Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 4:4 - केवट नया कारार

4 तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, तुहेंसब परमेश्वरके आदमीसब छैं, आर झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासिपर विजय पाबि लेल्हैं छे। कहिनेकी पवित्र आत्माके शक्ति जे तोरासिमे छौ, उटा शक्ति शैतानके शक्तिसे महान छै, जे यी संसारमे परमेश्वरमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसिपर शासन करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 4:4
28 Iomraidhean Croise  

संसारमे आदमीसिके फैसला करैके लिए परमेश्वरके समय आबी गेलै छे। येशूके द्वारा यी संसारके शासक शैतानके शक्तिके नाश करैके समय ऐल छै।


हमरलगत तोरसिसे बात करैके लिए ढेर समय नैबच्लै छे, कहिनेकी यी संसारके मालिक जे शैतान छै ऊ आबैछौ। हमरपर ओकर कोनो शक्ति नैछै।


आर न्यायके विषयमे सच्चाईके देखैतै, कहिनेकी परमेश्वर पहेला ही यी संसारके मालिक शैतानके दोषी ठहरैल्कै छे।


हमे ओकरासिमे आर तुहें हमरामे रहैछ। अहिने करिके ऊसब पुरा रुपसे एक मनके है। एक्रहैसे तुहें ही हमरा भेज्लह छे आर हमरा प्रेम करै जुगुर तुहें ओक्रहौसिके प्रेम कैलह छे कहिके संसारके आदमीसब जाने सकै।


यी सभे बातके ध्यानमे राखते अपनासब यी नतिजामे पहुँचैछियै कि यदि परमेश्वर आपनसिके संगे छै ते कोय भी अपनासिके हराबे नैसक्तै।


मगर आपनसिसे जे प्रेम कैल्कै छे ओकरद्वारा यी सभे खराब चीजसिमे पुरा तरहसे जित आपनसिके छै।


अपनासब उटा तरिकासे नैसोचैछियै या नैबुझैछियै जेरंके संसारके आदमीसब करैछै, मगर अपनासब ऊ पवित्र आत्मा पैलियै छे जे परमेश्वरके तरफसे छै, ताकी अपनासब ऊ सभे बातसिके जाने सकियै जे परमेश्वर अपनासिके आपन अनुग्रहसे देल्कै छे।


तोरसिमेसे कोय आदमी कहभैं “भोजन शरीरके लिए छै आर शरीर भोजनके लिए छै” यी बात सच छै मगर परमेश्वर आपनसिके शरीर आर भोजन दोनोके नाश कर्तै, शरीर व्यबिचारके लिए नैछै मगर आपनसिके शरीर प्रभुके लिए छै आर ओकर सेवा करैके लिए छै।


यी संसारके देवता शैतान परमेश्वरके नैचिन्हेवाला आदमीसिके बुद्धिके अनराह बन्या देल्कै छे, सेल्याके ऊसब ख्रीष्ट आर ओकर महिमाके विषयमे खुश-खबरीके नैबुझे सकैछै। ख्रीष्ट परमेश्वरके प्रतिरुप छै।


मूर्तिसिके परमेश्वरके मन्दिरमे कोनो जगह नैछै। कहिनेकी अपनासब ते जिन्दा परमेश्वरके मन्दिर छियै, जेरंके परमेश्वर धरमशास्त्रमे कहैल्कै छे, “हमे यी आदमीसिके संगे रहबै आर ओकरसिके बीचमे चलफिर कर्बै, आर हमे ओकरसिके परमेश्वर हैबै आर ऊसब हमर आदमी हैतै।”


उटा समयमे तुहेंसब परमेश्वरके नैचिन्हेवाला यी संसारके आदमीसिके तौर-तरिकामे चल्लहैं। आर तुहेंसब शैतानके आज्ञापालन कर्ते रहैं, जे ब्रम्हाण्डमे भेल भूतसिपर शासन करैछै, जे एखन भी परमेश्वरके आज्ञापालन नैकरेवाला आदमीसिके नियन्त्रण करैके कोशिश करैछै।


ताकी जब तुहेंसब ओकरापर भरोसा कर्भैं, तब ख्रीष्ट तोरसिके हृदयमे रहौ। हमे प्रार्थना करैछियै कि परमेश्वर आर एक-दोसरके लिए तोरसिके प्रेम तोरासिके मजगुत बनाबौ आर तोरासिके गिरैसे बचाबौ।


आब अन्तमे, आत्मिक रुपसे प्रभुके अपार शक्तिसे मजगुत बन।


तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, तुहेंसब कोनो भी प्रकारके खराब काम नैकर कहिके हमे तोरासिके यी लिखैछियौ। अगर कोय आदमी कोनो भी प्रकारके खराब काम कर्बो कर्तै ते, परमेश्वर पिताके संगे आपनसिके खराब कामके माफीके लिए बिन्ती करि दिएवाला एकटा सहायक छै, ऊ आदमी येशू ख्रीष्ट छै, जे पूर्ण रुपसे परमेश्वरके समनामे सही छै।


तुहेंसब जे हमर बाबुके जुगुर छह, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछिहौं, कि जे शुरुहैसे छै तुहेंसब ओकरा चिन्हैछह। हे जवानसब, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछियौ, कि तुहेंसब शैतानके जित्ले छैं। तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, हमे तोरासिके इहे ल्याके लिखैछियौ, कि तुहेंसब परमेश्वर पिताके चिन्हले छैं।


यदि आपनसिके मन अपनासिके दोषी ठहरैतै ते भी अपनासब शान्तिमे रहबै। कहिनेकी अपनासब जानैछियै कि परमेश्वर आपनसिके विवेकसे महान छै आर ऊ सभे कुछु जानैछै।


आर जे परमेश्वरके आज्ञापालन करैछै, ऊ परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछै आर परमेश्वर ओकरसंगे एक भ्याके रहैछै। आर ओकर देल पवित्र आत्माके द्वारा अपनासब जानैछियै, कि ऊ आपनसिके संगे एक भ्याके रहैछै।


एक्रहैसे अपनासब जानैछियै, कि अपनासब ओकरसंगे एक भ्याके रहैछियै आर ऊ आपनसिके संगे एक भ्याके रहैछै। कहिनेकी ऊ आपन पवित्र आत्मासे अपनासिके देल्कै छे।


अपनासिके बढियाँसे मालुम छै आर अपनासब विश्वास करैछियै कि परमेश्वर अपनासिके प्रेम करैछै। परमेश्वर प्रेम छै, आर जेसब प्रेममे रहैछै ऊ परमेश्वरमे एक भ्याके रहैछै, आर परमेश्वर ओकरामे एक भ्याके रहैछै।


मगर अपनासब परमेश्वरके छियै। जे परमेश्वरके चिन्हैछै, ऊ हमरसिके बात सुनैछै मगर जे परमेश्वरसे नैऐलै छे ऊसब हमरसिके बात नैमानैछै। एरंके अपनासब जाने सकैछियै कि कोन सचके आत्मा छै आर कोन झुठके आत्मा छै।


हमेसब जानैछियै, अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै आर सारा संसार ऊ शैतानके अधिनमे छै।


कहिनेकी विजयके लिए ख्रीष्टमे भरोसा राखिके परमेश्वरके हरेक बेटा-बेटीसब यी दुष्ट संसारके पराजित कैल्कै छे। आर अपनासब यी दुष्ट संसारके आपनसिके विश्वासद्वारा पराजय करे सकैछियै।


ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan