परकास 12 - मध्य पुरविया थारूजनि आ अजेगर 1 तकरबाद अकासमे एकटा अचमके बरका चेन्हा देखा परलै। एकटा जनि देखा परलै, जे सुरुज पिन्हने छेलै, जकर टाङके निचामे चान आ मुरमे बारहटा तराके मुकुट लगेने छेलै। 2 ओकर देह भारी छेलै तब ओकरा बच्चा जल्मैबला समय भेल छेलै आ उ जलमासोचके पिरासे चिचयाबैतरहै। 3 तकरबाद अकासमे औरो एकटा अचमके चेन्हा देखा परलै, ओकर सातटा मुर आ दसटा सिङ भेल्हा एकटा बरका लाल अजेगर छेलै। ओकर सातटा मुरमे सातटा मुकुट रहै। 4 ओकर नङरिसे स्वरगके एक तिहाइ तरासबके बरहाइरके पिरथिबीमे फेक देल्कै। तब जलमेलागल बच्चा जलमैत मातर खाइके लेल जलम दैबाली जनीके अगा उ अजेगर ठारभेल छेलै। 5 वह्या जनि सारा जातीके लोहाके डन्टासे सासन करैले एकटा बेटा जलमेल्कै। ओकर बेटाके उठाके परमेस्वर आपनलग आ आपने सिंहासनमे ल्यागेलै। 6 तब ओकर माँ उजार जगह दिसन भाग्लै, जते एक हजार दुइ सय साइठ दिन तलिक ओकरा पालन-पोसन करैले परमेस्वर ठाम तयार करने छेलै। 7 तकरबाद स्वरगमे लराइ सुरु भेलै। मिखाएल आ ओकर औरो स्वरगदुतसब उ अजेगर सङे लराइ करल्कै। तब ओइ अजेगर आ ओकर दुतोसब ओइसबके बिरोधमे लराइ करल्कै। 8 अजेगर आ ओकर दुतसब हारलै आ स्वरगमे अकरासबके रहैले नै देल्कै। 9 अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै। 10 तब हम स्वरगमे एहेन कहैत एकटा बरका अबाज सुनलियै, “आबसे अपनासबके परमेस्वर उधार करल्कै आ उ आपन राजकिय सक्ती देखेल्कै। आब ओकर खिरिस्ट अधिकार देखाइने छौ। आब अपनासबके भाइ-भैयासब दिन-रात परमेस्वरके अगा दोख लगाइबला सैतान स्वरगसे निकाइलके फेक देल्कै। 11 थुमाके लहुसे, ओकरासबके घोसना करल सत बचनसे आ जान तलिक दैले उसब तैयार भेलाके कारन अपनासबके भाइ-भैयासब ओकरा जितनेछै। 12 तै खातिर स्वरग आ ओते रहैबलासब आनन्द मना! महज पिरथिबी आ समुन्दरमे कतहेक दुख हेतौ! कथिलेत तोरासबके बिचमे सैतान करोधके साथ उतैरके एलछौ, आ ओकर समय ओराइले लागलछै से ओकरा मालुम छै।” 13 तब उ अजेगर आपनके पिरथिबीमे फेकल चियै से बात थाह पाइबके बेटा जलमाइबाली जनिके खिहारैले लाग्लै। 14 अजेगरसे बचैले उ जनीके उजार जगहमे जाइके लेल गरुरके दुइटा डेन देनेछेलै। ओते ओकर खातिर सारहे तिन बरिस तलिक पालन-पोसन करलजेतै। 15 ओइ जनिके बाढ बहाके ल्याजेतै सोइचके अजेगर आपन मुहसे लदी जखा पानी निकालल्कै। 16 तब ओइ जनिके बचाइले पिरथिबी आपन मुह बाइबके उ अजेगरके बहाएल पानी घोइटलेल्कै। 17 तब उ अजेगर ओइ जनीसङे औरो खिस्याइलै आ ओकर सन्तान, परमेस्वरके आग्या मानैबलासब आ येसुके साक्छी दैबलासब सङे लराइ करे गेलै। 18 तब उ अजेगर समुन्दरके कातमे ठार भेलै। |
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.
Wycliffe Bible Translators, Inc.