईश्वर रहित रहते रहैं।


सेल्याके तुहें गैर-यहूदी आदमीसब आब परदेशी नैछैं, मगर विश्वासीसिके संगे तुहेंसब परमेश्वरके आदमीसिके संगे संगी नागरिक आर परमेश्वरके परिवारके सदस्यसब छैं।


तोरासिके मालुम छौ कि एशिया प्रदेशमे रहेवाला विश्वासीसब हमरा अस्वीकार कैल्कै छे, जकरामे फुगेलस आर हर्मोगेनस भी छै।


यी सभे आदमीसब जेसब परमेश्वरपर भरोसा कैल्कै, उटा चीजसब पैले बिना मरि गेलै जकर प्रतिज्ञा परमेश्वर कैल्कै रहे। मगर ऊसब यी बात आपन मनमे देखल्कै आर आनन्दित रहलै आर ऊसब यी बात बुझी गेलै कि ऊसब यी धर्तीमे खाली अन्ठिया आर परदेशी छियै।


हमे, याकूब यी चिट्ठी लिखैछियै। हमे परमेश्वर आर प्रभु येशू ख्रीष्टके सेवक छियै आर सभे देशसिमे छिरियाके रहेल यहूदी विश्वासीसिके जे बारह कुलसिके छै, तोरासिके हमर नमस्कार!


हे प्रिय विश्वासी भ्या-बहिनसब तुहेंसब यी संसारमे परदेशीसब आर यात्रीसिके जुगुर रहैछैं। हमे तोरासिके बिन्ती करैछियौ कि ऊ सभे पापमय इच्छासिसे दूर र, कहिनेकी एरंको इच्छासब आत्माके विरोधमे हमेशा लडैछै।


हमे, सिमोन पत्रुस तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ, हमे येशू ख्रीष्टके सेवक आर चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै। हमे तुहेंसब सभैके लिए लिखैछियौ जेसब आपनसिके जुगुर समान बहुमूल्य विश्वास प्राप्त कैल्कै छे, यी विश्वास आपनसिके परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा अपनासिके देल गेलै छे, जे अपनासिके परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित करैछै।


ऊ हमरा कहैल्कै, “जे कुछु तुहें देखैछैं, ओकरा एकटा किताबमे लिख, आर एकरा एफिसस सहर, स्मुर्ना सहर, पर्गामम सहर, थिआटिरा सहर, सार्डिस सहर, फिलाडेल्फिया सहर आर लाउडिकिया सहरमे भेल सातटा मण्डलीसिके भेज।”


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan