जब येशू फेर आदमीसिसे बात कर्ते रहै, तब ऊ कहैल्कै, “हमे संसारके उजेत छियै। जे कोय हमर पाछु चल्तै, ऊ अनहारमे कहियो नैचल्तै, मगर उटा उजेतके पैतै जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै।”
जे शिक्षा हमे तोरासिके देलियौ रहे, यी उहे शिक्षा छै जे हमे प्रभुसे पैलियै रहे। कि प्रभु येशू जे रात गिरफ्तार करवैल गेलै, उटा रातमे प्रभु येशू रोटी लेल्कै,
कहिनेकी हरेक बढियाँ आर हरेक उत्तम वरदान पिता परमेश्वरसे आबैछै, जे आकाशमे भेल सभे उजेतके सृष्टि कैल्कै छे। परमेश्वर सभे दिन एक समान छै आर ऊ छायाके जुगुर नैबदलैछै।
आर ओत्ते कहियो भी रात नैहैतै। जे आदमीसब ओत्ते रहैछै, ओकरासिके आपन रस्तामे उजेत करैके लिए चिरागके कोनो भी जरुरत नैछै। आर नैते ओकरासिके उजेत दियैके लिए सुरुजके जरुरत छै, कहिनेकी परमेश्वर ही छै, जे आदमीसिके लिए उजेत दैछै। आर यी आदमीसब जेसब ओत्ते रहैछै ऊसब सभे दिनके लिए राज्य कर्तै।