Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 2:2 - केवट नया कारार

2 ऊ आपनसिके पापके लिए प्रायश्चित-बलि छै आर खाली आपनसिके लिए नै, मगर संसारके सभे आदमीसिके पापके लिए भी प्रायश्चित-बलि छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 2:2
17 Iomraidhean Croise  

तब नोकर फेर मालिकके कहैल्कै, ‘हे मालिक, जेरं तुहें कहेलह रहे तोर आज्ञा मुताबिक काम भेल छौं, मगर आरहौ जगह खाली छै।’


दोसर दिन यूहन्ना येशूके आपन महर ऐते देखिके कहैल्कै, “देख, संसारके आदमीसिके पापसे छुटकारा दिएवाला परमेश्वरके द्वारा भेज्ल आदमी जे अपने आपके बलि-भेंडाके जुगुर बलिदान कर्तै।


मगर जब हमरा यी धर्तीपर से उठैल जैतै, तब हमे सभे आदमीसिके आपन लगत खिच्बै।”


ऊसब ऊ जनानीके कहैल्कै, “एखन तोर बात सुनिके खाली नै, मगर हमेसब आपनहैं ओकर शिक्षा सुनैके कारणसे विश्वास करैछियै। ऊ सच्चे संसारके उद्धारकर्ता छै कहिके आब हमेसब जान्लियै छे।”


सेल्याके सभे बातमे येशू दोसर विश्वासी भ्या-बहिनसिके जुगुर बनना जरुरी रहै, ताकी ऊ आपनसिके दयालु आर विश्वासयोग्य प्रधान पुजारीके रुपमे परमेश्वरके सेवा करे सकै आर आपनसिके पापसिके माफीके लिए खुदके बलिदान करे सकै।


जब ख्रीष्ट मर्लै ते आपनसिके पापके कारण क्रूसपर ओकर शरीरके सजाय देल गेलै। ऊ एरंको इहे ल्याके कैल्कै, ताकी अपनासब पाप करैले बन्द करि दियै आर धार्मिकतासे जियैले शुरु करि दियै। आर उटा घासिके कारण जे ऊ सहन कैल्कै, अपनासब ठीक भ्या गेलियै छे।


हमे यी कहैछियौ कहिनेकी ख्रीष्ट आपनसिके पापसिके कारण दुःख सहैल्कै आर मरि गेलै। ऊ खाली एकबेर मर्लै आर एकरा दोहराबैके जरुरत नैछै। ऊ एकटा धर्मी आदमी रहै जे पापी आदमीसिके लिए मरि गेलै ताकी परमेश्वरके संगे आपनसिके सम्बन्ध घनिष्ठ हुए सकै। ऊसब ओकर शरीरके मारि देल्कै मगर ओकरा पवित्र आत्माके सामर्थ्यसे फेरसे जिन्दा करि देल गेलै।


मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।


येशू ख्रीष्ट यी संसारमे आपनसिके पाप मेटाबैके लिए ही ऐलै छे आर तुहेंसब जानैछैं कि ऊ कहियो पाप नैकरैछै।


सच्चा प्रेम यी छै: यी आपनसिके द्वारा परमेश्वरके कैल प्रेम नैछै मगर परमेश्वर अपनासिके कैल प्रेम छै। परमेश्वर आपन बेटाके आपनसिके पापके सजायसिके मेटाबैके लिए प्रायश्चितके बलिदानके रुपमे भेजल्कै।


हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे।


हमेसब जानैछियै, अपनासब परमेश्वरके बेटा-बेटीसब छियै आर सारा संसार ऊ शैतानके अधिनमे छै।


इहे ल्याके ऊ विशाल अजगर आर ओकर दूतसिके धर्तीमे फेकि देल गेलै। यी विशाल अजगर उहे छै जे बहुते समय पहेला साँपके रुपमे दिखाई देल्कै रहे, जकरा शैतान या दोष लगाबेवाला भी कहेल जैछै। यी उहे छै जे यी संसारके आदमीसिके धोखा देते ऐलै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan