मतीके लिखल सुसमाचार 9 - मध्य पुरविया थारूयेसु लकबा मारल लोकके निक करल्कै ( मरकुस २:१-१२ , लुका ५:१७-२६ ) 1 तकरबाद येसु नाहमे चहैरके तालके दोसरकात उ आपने सहरमे घुइमके एलै। 2 तब कुछ लोकसब झोलङामे बोइकके एकटा लकबा मारल लोकके येसु लग आनल्कै जे बिछोनासे उठे नै सकैछेलै। येसु ओइसबके बिस्बास देखके लकबा मारल लोकके कहल्कै, “बेटा, साहस कर। तोहर पाप छमा भेल छौ।” 3 येसुके कहल यि बात सुइनके किछ धरमगुरुसब मनेमन सोचे लाग्लै, “यि लोक त परमेस्वरके निन्दा करैछै।” 4 येसु ओइसबके मनके बात जाइनके कहल्कै, “तुसब आपन मनमे कथिले अधलाह बात सोचैचिही? 5 आब कह त हम यि लोकके, ‘तोहर पाप छमा भेलौ’ कि ‘उइठके चल’ कहैमे कोन असान हेतौ? 6 महज मानबके बेटाके पिरथिबीमे पाप छमा करैके अधिकार छै, से तुसब जान।” तकरबाद उ लकबा मारल लोकके कहल्कै, “उठ, तोहर बोरिया-बिस्तर बोक आ घर जो।” 7 तब उ उठलै आ आपन घर दिसन गेलै। 8 जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै। मतीके बोलाबट ( मरकुस २:१३-१७ , लुका ५:२७-३२ ) 9 येसु ओतेसे जाइत खिना एक गोरा बटी उठाइबला मती नाम भेल लोकके बटी उठाइबलाके अडामे बैठल देखल्कै आ येसु ओकरा कहल्कै, “हमर पछा लाग।” तब उ उइठके ओकर पछा लाग्लै। 10 जब येसु मतीके घरमे खाइले बैठलै तब बहौत गोरा बटी उठाइबलासब आ पापीसब आइबके येसु आ ओकर चेलासबसङे खाइले बैठलै। 11 यि देखके फरिसीसब येसुके चेलासबके कहल्कै, “तोरौरके गुरु बटी उठाइबलासब आ पापीसबसङे कथिले खाइछौ?” 12 यि बात सुइनके येसु ओइसबके कहल्कै, “निरोगीसबके बैधके जरुरत नै परैछै, महज रोगीसबके परैछै। 13 तुसब परभुके कहल बातके अरथ ज्याके सिख, ‘हम बैल भोग नै महज दया चाहैचियौ।’ कथिलेत हम धरमीसबके नै, महज पापीसबके बोलाइले एलचियौ।” उपासके सबाल ( मरकुस २:१८-२२ , लुका ५:३३-३९ ) 14 तब बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके चेलासब येसु लग एलै आ ओकरा पुछल्कै, “हमसब आ फरिसीसब बेरबेर उपास बैठैचियै, महज अहाँके चेलासब कथिले नै उपास बैठैये?” 15 तब येसु जबाब देल्कै, “जाबेतक बर, बरियातीसङे रहैछै, कि उसब सोक मनाइछै? महज उ दिन एतै जहिया बर ओइसबके बिचसे अलग हेतै तब उसब उपास बैठतै। 16 “कोइ पुरना बस्तरमे लबका ढप्पा नै लगाइछै। कथिलेत लबका ढप्पा पुरना बस्तरके घोकच्याके पहिन्कोसे बेसी फाइरदैछै। 17 कोइ पुरना छलाके थैलीमे लबका अङगुरके मध नै राखैछै, यदी राख्तै त थैली फुइटजेतै आ मध बैहजेतै। तै खातिर लबका अङगुरके मध लबके छलाके थैलीमे राखे परैछै, तब मध आ थैली दुनु जोगल जाइछै।” याइरसके बेटी ( मरकुस ५:२१-४२ , लुका ८:४०-५६ ) 18 जब येसु ओइसबके यि बात सुनाइछेलै, तब अचानक सभाघरके एक गोरा सासक एलै आ ठेङहुनिया दैत ओकरा कहल्कै, “हमर बेटी अखुन तुरन्ते मैर गेलै, महज अहाँ चलु आपन हाथ ओकर उपरमे राइखदेबै त उ जिबित भ्याजेतै।” 19 येसु उठलै आ आपन चेलासबसङे ओकर पछा पछा गेलै। 20 तहै बखत बारह बरिससे खुन खसैबाला रोग लागल एकटा जनी पछासे आइबके ओकर बस्तरके खुँट छुवल्कै। 21 कथिलेत उ आपन मनेमन सोच्ने छेलै, “हम ओकर बस्तर मातरे छुब्बै त हम निक भ्याजेबै।” 22 तब ठामे घुइमके येसु ताकल्कै त ओइ जनिके देखल्कै आ कहल्कै, “बेटी, साहस कर, तोहर बिस्बास तोरा निक करल्कौ।” उ जनी तखुन्ते निक भ्यागेलै। 23 जब येसु सासकके घरमे पुग्लै, तब बौसली बजाइबलासब आ औरो लोकसबके कना-रोहट करैत देखल्कै। 24 येसु ओइसबके कहल्कै, “हट, हट बाहर जो, कथिलेत छौरी मरल नै छै, महज सुतल छै।” ओकरे बातके उसब हसी उरेल्कै। 25 महज लोकसबके बाहर निकाइलके उ आपने भितर ढुक्लै आ ओइ छौरीके हाथ पकैरके उठाइल्कै त उ खुरखुराके उठलै। 26 तब यि बात चारु इलाका दिसना फैलगेलै। येसु दुइ गोरा अन्हरा लोकके निक करल्कै 27 येसु ओतेसे जाइत खिना दुइ गोरा अन्हर लोकसब पछुवाइत जोरसे कहल्कै, “हौ दाउद रजाके बेटा, हमरासबके उपर दया करु।” 28 येसु घर भितर ढुक्लै त अन्हरो लोकसब ओकरलग एलै। येसु ओकरासबके पुछल्कै, “कि हम यि काम करे सक्बै से तोरासबके बिस्बास छौ?” उसब जबाब दैत कहल्कै, जी, “छै परभु।” 29 तब येसु ओइसबके आँख छुबैत कहल्कै, “जैहनङ तोरासबके बिस्बास छौ, तैहनङ तोरासबके खातिर हेबे।” 30 अतहेक कहैत मातर ओकरौरके आँख खुइलगेलै। तब येसु एहेन कैहके ओइसबके करा आग्या दैत कहल्कै, “याद राख, यि बात ककरो नै कैहये।” 31 महज उसब ओतेसे निकलैत मातर ओकर सब करल कामके बातसब पुरे इलाकामे फैलादेल्कै। 32 जब उसब निकैलके जाइतरहै, तब एकटा भुत लागल बौक लोकके येसु लग आनल्कै। 33 भुत आत्मा ओकर देहसे निकैलगेलाके बाद उ बौक लोक बाजे लाग्लै। यि देखके लोकसब आस्चरजचकित भेलै आ कहेलाग्लै कि “इजराएलमे एहेन बात कहियो नै देख्ने रहियै।” 34 महज फेनो फरिसीसब कहेलाग्लै कि “यि भुतसबके मालिकसे भुत निकालैछै।” थोरबेक परभुके जनसब ( मरकुस ६:३४ , लुका १०:२ ) 35 येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै। 36 लोकसबके भिर देखके ओकर हिरदय दयासे भैर गेलै। कथिलेकी चरबाहा बिनाके भेंरासब जखा निरास आ लाचार छेलै। 37 तब उ आपन चेलासबके कहल्कै, “उबजल बाली त परसस्त छै, महज काटैबला जनसब कमे छै। 38 तै खातिर खेतके मालिकके परथना कर, उ आपन बाली काटैले जनसब पठादेतौ।” |
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.
Wycliffe Bible Translators, Inc.