Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 3:2 - केवट नया कारार

2 हे प्रिय दोस्तसब, आब अपनासब परमेश्वरके बेटाबेटीसब छियै, आर एखनतक यी दिखाई नैदेल्कै छे, कि अपनासब भविष्यमे केरंको हैबै। मगर एतनें जानैछियै कि जब ख्रीष्ट फेर यी संसारमे वापस ऐतै, तब अपनासब ओकरे जुगुर हैबै। कहिनेकी ऊ जेरं छै अपनासब ओकरा ओहिने देख्बै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 3:2
37 Iomraidhean Croise  

धन्य छै शुद्ध हृदय हुएवाला आदमीसब! कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके देख्तै।


हमे, आदमीके बेटा नैसोच्ल समयमे वापस आबेवाला दिनमे भी अहिने हैतै।”


ऊसब फेर नैमर्तै मगर स्वर्गदूतसिके जुगुर हैतै। ऊसब मुर्दासे जिन्दा भेल परमेश्वरके सन्तान हैतै।


मगर जतनें आदमीसब ओकरा स्वीकार कैल्कै आर ओकरामे विश्वास कैल्कै, ओकरासिके ऊ परमेश्वरके सन्तान बनैके अधिकार देल्कै।


मगर खाली ओकरसिके ही नै, ऊ परमेश्वरके आरहौ सन्तानसिके लिए भी मर्तै जे यी संसारमे अलग-अलग जगहमे छिरियैल छै, ताकी ओकरासिके एक जगहमे जमा करे सकै।


हे पिता, हमे चाहैछियै, कि तुहें जकरासिके हमरा देल्ह छे, हमे जते छियै उहोसब हमरसंगे रहै, आर हमर महिमाके देखे सकै, जे महिमा संसारके सृष्टि हुऐसे पहलहैसे तुहें हमरा प्रेम करैके कारणसे देल्ह रहे।


पवित्र आत्मा खुद ही आपनसिके आत्मासे गवाही दैछै कि अपनासब परमेश्वरके सन्तान छियै।


हमरा पक्का मालुम छै, कि जे महिमा परमेश्वर अपनासिके पाछु दिएवाला छै, से उटा तकलीफसे बहुते बडका छै जे अपनासब एखन सहैछियै।


कहिनेकी सृष्टि बडका आशासे परमेश्वर आपन सच्चा सन्तानसिके प्रकट कर्तै कहिके उटा आबेवाला दिनके लिए इन्तजार करैछै।


कहिनेकी जकरा ऊ पहलहैसे चुनल्कै छे, ओकरासिके ऊ पहलहैसे आपन बेटा येशूके स्वरुपमे हुऐके लिए निर्णय कैल्कै, ताकी परमेश्वरके बेटा बहुते भ्यासिमेसे पहेला हैतै।


यी अपनासब विश्वास करेवालासिके संगे भी अहिने छै, कहिनेकी अपनासब एकटा एरंको आदमीके जुगुर छियै जे एकटा खराब ऐनामे चेहरा देखैछै, कहिनेकी अपनासब सभे कुछु स्पष्ट रुपसे नैबुझैछियै। खाली भविष्यमे अपनासब वास्तवमे सभे कुछु बुझी जैबै, कहिनेकी अपनासब परमेश्वरके अमना-समनामे देख्बै। एखन हमर ज्ञान पुरा नैछै मगर भविष्यमे हमे वास्तवमे ओकरा जान्बै, जेरंके परमेश्वर भी हमरा जानैछै।


आर जेरंके परमेश्वर अपनासिके ओरंको शरीर देल्कै, जेरं धर्तीके पहेला आदमीके रहै, ओहिने करिके विश्वासीसिके लगत ख्रीष्टके जुगुर शरीर हैतै, जे विश्वासीसब एखन स्वर्गमे छै।


मगर धरमशास्त्रमे जे बात लिख्ल छै ओकर मतलब यी छै, “नैते कोय कहियो देखल्कै छे, आर नैते कोय कहियो सुनल्कै छे, आर नैते कोय कहियो ऊसब अदभुत चीजसिके बारेमे कल्पना कैल्कै छे, जे परमेश्वर ऊ आदमीसिके लिए तैय्यार कैल्कै छे जेसब ओकरासे प्रेम करैछै।”


मगर अपनासब एकटा ऐनाके जुगुर परमेश्वरके महिमाके एरं चेहरासे देखाबैछियै जकरा कपडा ल्याके झाँप्ल नैछै। परमेश्वर अपनासिके लगातार बढते रहेवाला महिमामे बेसीसे बेसी आपन जुगुर बनाबैछै। यी प्रभुके काम छै, जे पवित्र आत्मा छै।


कहिनेकी हमरसिके समस्या छोटका छै आर बहुते लम्बा समयतक नैरहतै। कहिनेकी एकर परिणाम कहियो खतम नैहुएवाला महिमा हैतै, जे ऊ सभैसे बहुते बेसी हैतै जकर हमेसब कल्पना करे सकैछियै।


तुहेंसब सभेको येशू ख्रीष्टमे बप्तिस्मा लेल्हैं छे आर ख्रीष्टके चरित्रके मुताबिक चलैछैं। सेल्याके तुहेंसब येशू ख्रीष्टमे विश्वास राखैके द्वारा परमेश्वरके सन्तान बनी गेल्हैं छे।


अपनासब ओकर बेटा हुऐके कारणसे परमेश्वर आपन बेटाके आत्मा आपनसिके हृदयमे भेजी देल्कै, जे आत्मा परमेश्वरके “हे अब्बा, पिता!” कहिके पुकारैछै।


ऊ आपन शक्तिके उटा प्रभावके अनुसार जकरद्वारा ऊ सभे चीजके आपन वशमे करे सकैछै, आपनसिके कमजोर मरणशील शरीरके रुपके बदलीके आपन महिमामय शरीरके जुगुर बन्या देतै।


जब ख्रीष्ट, जे तोरासिके सच्चा जीवन दैछै, ऊ जब यी संसारमे फेर वापस ऐतै तब तहुँसब ओकरेसंगे दिखाई देभैं आर ओकर आदरमे सामिल हैभैं।


ओहिने करिके, ख्रीष्ट एक्केबेर अपने आपके बलिदानके रुपमे चढ्या देल्कै ताकी बहुते आदमीसिके पापके दूर करे सकै। आर ऊ दोसर बेर ऐतै, अपने आपके पापके कारण बलिदान चढाबैके लिए नै, बरु ऊ आदमीसिके उद्धार करैके लिए जेसब ओकर इन्तजार करैछै।


उहे शक्तिशाली सामर्थ्यके द्वारा ऊ अपनासिके सभे बहुते बढियाँ आर अदभुद प्रतिज्ञासब देल्कै छे। इहे प्रतिज्ञासब ही संसारके दुष्ट मानव इच्छासिसे बचाबैछै आर ईश्वरीय स्वभावमे सामिल बनाबैछै, जे ख्रीष्टमे विश्वास नैकरेवाला आदमीसब करैले नैचाहैछै।


तुहेंसब जे हमर प्यारा बच्चासिके जुगुर छैं, निरन्तर ख्रीष्टमे एक भ्याके र। ताकी जब ऊ फेर यी संसारमे वापस ऐतै, अपनासिके साहास है आर ओकर फेर वापस आबैके समयमे अपनासिके ओकर आगुमे शर्माबे नैपडै।


हे प्यारा विश्वासी भ्या-बहिनसब, यी एरंको बात नैछै जे तुहेंसब पहेला कहियो नैसुन्लहैं छे, मगर यी एरंको बात छै जे तोरासिके शुरुसे ही मालुम छौ आर अनुसरण भी कैल्हैं छे। यी पुरना आज्ञा उटा वचन छै, जे तुहेंसब ख्रीष्टमे विश्वास करैके समयमे सुन्लहैं रहे।


विचार ते कर कि परमेश्वर पिता अपनासिके केरंको प्रेम कैल्कै छे कि अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटी कहलैल जैयै, आर सच्चे अपनासब ओकर बेटा-बेटी छियै भी। मगर यी संसारके आदमीसब अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै कहिके नैचिन्हैछै कहिनेकी ऊसब परमेश्वर पिताके ही नैचिन्हैछै।


एक्रहैसे परमेश्वरके बेटा-बेटीसब आर शैतानके बेटा-बेटीसब चिन्हल जैछै। ऊ जेसब सही काम करैछै, ऊसब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छै आर ऊ जेसब आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिसे प्रेम नैकरैछै, ऊसब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब नैछै।


हे प्रिय दोस्तसब, यदि आपनसिके मन अपनासिके दोष नैदेल्कै ते परमेश्वरके समनामे अपनासब साहासके साथ प्रार्थना करैके लिए आबे सकैछियै।


येशू ही ख्रीष्ट छै कहिके विश्वास करेवाला सभेको परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छै। जे परमेश्वर पिताके प्रेम करैछै ऊ ओकर बेटा-बेटीसिके भी प्रेम करैछै।


हमे ओकरा आपन जितके देखाबैके लिए भरौवाके तारा देबै।


ऊसब परमेश्वरके अमना-समनामे देख्तै आर परमेश्वरके नाम ओकरसिके कपारमे लिख्ल हैतै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan