Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -




१ यूहन्ना 1:2 - केवट नया कारार

2 परमेश्वर आदमीसिके, उटा आदमीके देखैल्कै छे जे वास्तविक जीवन दैछै आर हमेसब ओकरा देख्लियै। सेल्याके हमेसब तोरासिके सच्चा बात बताबैछियौ। हमेसब तोरासिके कहैछियौ कि जे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछै ऊ सभे दिनके लिए रहैछै। बहुते समय पहेलासे ऊ परमेश्वर पिताके संगमे रहै मगर आब परमेश्वर ओकरा अपनासिके देखैल्कै छे।

Faic an caibideil Dèan lethbhreac




१ यूहन्ना 1:2
37 Iomraidhean Croise  

परमेश्वरके कोय भी कहियो नैदेखल्कै छे। मगर परमेश्वरके एकलौता बेटा येशू ख्रीष्ट, जे खुद ही परमेश्वर छै, खाली उहे परमेश्वरके देखल्कै छे।


ऊ सभे जीवनके स्रोत छै, आर ऊ उहे छै जे सभे आदमीसिके उजेत दैछै।


ओकरासिके हमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दैछियै, आर ऊसब कहियो नाश नैहैतै, आर कोय ओकरासिके हमर लगतसे हमला करिके छिनिके नैलजाबे सक्तै।


येशू ओकरा कहैल्कै, “रस्ता, सच, आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन हम्हीं छियै। हमर बिना कोय भी परमेश्वर पिताके लगत नै ज्या सक्तै।


आर तुहेंसब संसारके हमर बारेमे बतैभैं, कहिनेकी तुहेंसब शुरुआतसे हमरसंगे छैं।”


हमे परमेश्वर पिताके लगतसे संसारमे ऐलियै छे, आब फेर हमे संसारके छोडिके परमेश्वर पिताके लगत जैछियै।”


कहियो खतम नैहुएवाला जीवन यी छै, कि आदमीसब तोरा चिन्हे सकै, यानिकी खाली एक्केटा सच्चा परमेश्वरके आर ऊसब हमरा चिन्हे सकै कि तुहें हमरा, येशू ख्रीष्टके भेज्लह छे।


आब हे पिता, आब तोर उपस्थितिमे हमर महिमा कर, उहे महिमा जे संसारके सृष्टिसे पहेला हमरलगत तोरसंगे रहैके समयमे रहै।”


जे आदमी यीसब देखल्कै, ऊ गवाही देल्कै छे, ताकी तुहें भी येशूपर विश्वास करे सक्हैं। आर ओकर गवाही सच छै। आर ऊ जानैछै कि ऊ सच्चाईसे बोलैछै।


मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद येशू चेलासिके लगत प्रकट भेल यी तेसर बेर रहै।


कोय भी स्वर्गमे नैगेलै छे, मगर खाली हमे, आदमीके बेटा स्वर्गसे निच्चा ऐलियै छे।


मगर हमे ओकरा चिन्हैछियै, कहिनेकी हमे ओकरे तरफसे ऐलियै छे, आर उहे हमरा भेजल्कै छे।”


हमे उटा बातसब बताबैछियौ जेटा हमे देख्लियै जब हमे आपन पिता परमेश्वरके साथमे रहियै, आर तुहेंसब उहे करैछैं जे तुहेंसब आपन बाबुसे सुन्लहैं छे।”


सभे आदमीसब ओकरा नैदेखल्कै मगर परमेश्वर हमरासिके यानिकी चुन्ल आर भेज्ल चेलासिके शुरुसे ही चुनल्कै, ऊ मुर्दासे जिन्दा भेलके बाद हमेसब ओकरसंगे खैलियै पिलियै।


इहे येशूके परमेश्वर जिन्दा कैल्कै, आर यी बातके हमेसब गवाह छियै।


आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन दिएवाला स्रोतके तुहेंसब मार्लह जकरा परमेश्वर मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै, हमेसब यी बातके गवाह छियै।


यी सभे बातके हमेसब गवाही छियै, आर परमेश्वर आपन आज्ञापालन करेवालासिके देल पवित्र आत्मा भी यी बातके गवाही दैछै।”


जे काम मूसाके विधि-विधान नैकरे सकल्कै, उटा काम परमेश्वर कैल्कै, कहिनेकी आपनसिके पापी स्वभाव मूसाके विधि-विधानके कमजोर बनैल्कै रहे। ऊ आपन बेटाके पापके बलिदान हुऐके लिए आपनसिके जुगुर शरीरमे भेजल्कै। एरंके ऊ मानव शरीरमे पापके न्याय कैल्कै।


मगर जब परमेश्वरके तय कैल समय ऐलै, परमेश्वर खुद आपन बेटाके यी संसारमे भेजल्कै, आर ऊ एकटा आदमीके रुपमे जनम लेल्कै। ऊ एकटा यहूदी आदमीके रुपमे जनम लेल्कै रहे आर मूसाके विधि-विधानके अनुसरण कर्ते रहै।


बिना कोनो शंकाके, हमेसब कहे सकैछियै कि परमेश्वरद्वारा प्रकट कैल शिक्षासब पुरा रुपसे सच्चा छै, यानिकी येशू ख्रीष्ट आदमीके रुपमे ऐलै, ऊ पवित्र आत्माद्वारा परमेश्वरके बेटा साबित भेलै, स्वर्गदूतसब ओकरा देखल्कै, ऊ स्वर्गके महिमामे लजैल गेलै, आदमीसब ओकर बारेमे जात-जातके आदमीसिमे प्रचार कैल्कै, आर संसारके बहुते आदमीसब ओकरापर विश्वास कैल्कै।


परमेश्वर आपन बेटा उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्टके द्वारा आपन अनुग्रह देखैल्कै छे। ऊ मौतके शक्तिके नाश करिदेल्कै छे, आर खुश-खबरीके द्वारा कहियो खतम नैहुएवाला जीवनके रस्ता छै कहिके देखैल्कै छे।


नतिजा स्वरुप, ऊसब परमेश्वरसंगे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन जियैके आशा करैछै कहिनेकी कहियो झुठ नैबोलेवाला परमेश्वर यी संसारके सृष्टि करैसे पहेला ही यी प्रतिज्ञा कैल्कै कि ओकर आदमीसब सभे दिन जितै।


कुछु एरं बातसब छै जे हमे ओत्ते भेल मण्डलीके अगुवासिके कहैले चाहैछियै कहिनेकी हमे भी तोरसिके जुगुर एकटा मण्डलीके रेख-देख करेवाला छियै। हमे खुद उटा दुःखसिके देख्लियै छे जे बहुते समय पहेला ख्रीष्ट सहैल्कै। जब ऊ फेर वापस ऐतै ते, हमे भी ओकर महिमामे सामिल हैबै। आब हमे तोरासिके आग्रह करैछियौ,


हमे यी चिट्ठी तोरासिके ओकर विषयमे लिखैछियौ जे आदमीसिके लिए परमेश्वरके सन्देश छै आर आदमीसिके वास्तविक जीवन दैछै। ऊ संसारके सृष्टि हुऐसे पहेलासे ही रहै, मगर आब हमेसब आपनहैंसे ओकरा सुन्लियै छे आर हमेसब ओकरा आपन आँखसे देख्लियै छे, हमेसब ओकरा बडा ध्यानसे देख्लियै छे आर हमरसिके हातसे ओकरा छुलियै छे।


आर परमेश्वर अपनासिके यी वादा कैल्कै छे कि ऊ अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।


येशू ख्रीष्ट यी संसारमे आपनसिके पाप मेटाबैके लिए ही ऐलै छे आर तुहेंसब जानैछैं कि ऊ कहियो पाप नैकरैछै।


जे आदमी निरन्तर पाप करैछै ऊ शैतानके आदमी छै। कहिनेकी शैतान ते शुरुहैसे पाप कर्ते ऐलै छे। शैतानके कामके नाश करैके लिए ही परमेश्वरके बेटा ऐलै छे।


हमेसब परमेश्वरके बेटाके देख्लियै छे आर गवाही दैछियै, कि परमेश्वर पिता आपन बेटाके संसारके आदमीसिके लिए उद्धारकर्ता हुऐले भेजल्कै छे।


परमेश्वरके आत्माके तुहेंसब एरंके चिन्हे सकैछैं। हरेक आत्मा जे येशू ख्रीष्ट आदमी बनिके ऐलै कहिके कहैछै से आत्मा परमेश्वरके तरफसे छै।


आर ऊ गवाही यी छै, कि परमेश्वर अपनासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देल्कै, आर अपनासब यी कहियो खतम नैहुएवाला जीवन परमेश्वरके बेटा येशूके द्वारा पैलियै छे।


हमे तोरासिके यी चिट्ठी लिखैछियौ जेसब परमेश्वरके बेटाके अधिकारमे विश्वास करैछैं ताकी तुहेंसब यी जान्हैं कि तोरासिमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै।


आर हमेसब यी भी जानैछियै कि परमेश्वरके बेटा, येशू ख्रीष्ट यी संसारमे ऐलै छे। अपनासब ऊ सच्चा परमेश्वरके चिन्हे सकियै कहिके ऊ अपनासिके समझ देल्कै छे। अपनासब सच्चा परमेश्वरके संगे एक भ्याके रहैछियै कहिनेकी अपनासब ओकर बेटा, येशू ख्रीष्टके संगे एक भ्याके रहैछियै। सच्चा परमेश्वर आर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन इहे छै।


Lean sinn:

Sanasan


Sanasan