Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 1:9 - केवट नया कारार

9 यदि अपनासब परमेश्वरके समनामे आपन पाप स्वीकार करि लैछियै ते ऊ आपनसिके पाप माफ कर्तै आर सभे अधर्मसे अपनासिके शुद्ध करैछै, कहिनेकी ऊ सभे दिन जे कहैछै उहे करैछै आर ऊ सभे दिन उहे करैछै जे सही छै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 1:9
37 Iomraidhean Croise  

आर आपन-आपन पाप स्वीकार कर्ते यर्दन लद्दीमे यूहन्नासे बप्तिस्मा लिए लाग्लै।


यहूदिया प्रदेश आर यरूशलेम सहरसे बहुते आदमीसब सुनसान जगहमे यूहन्नाके प्रचार सुनैले ऐलै। जब ऊसब आपन-आपन पापसिके स्वीकार कैल्कै, तब यूहन्ना ओकरासिके यर्दन लद्दीमे बप्तिस्मा देल्कै।


मगर पत्रुस एरं कहिके इन्कार कैल्कै, हे नारी, हमे ओकरा नैचिन्हैछियै।


हे धर्मी पिता! संसारके आदमीसब तोरा नैचिन्हैछौं, मगर हमे तोरा चिन्हैछिहौं, आर तुहें हमरा भेज्लह छे कहिके यी चेलासब जानैछै।


आर जेसब विश्वास कैल्कै रहे, ओकरासिमेसे बहुते आदमीसब खुलिके आपन सभे दुष्ट कामके स्वीकार कैल्कै।


परमेश्वर यी काम कर्तौ कहिनेकी परमेश्वर जे बोलैछै उटा बात करैमे ऊ विश्वासयोग्य छै आर ऊ तोरासिके आपन बेटा, आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके संगे सम्बन्धमे बोलैल्कौ छे।


पहेला तोरासिमेसे कुछु आदमीसब एरं व्यवहार कर्ते रहै, मगर परमेश्वर तोरसिके पापसिके धोय देल्कै छे आर तोरासिके पवित्र बनैल्कौ छे आर प्रभु येशू ख्रीष्टके नामके पुकारा करिके आर आपनसिके परमेश्वरके आत्माद्वारा तुहेंसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल गेल्हैं छे।


सेल्याके मण्डली पवित्र बनैल गेलै। ख्रीष्ट मण्डलीके पवित्र बनाबैके लिए आपन वचनद्वारा आर पानीसे धोयके शुद्ध बनैल्कै।


यी बात सही छै आर एकरापर भरोसा करे सकैछियै कि येशू ख्रीष्ट अपनासब, पापी आदमीसिके बचाबैके लिए यी संसारमे ऐलै, आर ऊ पापी आदमीसिमेसे सभैसे बडका पापी आदमी हम्हीं छियै।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


आपनसिके द्वारा स्वीकार कैल आशाके मजगुतसे पक्डीके राख, कहिनेकी ओकर कैल प्रतिज्ञा पुरा कर्तै कहिके अपनासब परमेश्वरमे विश्वास करे सकैछियै।


विश्वासेद्वारा अब्राहमके पतनी सारा बुढ भेलपर भी गर्भधारण करैके शक्ति प्राप्त कैल्कै। कहिनेकी ओकरा निश्चय रहै कि परमेश्वर उहे कर्तै जकर ऊ प्रतिज्ञा कैल्कै रहे।


जेरं तुहेंसब बढियाँ काम कैल्हैं छे आर एखन भी तुहें परमेश्वरके नाममे परमेश्वरके आदमीसिके लिए प्रेमके साथ सेवाके काम करैछैं, सेल्याके परमेश्वर तोरासिके नै भुल्तौ। कहिनेकी ऊ धर्मी छै।


मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।


ऊसब एकटा एरं गीत गैते रहै, जेरं परमेश्वरके दास मूसा बहुते पहेला गैल्कै रहे। ऊसब येशूके महिमा करैके लिए, जे कि एकटा बलि-भेंडाके जुगुर छै, एरंके गीत गैल्कै, “हे सर्वशक्तिमान प्रभु परमेश्वर, जे कुछु तुहें कैलह छे, उटा महान आर अदभुद छै। तुहें सभे देशके राजा छह। तुहें जे भी करैछ उटा सही आर धर्मी छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan