हिबरु 13 - मध्य पुरविया थारूपबितर जिबनके जियैके लेल अरती 1 एक दोसरके भाइ-भैयासब जखा परेम करैतरह। 2 परदेसीसबके सेबा-सत्कार करैले नै बिसर, कथिलेकी अहिनङ कैरके कोइ कोइ थाहे नै पाइबके स्वरगदुतसबके अथिती सत्कार करने छै। 3 तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही। 4 सब लोकसबके बिचमे बियाह आदरनिय हेबे। घरबला आ घरबाली बिचके बैबाहिक जिबन बिस्बास योग्य हैकेचाही। कथिलेकी अनैतिक काम करैबला आ दोसरके घरबला या घरबालीसङे बिगरैबला सबके परमेस्वर दन्ड देतै। 5 तुसब आपन जिबनके रुपैया पैसाके मोहसे दुर राख। तोरासबसङे जे छौ ओहैमे सन्तोख कर, कथिलेकी परमेस्वर कहनेछै, “हम तोरा कोनो हालतमे नै छोरबौ, हम तोरा कोनो हालतमे नै त्यागबौ।” 6 ओहैसे अपनासब साहसके साथ यि कहैले सकैचियै, “परभु हमरा सहायता करतै, हम नै डराइबै, लोकसब हमरा कथी करैले सक्तै?” 7 तोरासबके सुरुमे परमेस्वरके बचन सिखाइबला अगुवासबके नै बिसर। ओकरासबके जिबनमे एल असल परिनामके बिचार कर आ परमेस्वरमे ओकरासबके जखा भरोसा कर। 8 येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै। 9 अनेक किसिमके अचमके सिक्छाके भरममे नै पर। खाइ पियैबला नियमसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे हिरदय बौकार भेल असल चियै। ओहेन बिधी पालन कैरके ककरो उपकार नै भेलछै। 10 अपनासबके एकटा बेदी छै, उ बेदीसे मोसाके बेबस्था माइनके पबितर पालमे सेबा करैबला यहुदी पुजारीसबके खाइके अधिकार नै छै। 11 परधान पुजारी महापबितर ठाममे पापके लेल बली चरहाल जानबरसबके लहु ल्याके जाइछेलै, महज बली चरहाल जानबरसबके देह गामसे बाहर लज्याके आइगमे डाहैछेलै। 12 ओहिनङे येसु सेहो आपन लहुसे लोकसबके पबितर बनाइके लेल सहरसे बाहर कस्ट भोगल्कै आ मरलै। 13 ओहैलेल अपनोसब सहरसे बाहर येसु लग चल आ ओकरे जखा अपनोसब अपमान सह। 14 कथिलेकी अइ सन्सारमे अपनासबके लेल सबदिन रहैबला सहर नै छै, महज आबैबला सहरके बाट ताकैचियै। 15 अहैलेल अपनासब येसुके नाउमे परमेस्वरके परसन्साके बली सबदिन चरहाइत रह। उहे अपनासबके परभु चियै कैहके सुइकार करैत अपनासबके मुहसे निकलल परसन्सा अपनासबके चरह्याल भेटी चियै। 16 एक दोसरके भलाइ करैले आ आपनसङे भेल चिज बाटचुट करैले नै भुल, कथिलेत अहिनङे बलीसबमे परमेस्वर परसन्न हैछै। 17 तोरासबके अगुवासबके कहल बात तुसब मान आ ओकरासबके अधिनमे रह। आपन कामके लेखा परमेस्वरके दैलेपरतै कैहके उसब तोरासबके आत्मामे देखभाल करतौ। ओकरासबके कहल बात मानबिही त उसब आपन काम खुसिसे करतौ। यदि दुख माइनके करबिही त तोरासबके कुछो फाइदा नै हेतौ। 18 हमरासबके लेल निरन्तर परथना करैतरह। हमरासबके बिस्बास छै कि, हमरासबके बिबेक सुधछै कथिलेकी हमसब सबकाम इमान्दारसे करैले चाहैचियै। 19 तोरासबके हमर बिसेस बिन्ती छै कि, हमर लेल परथना कैरदहै ताकी हम फेनसे तोरासबके लग जल्दिए आबैले सकी। अन्तिम परथना आ गोरलगी 20 भेंरासबके महान चरबाहा अपनासबके परभु येसु आपन लहु बहाके सबदिन रहैबला करार बान्हनेछै। ओहै लहुके आधारमे सान्ती दैबला परमेस्वर ओकरा मिरतुसे फेनसे जियाइल्कै। 21 तोरासबके हर परकारके असल गुनसबसे भरिपुरन करे आ तुसब ओकर इक्छा पुरा करैले सक। परमेस्वरके जे मन परैबलाछै से येसु खिरिस्ट दुवारा उ तोरासबमे करे। ओकर महिमा जुगो जुग तलिक रहे। आमेन। 22 हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हमर अरती देल बातके मान, कथिलेकी हम तोरासबके यि चिठी छोटमे लिखने चियै। 23 तोरासबके यि थाह दैले चाहैचियौ कि, अपनासबके भाइ तिमोथी जहलसे छुटलछै। यदि उ जल्दिए एतै त हम ओकरासङे ल्याके तोरासबके भेट मुलकात करैले एबौ। 24 मन्डलीके सब अगुवा आ सब परभुके जनसबके हमरासबके तरफसे गोरलगी सुनादहै। इटालिया देसमे भेल्हा भाइसब तोरासबके सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। 25 परमेस्वरके अनुगरह तोरासबसङे रहे। आमेन। |
© 2024 (Active), Wycliffe Bible Translators, Inc. All rights reserved.
Wycliffe Bible Translators, Inc.