Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 2:4 - केवट नया कारार

4 यदि कोय आदमी कहैछै कि हमे परमेश्वरके चिन्हैछियै मगर ऊ आदमी परमेश्वरके आज्ञापालन नैकरैछै ते, ऊ आदमी झुट्ठा छै आर ऊ आदमी परमेश्वरके आज्ञाके मुताबिक नैजियैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 2:4
13 Iomraidhean Croise  

तुहेंसब आपन बाबु शैतानके सन्तान छैं, आर तुहेंसब ओकरे इच्छा पुरा करैले चाहैछैं। ऊ ते शुरुहैसे हत्यारा छै, आर ओकरा सच्चाईसे कुछु लेना देना नैछै, कहिनेकी ओकरामे सच्चाई छैबे नैकरै। ऊ जब झुठ बोलैछै ते ऊ आपन स्वभावके अनुसार ही बोलैछै, कहिनेकी ऊ झुट्ठा छै आर झुठके बाबु छै।


हमे एरं इहे ल्याके कहैछियौ कहिनेकी बहुते आदमीसब सही शिक्षाके विरुद्धमे विद्रोह कर्तै, यानिकी ऊसब जे बकवास बातसब सिखाबैछै आर जेसब दोसर आदमीसिके धोखा दैछै। यी बात खास करिके कुछु यहूदी आदमीसिके विषयमे सच छै, जेसब विश्वासी बनी गेलै छे। खास करिके ऊ आदमीसब एरंको समूहके छै जेसब खतनाके नियमके मुताबिक सभे विश्वासीसिके खतना हुए पडैछै कहिके कहैछै।


यी झुट्ठा शिक्षकसब परमेश्वरके चिन्हैछियै कहिके कहैछै, मगर ऊसब व्यवहारमे साफसे देखाबैछै कि ऊसब परमेश्वरके नैचिन्हैछै। कहिनेकी परमेश्वर ओरंको आदमीसिके घृणा करैछै आर ऊसब कोनो भी बढियाँ काम करैमे असमर्थ हैछै।


यदि अपनासब कहैछियै कि अपनासब पाप नैकैलियै छे ते अपनासब परमेश्वरके झुट्ठा बनाबैछियै आर यी देखाबैछै कि अपनासब एखनतक ओकर वचनके स्वीकारे नैकैलियै छे।


सेल्याके यदि अपनासब यी कहैछियै कि अपनासब परमेश्वरके संगे संगतिमे जुड्ल छियै छै मगर आरहौ भी दुष्ट काम करैछियै ते, अपनासब झुठ बोलैछियै आर सच्चाईके मुताबिक नैजियैछियै।


यदि अपनासब कहैछियै कि अपनासिमे कोनो पाप नैछै ते अपनासब अपने आपके धोखा दैछियै आर अपनासिके उटा सच्चा बात मालुम नैछै जे परमेश्वर प्रकट कैल्कै छे।


यदि अपनासब परमेश्वरके आज्ञापालन करैछियै ते, एक्रहैसे अपनासब मालुम करे सकैछियै कि अपनासब ओकरा चिन्हैछियै।


जे कोय कहैछै कि ऊ उजेतमे जियैछै मगर आपन विश्वासी भ्यासे घृणा करैछै ते ऊ एखनतक दुष्टताके अनहारमे ही जियैछै।


ओकरामे रहेवाला कोय भी निरन्तर पाप कर्ते नैरहैछै। निरन्तर पाप कर्ते रहेवाला कोय भी ख्रीष्ट के छै कहिके नैबुझल्कै छे आर ऊ ख्रीष्टके नैचिन्हैछै।


यदि कोनो आदमी हमे परमेश्वरके प्रेम करैछियै कहैछै, मगर आपन विश्वासी भ्या-बहिनसिके घृणा करैछै ते, ऊ झुट्ठा छै। कहिनेकी ऊ आपन देख्ल विश्वासी भ्या-बहिनके प्रेम नैकरैछै ते जे परमेश्वरके ऊ नैदेखल्कै छे ऊ परमेश्वरके प्रेम करे नैसक्तै।


हे प्रिय दोस्तसब, अपनासब एक-दोसरके निरन्तर प्रेम कर, कहिनेकी प्रेम परमेश्वरसे आबैछै। जे कोय दोसरसे प्रेम करैछै, ऊ परमेश्वरके बेटा-बेटी छै आर ऊ आदमी परमेश्वरके चिन्हैछै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan