Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

मतीके लिखल सुसमाचार 16 - मध्‍य पुरविया थारू


चेन्‍हाके माङ
( मरकुस ८:११-१३ , लुका १२:५४-५६ )

1 कुछ फरिसीसब आ सदुकीसब एलै आ येसुके परमेस्‍वर दिसनसे एलछै कि नै कैहके जाँच करैके लेल पुछल्‍कै, “हमरासबके स्‍वरगसे एकटा चेन्‍हा देखाबु।”

2 महज येसु उसबके जबाफ देल्‍कै, “रौद डुब्‍लाके बाद अकासके लाल देखके तुसब कहैचिही, ‘बिहानके मौसम निक हेतै’,

3 आ अनगुतमे अकासके लाल आ करिया बादल लागल देखके थाह हैछौ कि, ‘आइके अन्‍हर-बिहाइर एतौ।’ तुसब अकासके अबस्‍था देखके मौसम बताइले जानैचिही, महज यि समयके लछनसबके अरथ खोलैले नै जानैचिही?

4 दुस्‍ट आ बिस्‍बास घात करैबला पुस्‍ता चेन्‍हाके माङ करैछै, महज योना अगमबक्‍ताके चेन्‍हाके अलाबा कोनो चेन्‍हा नै देलजेतै।” तकरबाद येसु उसबके छोइरके चैलगेलै।


फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिर
( मरकुस ८:१४-२१ )

5 जब येसु आ ओकर चेलासब तालके ओइपार पुग्‍लै तब उसब रोटी आनैले बिसैर गेलै कैहके थाह पाबल्‍कै।

6 तब येसु उसबके चेताबनी दैत कहल्‍कै, “होसियार, तुसब फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिरसे बैचके रह!”

7 तब उसब एक-दोसरमे बात-चित करे लाग्‍लै, “अपनासब रोटी नै आन्‍लाके कारन येसु एहेन कैहरहल छै कि।”

8 येसु उसबके बात थाह पाइबके कहल्‍कै, “तोरासबके बिस्‍बास कते गेलौ? तोरासबसङे रोटी नै छौ कैहके कथिले आपसमे बातचित करैचिही?

9 कि तुसब अखनियोतक नै बुझ्‍नेचिही? कि तोराबसके याद नै छौ? जब हम पाँच रोटीसे पाँच हजार लोकसबके खियाइने छेलियै तब क्‍या चङेरा रोटी बिछने छेल्‍ही?

10 आ सात रोटीसे चार हजार लोकसबके खियाइने छेलियै त क्‍या चङेरा रोटी तुसब बिछने छेल्‍ही?

11 हम रोटीके बारेमे नै कहैचियौ, से कथिले तुसब नै बुझैचिही? महज फेनो कहैचियौ फरिसीसब आ सदुकीसबके खमिरसे होसियार रह।”

12 तकरबाद चेलासब बुझल्‍कै, कि उ रोटीके खमिरसे नै महज फरिसीसब आ सदुकीसबके सिक्‍छासे होसियार रहैले कहनेछै।


पतरुसके सुइकार
( मरकुस ८:२७-३० , लुका ९:१८-२१ )

13 जब येसु कैसरिया फिलिप्‍पीके सहरमे पुग्‍लै तब आपन चेलासबके पुछल्‍कै, “लोकसब मानबके बेटाके के चियै कैहके कहैछै?”

14 उसब जबाफदैत कहल्‍कै, “कोइ बप्‍तिस्‍मा दैबला युहन्‍ना कहैछै, कोइ एलिया त कोइ यरमिया या अगमबक्‍तासबमेसे एक गोरे चियै कहैके कहैछै।”

15 तब येसु फेनो उसबके कहल्‍कै, “महज तुसब हमरा हम के चियै कैहके कहैचिही त?”

16 सिमोन पतरुस जबाफ देल्‍कै, “अहाँ त खिरिस्‍ट चियै, जिबित परमेस्‍वरके बेटा।”

17 येसु ओकरा कहल्‍कै, “हे योनाके बेटा सिमोन, तु धैनके चिही! कथिलेत यि बात तोरा लोकसे नै बल्‍की स्‍वरगमे रहैबला हमर पितासे परगट भेलछौ।

18 आब हम तोरा कहैचियौ, हम तोहर नाम पतरुस राखैचियौ। हम एह्‍या चटानमे आपन मन्‍डली स्‍थापना करबै आ नरकके सक्‍तिसब ओइमे बिजय नै हेबे सक्‍तै।

19 हम तोरा स्‍वरग राजके कुजीसब देबौ। पिरथिबीमे जे तु बान्‍बिही, से स्‍वरगमे बान्‍हलजेतौ आ पिरथिबीमे जे तु खोलबिही, से स्‍वरगमे खोललजेतौ।”

20 तकरबाद येसु आपन चेलासबके करा आग्‍या दैत कहल्‍कै, “यि बात ककरो नै कहिहे, कि उ मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट चियै।”


येसुके आपन मिरतुके भबिसबानी करल्‍कै
( मरकुस ८:३१-३३ , लुका ९:२२ )

21 ओह्‍या दिनसे येसु आपन चेलासबके खोइलके सब बात कहैले लाग्‍लै, “हम यरुसलेम जेबै आ ओते अगुवासब, मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसबसे बहुत दुख भोग्‍बौ, मारल जेबौ आ तेसर दिनमे फेनो मिरतुसे जिके उठबौ।”

22 पतरुस यि बात सुइनके ओकरा एक कातमे लज्‍याके हपारैले लाग्‍लै, “हे परभु! परमेस्‍वर एहेन नै हेबे, अहाँ उपर एहेन कहियो नै हेतै।”

23 तब येसु घुइमके पतरुसके हपारल्‍कै, “ऐ सैतान, हमरसे दुर चैल जो, तु हमर लेल बाधाके कारन चिही। कथिलेत तु परमेस्‍वरके बातमे नै, महज लोकसबके बातमे धियान दैचिही।”


चेलासब येसुके खातिर त्‍याग करल्‍कै।
( मरकुस ८:३४-९:१ , लुका ९:२३-२७ )

24 तकरबाद येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै, “अदी जे कोइ हमर चेला बनैले चाहैछै त, उ आपन मनके मारौक आ आपन कुरूस बोइकके हमर पछा लागौक।

25 कथिलेत जे आपन जिबन बचाइले चाहैछै, उ गुमाइतै। महज जे हमर खातिर आपन जिबन गुमाइछै, उ बचाइतै।

26 सारा सन्‍सार हथियाइयोके आपने आत्‍माके नास करतै त ओकरा कोन फाइदा हेतै? कि आत्‍मासे मुल्‍यबान कोनो चिज छै?

27 कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्‍वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।

28 साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”

© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

Wycliffe Bible Translators, Inc.
Lean sinn:



Sanasan