6 सेल्याके यदि अपनासब यी कहैछियै कि अपनासब परमेश्वरके संगे संगतिमे जुड्ल छियै छै मगर आरहौ भी दुष्ट काम करैछियै ते, अपनासब झुठ बोलैछियै आर सच्चाईके मुताबिक नैजियैछियै।
उटा दिन बहुते आदमीसब हमरा एरं कहतै, ‘प्रभु, हे प्रभु, कि हमेसब तोर नामके अधिकारसे परमेश्वरके तरफसे नै बोल्लियै? कि तोर नामके अधिकारसे भूतसब नैभगैलियै? आर कि तोर नामके अधिकारसे अनेक शक्तिशाली काम नैकैलिहौं?’
जब येशू फेर आदमीसिसे बात कर्ते रहै, तब ऊ कहैल्कै, “हमे संसारके उजेत छियै। जे कोय हमर पाछु चल्तै, ऊ अनहारमे कहियो नैचल्तै, मगर उटा उजेतके पैतै जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।”
झुट्ठा शिक्षकसब छल-कपट करेवाला हैछै। जेरंके गरम लुहासे झरकलके बाद चमडा बोद्र भ्याजैछै, ओहिने करिके ओकरासिके महसुस नैहैछै कि ऊसब सही करैछै कि गलत करैछै।
हे हमर विश्वासी भ्या-बहिनसब, यदि कोनो आदमी कहैछै कि ओकरा प्रभु येशू ख्रीष्टमे विश्वास छै, मगर ऊ बढियाँ काम नैकरैछै ते एकरासे कि फैदा? कि एरंको विश्वास कहियो ओकरा बचाबे सकैछै?
मगर यदि कोय कहे सकैछै, “तुहें येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैछैं, आर हमे बढियाँ कामसब करैछियै।” मगर हमे कहैछियौ कि काम बिनाके तोर विश्वास हमरा साबित कर आर हमे आपन विश्वास आपन बढियाँ कामके द्वारा तोरा देखैबौ।