१ यूहन्ना 4:1 - केवट नया कारार1 हे प्रिय दोस्तसब, पवित्र आत्माद्वारा बोलैछियै कहिके दाबी करेवाला सभैके विश्वास नैकर, मगर आत्मासब परमेश्वरसे ऐल छै कि नैछै कहिके ओकर जाँच कर। कहिनेकी बहुते झुट्ठा परमेश्वरके वक्तासब यी संसारमे छै। Faic an caibideil |
पवित्र आत्मा एकटा आदमीके चमत्कार करैके लिए शक्ति दैछै, दोसर आदमीके परमेश्वरके सन्देश बोलैके वरदान, आर कक्रहौ ऊ यी क्षमता दैछै उटा वरदानसिके बीचमे फरक बताबैके लिए जे पवित्र आत्माके तरफसे छै आर जे पवित्र आत्माके तरफसे नैछै। एकटा आदमीके ऊ अलग-अलग किसिमके अनजान भाषामे बात करैके क्षमता दैछै, जकर बारेमे ऊसब कहियो अध्ययन भी नैकैल्कै छे, आर दोसर आदमीसिके ऊ क्षमता दैछै यी अनजान भाषाके मतलब बताबैके लिए जकर बारेमे ऊ आदमीसब कहियो अध्ययन नैकैल्कै छे।
जेरंके बहुते पहेला गलत शिक्षासब सिखाबेवाला आदमीसब इस्राएलीसिके बीचमे दिखाई देल्कै रहे, ओहिने करिके ही तोरसिके बीचमे झुट्ठा शिक्षकसब दिखाई देतौ। ऊसब झुट्ठा शिक्षासिके गुप्त रुपसे फैल्या देतौ, जे बात आदमीसिके ख्रीष्टमे विश्वास करैसे रोकी देतै। यी झुट्ठा शिक्षकसब ख्रीष्टके आपन मालिक मानैसे भी इन्कार करि देतै आर जे ओकरासिके पापके शक्तिसे छुटकारा देल्कै छे। एरंके ऊसब अपने आपके अचानक नाश करैतै।
हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै।