Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

लुका 20 - मध्‍य पुरविया थारू


येसुके अधिकार आ सबाल
( मती २१:२३-२७ , मरकुस ११:२७-३३ )

1 एक दिन मन्‍दिरमे येसु लोकसबके सिक्‍छा दैत सुसमाचार सुनाइतरहै, तहै बखत मुल पुजारीसब, धरमगुरुसब आ अगुवासब ओकरलग एलै,

2 आ ओकरा पुछल्‍कै, “कोन अधिकारसे तु यि काम करैचिही? तोरा यि अधिकार के देने छौ? हमरासबके कह।”

3 तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “हम्‍हु तोरासबके एकटा सबाल पुछबौ। हमरा कह त,

4 युहन्‍नाके बप्‍तिस्‍मा दैके अधिकार परमेस्‍वरसे पाबने छेलै, कि मानबसे?”

5 तब उसब एकदोसरसे बात-चित करे लाग्‍लै, “परमेस्‍वरसे कहबै त, ‘कथिले नै तुसब युहन्‍नाके बिस्‍बास करलिही?’ से बात उ कहतै।

6 ‘मानबसे’ कहबै त, सब लोकसब मिलके पथल बरसाके हमरासबके माइरदेतै, कथिलेत युहन्‍ना अगमबक्‍ता छेलै से उसब बिस्‍बास करैछै।”

7 अइखातिर उसब जबाब देल्‍कै, “हमसब नै जानैचियौ, उ अधिकार कतेसे एलछै।”

8 तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तनङ छै त हम कोन अधिकारसे यि काम करैचियै, से हम्‍हु तोरासबके नै कहबौ।”


मालिक आ बटिदारसबके खिसा
( मती २१:३३-४६ , मरकुस १२:१-१२ )

9 तब येसु लोकसबके यि खिसा कहल्‍कै, “एकटा लोक अङगुरके खेती करल्‍कै आ उ खेत बटिदारके बटियामे द्‍याके उ अपना बहुतदिनके लेल बिदेस चैलगेलै।

10 जब अङगुर फैरके पाके लाग्‍लै तब अङगुर लैले फुलबारीके मालिक आपन एकटा नोकरके बटिदार लग पठाइल्‍कै, महज बटिदारसब ओकरा मारपिट कैरके उन्‍टे छुच्‍छे हाथ पठादेल्‍कै।

11 मालिक फेनो दोसर नोकरके पठाइल्‍कै, महज उसब ओकरो माइर पिटके बेजत कैरके छुच्‍छे हाथ पठादेल्‍कै।

12 फेनो तेसर नोकरके पठाइल्‍कै, महज उसब ओकरो माइर पिटके बाहर निकाइलदेल्‍कै।

13 “तब अङगुर खेतके मालिक कहल्‍कै, ‘आब हम कथी करबै? हमर आपन दुलरुवा बेटाके पठाइले परतै। हमर बेटाके त उसब पक्‍के आदर करतै।’

14 महज बटिदारसब ओकरा देखैत मातर आपनमे बात करल्‍कै, ‘उ त हकबला चियौ। अपनासब अकरा माइरदहै तब अकर सब धन-समपैत अपनासबके भ्‍याजेतौ।’

15 उ बटिदारसब ओकरा अङगुर खेतसे घिस्‍याइते बाहर निकालके माइरदेल्‍कै।” तब येसु पुछल्‍कै, “आब अङगुर खेतके मालिक ओइसबके कथी करतै?

16 उ आइबके सब बटिदारसबके माइरदेतै आ अङगुर खेत औरो लोकसबके द्‍यादेतौ।” लोकसब यि बात सुइनके कहल्‍कै, “एहेन कहियो नै हेबे!”

17 तब येसु ओइसब दिसन एकटक लग्‍याके ताकैत कहल्‍कै, “पबितर धरमसास्‍तरमे लिखल यि बातके अरथ कथी चियै त? ‘जै पथलके घर बनाबैबला मिसतिरीसब छाइट देल्‍कै, सेहे जगके मुल खम्‍हा बन्‍लै।’

18 “ओइ पथल उपर जे खस्‍तै से चकनाचुर भ्‍याजेतै आ जकर उपर यि खस्‍तै तकरा गुन्‍डीमिसान कैरदेतै।”


बटीके बारेमे परस्‍न
( मती २२:१५-२२ , मरकुस १२:१३-१७ )

19 तब धरमगुरुसब आ मुल पुजारीसब येसुके तखुन्‍ते पकरैले चाहल्‍कै, कथिलेत उसब जानैछेलै कि यि दिस्‍टान्‍त ओहैसबके बिरुधमे कहने रहै। महज उसब लोकसबसे डराबै छेलै।

20 उसब येसुके पकरैले मौका ताके लाग्‍लै आ आपनके धरमी कहाइबला जासुससबके ओकरलग पठाइल्‍कै। येसुके ओकरे कहलहा बातमे ओकरा फसाके रोमी सासकसबके हाथमे फसाइके दाउमे उसब छेलै।

21 तब उसब येसुके फसाइले पुछल्‍कै, “गुरु जी, हमसब जानैचियै, अहाँ सहि बात बोलैचियै, असल बात सिखाइचियै आ ककरो पक्‍छपात नै करैचियै, महज अहाँ त सत्‍यतासे परमेस्‍वरके रस्‍ता देखाइचियै।

22 आब हमरासबके कहु, हमसब यहुदीके नियम अनुसार रोमी सरकार कैसरके कर तिरबै से उचित छै, कि नै?”

23 महज येसु ओइसबके कपटी मन बुइझके कहल्‍कै,

24 “हमरा एकटा डलर देखा। अइमे ककर चेहरा बनलछै आ नाम लिखल छै?” उसब कहल्‍कै, “रोमी सरकार कैसरके।”

25 तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “तै खातिर जे कैसरके चियौ, से कैसरके दहै आ जे परमेस्‍वरके चियौ से परमेस्‍वरके दहै।”

26 लोकसबके सामने उसब ओकरा बातमे फसाइले नै सक्‍लै आ ओकर जबाब सुइनके आस्‍चरज मानल्‍कै आ चुपचाप रहलै।


जि उठैके परस्‍न
( मती २२:२३-३३ , मरकुस १२:१८-२७ )

27 तकरबाद कुछ सदुकीसब येसु लग एलै। मानब मैरके जि उठतै तै बातमे उसब बिस्‍बास नै करैछेलै।

28 उसब येसुके पुछल्‍कै, “गुरु जी, मोसा हमरासबके लेल बेबस्‍थामे लिखने छै, ‘कि कोनो लोकके बियाहल भैया निपुतरे भ्‍याके मरतै त, ओकर भाइ आपन भौजीसे बियाह कैरके भैयाके बंस खरा करे परैछै।’

29 आब सुन, एकटा परिबारमे सात भाइके भैयारी छेलै। जेठका बियाह करल्‍कै आ ओकरा धियापुता जलमैसे पहिने उ मरगेलै,

30 तब दोसर,

31 आ तेसर ओकरसे बियाह करल्‍कै। तैहनङे कैरके सातो गोरे बियाह करल्‍कै आ धियापुता नै जलैमके सब गोरा एक-एक कैरके मरगेलै।

32 तकरबाद ओहो जनी सेहो मरलै।

33 जब लोकसब मैरके जि उठतै तै बखत उ जनी ककर घरबाली हेतै? कथिलेत उ सातो जौरेसे बियाह करने छेलै।”

34 तब येसु ओइसबके कहल्‍कै, “ऐ जुगके लोकसब बियाह करैछै आ बियाह कराइयोदैछै।

35 महज ओइ जुगतक पौहुचैके योग्‍य ठहरल लोकसब आ मैरके जि उठैके योग्‍यके हैबलासब बियाह नै करैछै आ नै कराइछै।

36 उसब फेनो नै मरैछै, कथिलेत उसब स्‍वरगदुतसब सरह हैछै। उसब मरनके बाद फेनो जिलासे परमेस्‍वरके धियापुतासब हैछै।

37 मरलहासब जि उठतै तै बातके परमान मोसा बहुत निकसे देने छेलै, से बात जरैत झारके घटनासे उ परभु पुकारैत ‘हे अबराहमके परमेस्‍वर, इसहाकके परमेस्‍वर आ याकुबके परमेस्‍वर’ कहल्‍कै।

38 उ मरल लोकसबके परमेस्‍वर नै चियै, उ त जियलसबके परमेस्‍वर चियै, कथिलेत उ सबके लेल जियल छै।”

39 तब कोनो धरमगुरुसब कहल्‍कै, “गुरु जी, अहाँ असलसे हमरासबके ठिक बात कहलियै।”

40 तकरबाद फेनो ओकरा औरो बात पुछैले ककरो हिम्‍मत नै भेलै।


खिरिस्‍ट ककर बेटा चियै
( मती २२:४१-४६ , मरकुस १२:३५-३७ )

41 तब येसु ओकरासबके पुछल्‍कै, “मुक्‍ती दैबला खिरिस्‍ट दाउदके बेटा चियै से उसब कनङके कहैछै?

42 कथिलेत भजनके किताबमे दाउद आपने कहनेछै, ‘परमपरभु हमर परभुके कहल्‍कै, तु हमर हाथके देहना कात बैठ,

43 जाबेतक हम तोहर दुस्‍मनसबके तोहर टाङके खराम नै बनाइबौ।’

44 “ऐहनङ दाउद खिरिस्‍टके ‘परभु’ कहैछै त, फेन उ कनङके दाउदके बेटा परलै?”


धरमगुरुसबके बिरोधमे चेताबनी
( मती २३:१-३६ , मरकुस १२:३८-४० )

45 तब सब लोकसबके सुन्‍याके येसु आपन चेलासबके कहल्‍कै,

46 “निक-निक धोती-कुरता पिन्‍हके अगल-बगल घुमैबलासबसे, रस्‍तामे चलै फिरै बखत अभिबादन चाहैबलासब, बैठकीमे परमुख आसन माङैबला आ भोज भातमे कमरमे बैठैबला धरमगुरुसबसे होसियार रह।

47 उसब बिधुवासबके घर हरैप लैछै आ देखाबटी बरका-बरका परथना करैछै। साँचे उसब त बेसीसे कठोर सजाय पाबतै।”

© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

Wycliffe Bible Translators, Inc.
Lean sinn:



Sanasan