Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 1:7 - केवट नया कारार

7 मगर जब अपनासब परमेश्वरके उजेतके द्वारा देखैल सही काम करैछियै, ओकर शुद्धताके मुताबिक जेरंके परमेश्वर सभे दिन सही काम करैछै, तब आपनसिके संगति एक दोसरके संगे हैछै आर ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके खून आपनसिके सभे पापसब शुद्ध करैछै।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 1:7
34 Iomraidhean Croise  

हमरसिके पाप माफ कर, जेरंके हमेसब हमरसिके विरुद्धमे पाप करेवालासिके माफ कैलियै छे।


दोसर दिन यूहन्ना येशूके आपन महर ऐते देखिके कहैल्कै, “देख, संसारके आदमीसिके पापसे छुटकारा दिएवाला परमेश्वरके द्वारा भेज्ल आदमी जे अपने आपके बलि-भेंडाके जुगुर बलिदान कर्तै।


येशू ओकरासिके कहैल्कै, “आब कुछु देरतक उजेत तोरसिके बीचमे छौ। जबतक उजेत तोरसिके संगे छौ तबतक आगु बढ्ते र, कहीं एरं नैहौ कि अनहार तोरासिके घेरी लौ। जे अनहारमे चलैछै, ऊ नैजानैछै कि ऊ कते जैछै।


कहिनेकी समय-समयपर परमेश्वरके एकटा स्वर्गदूत कुण्डमे उतरिके पानी हिल्यादै, आर पानी हिल्ते ही जे बेमार आदमी सभैसे पहेला पानीमे ढुकै, ओकरा चाहे कोनो रोग हुवे ऊ ठीक भ्याजै।


यी खराब दुनियाँमे रहैके आपनसिके समय लगभग एकटा रातके जुगुर छै जे लगभग खतम भ्यागेलै छे आर ख्रीष्ट आबैके समय भी नज्दिक ऐल छै। सेल्याके अपनासिके अनहारसे सम्बन्धित सभे काम करैले छोडी देना चाही आर अपनासिके उटा चीजसब कर्ते रहना चाही जे अपनासिके दुष्ट आदमीसिके विरोध करैले सहायता करैछै जेरं कि सिपाही करैछै जे दिनके समय आपन हतियार ल्याके चलैछै।


पहेला तोरासिमेसे कुछु आदमीसब एरं व्यवहार कर्ते रहै, मगर परमेश्वर तोरसिके पापसिके धोय देल्कै छे आर तोरासिके पवित्र बनैल्कौ छे आर प्रभु येशू ख्रीष्टके नामके पुकारा करिके आर आपनसिके परमेश्वरके आत्माद्वारा तुहेंसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित कैल गेल्हैं छे।


ख्रीष्टके खून बहैल जैके कारणसे आपनसिके छुटकारा भेलै छे। यानिकी, आपनसिके पाप माफ कैल गेलै छे। परमेश्वरके अनुग्रह बहुते ही महान छै जे ऊ अपनासिके प्रशस्त करिके देल्कै छे।


तुहेंसब अनहारमे रहेवाला आदमीसिके जुगुर रहैं, मगर आब तुहेंसब उजेतमे रहेवाला आदमीसब छैं कहिनेकी तुहेंसब प्रभुसे सम्बन्धित छैं। सेल्याके उजेतमे रहेवाला आदमीसिके जुगुर काम कर।


खाली उहे छै जे सभे दिन जिन्दा रहैछै आर ऊ एतनें उजेतमे रहैछै कि कोय भी ओकर नज्दिक आबे नैसक्तै। कोय आदमी ओकरा कहियो नैदेखल्कै छे आर नैते कहियो देखे सक्तै। आदर आर शक्ति युग-युगतक ओक्रहै मिल्ते रहै। आमेन।


उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै।


मगर ख्रीष्ट पापरहित रहै, आर ऊ अपने आपके परमेश्वरके लिए एकटा कहियो खतम नैहुएवाला आर आत्मिक बलिदानके रुपमे दान चढ्या देल्कै। इहे कारणसे ओकर खून बहुते बेसी शक्तिशाली छै आर आपनसिके विवेकके शुद्ध बनाबैछै। आब अपनासब जिन्दा परमेश्वरके सेवा करे सकैछियै आर ऊ चीजसिके नैकरैछियै जे मौतके तरफ ल्याजैछै।


कहिनेकी हरेक बढियाँ आर हरेक उत्तम वरदान पिता परमेश्वरसे आबैछै, जे आकाशमे भेल सभे उजेतके सृष्टि कैल्कै छे। परमेश्वर सभे दिन एक समान छै आर ऊ छायाके जुगुर नैबदलैछै।


सेल्याके यी आदमी जकरा हमेसब देख्लियै आर सुन्लियै छे, ऊ उहे व्यक्ति छै जकर बारेमे हमेसब तोरासिके कहैछियौ, ताकी तुहेंसब भी ओकरापर भरोसा राखैके लिए हमरसिके संगे जुडे सक्हैं। कहिनेकी अपनासब खुद भी परमेश्वर आपनसिके पिता आर ओकर बेटा येशू ख्रीष्टके संगे जुड्ल छियै।


मगर जे संदेश अपनासिके येशू ख्रीष्ट कहैल्कै आर जे तोरासिके प्रचार करैछियौ, ऊ इहे छै कि परमेश्वर उजेतके जुगुर बढियाँ आर शुद्ध छै आर ओकरामे अनहारके जुगुर एक्कोरति दुष्टता नैछै।


ऊ येशू ख्रीष्ट छै, जकरा परमेश्वर यी संसारमे भेजल्कै, जे पानीसे बप्तिस्मा लेल्कै आर पाछु जब ऊ मर्लै ओकर खून बहलै। ऊ खाली बप्तिस्मा लियैके लिए नैऐलै मगर क्रूसमे आपन खून बहयाके मरैके लिए भी ऐलै। आर पवित्र आत्मा गवाही दैछै कि येशू ख्रीष्ट परमेश्वरसे ऐलै छे आर पवित्र आत्मा जहिया भी सच बोलैछै।


हमरासिके सच मालुम छै, कहिनेकी पवित्र आत्मा आपनसिके संगे बोलैछै आर येशू यूहन्नाके द्वारा बप्तिस्मा लेल्कै, ऊ मर्लै आर ओकर खून क्रूसमे बहलै। यी तीनोटा बात एक्केटा बातके गवाही दैछै।


तोर बेटा-बेटीसिमेसे कक्रहौ-कक्रहौ जे आज्ञा अपनासिके परमेश्वर पिताके तरफसे मिल्लै रहे उटा सच्चाईमे चल्ल देखिके हमरा बहुते खुशी लाग्ल छै।


जब हमे सुनैछियै कि जेसब हमर बेटाबेटीसिके जुगुर छै ऊसब परमेश्वरके सच्चाईके मुताबिक जियैछै, तब उटा बात हमरा आरहौ बेसी खुशी बनाबैछै।


आर येशू ख्रीष्टके तरफसे जकर वचनपर भरोसा कैल ज्या सकैछै। उहे ही छै जे मुर्दासे फेरसे जिन्दा भेलै आर ऊ यी संसारके सभे राजासिके शासक छै। ऊ आपनसिसे प्रेम करैछै आर ऊ आपन खून बहयाके अपनासिके आपनसिके पापसिसे बचाबैछै। ऊ अपनासिके एरंको समूहके आदमी बन्या देल्कै छे, जकर परमेश्वर ओकरसिके राजा छै आर ऊ अपनासिके परमेश्वर ओकर पिताके लिए पुजारी बन्या देल्कै छे। ओकरा आदर आर अधिकार सभे दिन आर हर समय मिल्ते रहै। आमेन।


ऊसब शैतानपर जित हासिल कैल्कै छे। ऊसब ओकरा बलि-भेंडाके खूनके शक्तिसे हरैल्कै छे, जे ओकरासिके ओकरसिके पापसिसे छुटकारा दिलाबैके लिए मरि गेलै रहे। ऊसब ओकरा हरया देल्कै कहिनेकी ऊसब यी स्वीकार कर्ते रहलै कि बलि-भेंडा ओकरसिके परमेश्वर रहै। जब कि ओकरासिके सतैल गेलै एत्तेतक कि जान मारि देल गेलै, मगर ऊसब आपन स्वीकारसे पाछु नैहट्लै।


तब हमे ओकरा कहैलियै, “हे हौ सरकार, हमे नैजानैछियै मगर तुहें जानैछ।” ऊ हमरा कहैल्कै, “यीसब ऊ आदमीसब छै जेसब महाकष्टके अनुभव कैल्कै छे। यीसब आपन कपडाके बलि-भेंडाके खूनसे धोय लेल्कै छे आर आब ऊसब उजरा भ्यागेलै छे, एकर मतलब यी छै कि ओकरसिके पापसिके मेट्या देल गेलै छे।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan