Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

युहन्‍ना 2 - मध्‍य पुरविया थारू


येसु काना सहरके बियाह भोजमे

1 तेसर दिन गालिल परदेसके काना सहरके एकटा घरमे बियाह छेलै। येसुके माँ सेहो ओतै रहै।

2 येसु आ ओकर चेलासबके बियाहमे नौता देने रहै।

3 बियाहेके दिन अङगुरके मध ओरेलाकेबाद येसुके माँ ओकरे कहल्‍कै, “अङगुरके मध त ओरागेल!”

4 यि बात सुइनके येसु कहल्‍कै, “माँ, हमरा तु यि बात कथिले कहैचिही? हमर काम करैबला समय अखुन नै एलछै।”

5 येसुके माँ नोकरसबके कहल्‍कै, “येसु जे कहैछौ, तुसब ओहिनङ कर।”

6 ओते छटा पथलके सय-सय लिटर पानी अटैबला घैलासब राखल छेलै। यहुदीसब उ घैलाके पानीसे अपने-आपके सुध करैबला चलनके काममे लगाइछेलै।

7 येसु नोकरसबके कहल्‍कै, “सब घैलासब पानीसे उटुङ-टुटुङ कैरके भैरदहै।” उसब जम्‍मे घैलासबमे मुहतक पानी भैरदेल्‍कै।

8 उ ओइसबके कहल्‍कै, “यि कन्‍हिकरा निकाइलके भोजके माइनजनके दहै।” तब उसब कन्‍हिकरा लज्‍याके माइनजनके देल्‍कै।

9 जब माइनजन उ पानी चाखल्‍कै त अङगुर मध बैनगेल छेलै। महज यि मध कतेसे आनल्‍कै से उ नै जानल्‍कै। यि बात त पानी भरैबला नोकरसब जानैछेलै। तब माइनजन बरके बोल्‍याके कहल्‍कै,

10 “सबलोक पहिने असल्‍का मध पियैले दैछै आ जब लोकसब बहुते पिलैछै, तब मातरे दबका पियैले दैछै, महज अहाँ त असल्‍का अखुनतक राखने चियै।”

11 अहिनङे येसु सबसे पहिन्‍का अजगुतके काम गालिल परदेसके (परगना) काना सहरमे करल्‍कै। उ आपन महिमा परगट करल्‍कै, तब ओकर चेलासब ओकर उपर बिस्‍बास करल्‍कै।

12 तकरबाद येसु आपन माँ, भाइ आ चेलासब सङे कफरनहुम सहरमे गेलै आ कुछदिन उसब ओतै रहलै।


येसु मन्‍दिरसे बेपारिसबके निकालल्‍कै
( मती २१:१२-१३ , मरकुस ११:१५-१७ , लुका १९:४५-४६ )

13 यहुदीसबके निस्‍तार पाबैन लगच्‍या गेल छेलै। तहै समयमे येसु यरुसलेम गेलै।

14 ओते उ लोकसबके मन्‍दिरमे गाइ-बरद, भेंरा, पेरबा बेचैबलासब आ टेबुल-खुरसीमे बैठके पैसा भजाबैलासबके पैसा भजाबैत देखल्‍कै।

15 तब डोरीसे एकटा कोरा बनाके येसु ओइसबके भेंरा आ बरदसबके मन्‍दिरसे बाहर हाइक देल्‍कै। पैसा भजाबैबलासबके पैसा छिट-छाइट देल्‍कै आ ओकरासबके टेबुल-खुरसी उल्‍टा-पुल्‍टा देल्‍कै।

16 पेरबा बेचैबलासबके उ कहल्‍कै, “अतेसे यि सब चिज उठाके ल्‍याजो। हमर पिताके घरके तुसब बेपारके घर नै बना!”

17 तब ओकर चेलासबके धरमसास्‍तरमे लिखल यि बात याद एलै, “हे परमेस्‍वर! अहाँके घरके खातिर हमर जोस हमर मन भितर आइग जखा बरैछै।”

18 महज यहुदी अगुवासब येसुके रोकैत कहल्‍कै, “यि कामसब करैके अधिकार छै कहके परमान दैले अहाँ हमरासबके कोन चेन्‍हा देखाइबै?”

19 येसु ओइसबके जबाफ देल्‍कै, “यि मन्‍दिरके उजाइरदहै, हम अकरा फेनसे तिन दिनमे ठार कैरदेबौ।”

20 तब यि बात सुइनके यहुदीसब कहल्‍कै, “एह्‍या मन्‍दिर बनाइले हमरासबके छियालिस बरिस लागल छेलै, कि अकरा तिन दिनमे ठार कैरदेबै?”

21 महज जै मन्‍दिरके बारेमे उ बाजल छेलै, उ ओकर देह छेलै।

22 उ मरलाके बाद जिबित भ्‍याके उठलै तब चेलासब ओकर कहल बातके याद करल्‍कै। तहियासे उसब धरमसास्‍तरमे लिखल आ येसुके कहल बातसबमे बिस्‍बास करल्‍कै।

23 जब येसु निस्‍तार पाबैनके बखत यरुसलेममे छेलै, तै बखत बहौत लोकसब ओकर अजगुतके कामसब देखके उसब ओकरमे बिस्‍बास करल्‍कै।

24 महज येसु आपनके ओकरासबके भरोसामे नै छोरल्‍कै, कथिलेत लोकसब केहैन हैछै से उ जानैछेलै।

25 लोकसबके बारेमे ककरो नै ओकरा कहैके जरुरी छेलै, कथिलेकी ककर हिरदयमे कथी छै से बात उ आपने जानैछेलै।

© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.

Wycliffe Bible Translators, Inc.
Lean sinn:



Sanasan