3 परमेश्वरके प्रेम करैके मतलब ओकर आज्ञापालन करना छै आर ओकर आज्ञापालन करना कठिन नैछै।
ऊसब सभे किसिमके नियम कानून बनाबैछै जे पालन करैले आदमीसिके लिए कठिन हैछै। मगर ऊसब खुद ही उटा नियम कानूनसिके पालन करैके कोशिश भी नैकरैछै।
यदि तुहेंसब हमरा प्रेम करैछैं ते हमर आज्ञाके पालन कर्भैं।
अगर हमर आज्ञासिके पालन कर्भैं ते तुहेंसब हमर प्रेममे रहभैं, जेरंके हमे आपन पिताके आज्ञासब पालन कैलियै छे आर ओकर प्रेममे रहैछियै।
यदि तुहेंसब हमर आज्ञापालन करैछैं ते तुहेंसब हमर दोस्त छैं।
ते अपनासब यी कहे सकैछियै कि विधि-विधान पवित्र छै आर आज्ञा भी पवित्र, उचित आर बढियाँ छै।
कहिनेकी हमे हमर पुरा हृदयसे परमेश्वरके विधि-विधानमे आनन्दित रहैछियै।
फेर प्रभु कहैछै, कि जे करार भविष्यमे हमे इस्राएलीसिके संगे बान्हबै, ऊ यी छै, हमे ओकरासिके हमर विधि-विधानके बारेमे सोचैले देबै आर ऊसब ओकरा आपन मनमे राख्तै, हमे ओकरसिके परमेश्वर बन्बै आर ऊसब हमर आदमी हैतै।
यदि अपनासब परमेश्वरके आज्ञापालन करैछियै ते, एक्रहैसे अपनासब मालुम करे सकैछियै कि अपनासब ओकरा चिन्हैछियै।
परमेश्वरके प्रेम करैके सच्चा तरिका परमेश्वरके देल आज्ञा मुताबिक जिना छै। ख्रीष्टके अनुयायी हुऐके समयसे ही तुहेंसब सुन्लहैं छे कि परमेश्वर तोरासिके एक दोसरके प्रेम करैके आज्ञा देल्कौ।