4 यदि कोय निरन्तर पाप कर्ते रहैछै ते, ऊ परमेश्वरके विधि-विधानके पालन करैले इन्कार करैछै, कहिनेकी परमेश्वरके विधि-विधानके पालन नैकरना पाप छै।
सेल्याके, जे आदमी यी आज्ञासिमेसे सभैसे छोटका आज्ञाके उलंघन कर्तै आर आदमीसिके ओहिने करैले सिखैतै, परमेश्वरके राज्यमे ऊ सभैसे छोटका कहलैल जैतै। मगर जे आदमी यी आज्ञासब पालन कर्तै आर दोसर आदमीसिके पालन करैले सिखैतै, परमेश्वरके राज्यमे ऊ बडका कहलैल जैतै।
कोय ओकरा थप्पड मार्लके बाद पावल प्रधान पुजारी हननियाके कहैल्कै, “हे ढोंगी! तोरहौ परमेश्वर प्रहार कर्तौ। तुहें विधि-विधानके मुताबिक हमर इन्साफ करैले बैठ्लहैं छे ते फेर कि विधि-विधानके विरुद्ध हमरा मारपिट करैके आज्ञा दैछैं?”
कहिनेकी विधि-विधानके आज्ञापालन करिके कोय भी आदमी परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित नैठहर्तै, इहे ल्याके विधि-विधानसे अपनासब साफसे जानैछियै कि अपनासब पाप कैलियै छे।
परमेश्वर ऊ आदमीसिके प्रति क्रोधित छै जेसब उटा विधि-विधान पुरा तरिकासे आज्ञापालन नैकरैछै। जते विधि-विधान नैहैछै ओत्ते अनाज्ञाकारिता भी नैहैछै।
आर कहीं एरं नैहै कि जब हमे दोबारा तोरसिसे भेट करैले वापस ऐबौ, हमर परमेश्वर हमरा लज्जित बनाबै। आर हमरा बहुते झनके लिए फेर शोक करे पडै, जेसब पहेला पाप कैल्कै रहे, आर आपन कैल अशुद्ध व्यवहार, व्यबिचार, आर भोग-विलासके लिए पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै छे।
आर विश्वासके प्रार्थनाके द्वारा बेमारी आदमी बची जैतै, आर प्रभु ओकरा ठीक कर्तै, आर यदि ऊ पाप भी कैल्कै छे ते परमेश्वर ओकरा माफ कर्तै।
सभे प्रकारके खराब काम जे परमेश्वरके नजरमे सही नैछै से पाप छै, मगर एरंको भी पाप हैछै जे आत्मिक मौतमे नैल्याजैछै।