Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

रोमी 10 - मध्‍य पुरविया थारू


येसुमे बिस्‍बास करैबला धरमी ठहरैछै

1 हे हमर भाइ-भैयासब, इजराएलीसब मुक्‍ती पाबे कैहके हमर भितरी चाहना छै। तैल्‍याके हम अकरासबके लेल परमेस्‍वरसे परथना करैचियै।

2 उसब परमेस्‍वरके भितरी हिरदयसे जोसके साथ सेबा करैले चाहैछै, से बात हम कहैचियौ। महज कनङके सेबा करतै से बात उसब जान्‍बे नै करैछै।

3 कथिलेत परमेस्‍वर लोकसबके आपन अगा धरमी ठहराबैबला तरिकाके उसब जान्‍बे नै करैछेलै, तैल्‍याके उसब धरमी ठहराबैबला तरिकाके असुइकार करल्‍कै। उसब आपने तरिकासे परमेस्‍वरके अगा धरमी ठहरैले ताकल्‍कै।

4 कथिलेत येसु खिरिस्‍ट बेबस्‍थाके पुरा करल्‍कै। आब जेसब ओकरमे बिस्‍बास करतै, उसब परमेस्‍वरके नजरमे धरमी ठहरतै।


मुक्‍ती सबके लेल

5 बेबस्‍था पालन कैरके धरमी हैके बारेमे मोसा एहेन लिखने छै, “जे बेबस्‍थामे लिखल बात पालन करैछै, उ तहैसे असल जिबन जियैछै।”

6 महज बिस्‍बास दुवारा परमेस्‍वरके अगा धरमी ठहरैबलाके बारेमे पबितर धरमसास्‍तर एहेन कहैछै, “मन-मने एहैन नै कह, खिरिस्‍टके अपनासब लग निचा लाबैले उपर स्‍वरग के जेतै?”

7 या मन-मने एहनो नै कह, “खिरिस्‍टके अपनासब लग उपर लाबैले निचा पतालमे के जेतै?”

8 पबितर धरमसास्‍तर कहैछै, “मुक्‍तीके बचन तोरासबके लगेमे छौ। यि तोरासबके मुह आ हिरदयमे छौ।” अपनासबके बिस्‍बासके बारेमे परचार करल सुसमाचार अह्‍या चियै।

9 यदि तु येसुके हमर परभु चियै कैहके आपन मुहसे सुइकार करबिही आ परमेस्‍वर ओकरा मरलसे जिबित करल्‍कै कैहके आपन हिरदयमे बिस्‍बास करबिही त तोहर उधार हेतौ।

10 कथिलेत लोक आपन हिरदयसे बिस्‍बास कैरके परमेस्‍वरके अगा धरमी ठहरैछै आ बिस्‍बास करल बात आपन मुहसे सुइकार कैरके उधार पाबैछै।

11 कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, “ओकरमे बिस्‍बास करैबला कहियो लाजमे नै परतै।”

12 यहुदी आ गैर-यहुदी जातीमे कोनो फरक नै छै। उसबके एके परभु चियै आ ओकरा पुकारैबलासबके उ परसस्‍त कैरके आसिस दैछै।

13 कथिलेत पबितर धरमसास्‍तरमे एहेन लिखल छै, “परभुके नाम पुकारैबला सबकोइ उधार पाबतै।”

14 महज जे ओकरमे बिस्‍बासे नै करने छै, उ कनङके ओकरा पुकारतै? जकर बारेमे सुन्‍बे नै करने छै, तकरमे कनङके बिस्‍बास करतै? ओकर बारेमे कोइ परचार नै करतै त कनङके सुन्‍तै?

15 सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्‍दर!”

16 महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्‍कै, कथिलेत यसैया अगमबक्‍ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्‍बास करने छै से?”

17 बिस्‍बास सुनाइसे आबैछै आ सुनाइ त खिरिस्‍टके परचारसे आबैछै।

18 ओनङ छै त, “तब कि उसब सुसमाचार नै सुन्‍नेछै से?” उसब साँचोके सुन्‍नेछै। परबितर धरमसास्‍तरमे एहन लिखलछै, “ओइसबके सुसमाचार पिरथिबीके सब ठाममे पुगलछै आ ओइसबके सन्‍देस सन्‍सारके कोना-कोनातक पुगलछै।”

19 तनङ छै त कि इजराएलीसब यि सुसमाचार नै बुझल्‍कै? उसब बुझैले त बुझल्‍कै महज नै टेरल्‍कै। परमेस्‍वर पहिने मोसा मारफत कहने छेलै, “गैर-यहुदीसबके परेम करल देखके तुसब डाह करबिही। हमरा नै चिन्‍हैबला लोकसबके परेम करल देखके तोरासबके रिस उठतौ।”

20 तब यसैया अगमबक्‍ता साहसके साथ परमेस्‍वरके बचन कहल्‍कै, “जे हमरा खोज्‍बे नै करल्‍कै, उसब हमरा भेटाइल्‍कै, जे हमर बारेमे पुछबे नै करल्‍कै, ओइसबके अगा हम आपने परगट भेलियै।”

21 महज इजराएलके बारेमे उ कहल्‍कै, “हमर बात नै मानैबला आ हमर बिरोध करैबलासब हमरलग घुइमके एतै कि कैहके हम दिनभैर आपन हाथ पसारने चियै।”

© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

Wycliffe Bible Translators, Inc.
Lean sinn:



Sanasan