तीतस 2 - केवट नया कारारसही शिक्षाके अनुसरण 1 मगर तीतस, तुहें विश्वासीसिके खाली उहे बात सिखा जे येशू ख्रीष्टके विषयमे सही शिक्षासिसे मिलैछै। 2 बुढ आदमीसिके आपन इच्छाके काबुमे राखैके लिए, आदरके योग्य हुऐले, समझदार हुऐले, विश्वासमे पक्का हुऐले, प्रेम करैले आर धीरजमे दृढ हुऐले सिखा। 3 अहिने करिके बुढ जनानीसब सभे बातमे एरं व्यवहार करै जे हरेक बातमे जे ऊ करैछै परमेश्वरके सम्मान दैछै, दोसर आदमीके बारेमे खराब बात नैबोलेवाली, आर बेसी नशा करेवाली नैहै, मगर ऊसब दोसर जनानीसिके बढियाँ जीवन जियैके तरिका सिखाबे पडैछै। 4 ताकी ऊसब बढियाँ उदाहरण बनै आर जवान जनानीसिके केरंके आपन पति आर बाल-बच्चाके प्रति प्रेमी व्यवहार करे पडैछै कहिके तालिम दै। 5 आर ऊसब जवान जनानीसिके संयमी हुऐले, आपन पतिके प्रति वफादार हुऐले, आपन घरके देखभाल करैले, दोसरके प्रति दयालु हुऐले, आर आपन पतिके अधिकारके आदर करैले शिक्षा देतै, ताकी कोय भी परमेश्वरके सन्देशके विषयमे अपमानवाला बात नैबोले सकै। 6 ओहिने करिके जवान आदमीसिके भी आग्रह कर कि ऊसब संयमी बनै। 7 सभे बातमे तोरा उदाहरणके रुपमे बढियाँ काम करना चाही, जकरा दोसर आदमीसब सभे दिन पालन करे सकै। जब तुहें विश्वासीसिके परमेश्वरके बारेमे सिखाबैछैं, तुहें बढियाँ विचारसे आर आदरयोग्य तरिकासे सिखाबे पडैछै। 8 तोर शिक्षा सभे दिन सच्चा होना चाही आर कोय भी आलोचना करे सकेवाला नै होना चाही ताकी येशू ख्रीष्टके लिए तोर कामके विरोध करेवाला आदमीसब लज्जित हैतै कहिनेकी ऊसब आपनसिके विषयमे कोनो भी खराब बात कहे नैसक्तै। 9 तोर मण्डलीमे भेल दाससिके सभे दिन ओकरसिके आपन-आपन मालिकसिके आज्ञा मानैके लिए सिखा। ओकरासिके कहैं कि आपन मालिकसिके खुश करै आर आपन कामके विषयमे मालिकके उन्ट्याके जबाब नैदै। 10 दाससब आपन मालिकके चीज चोरी नैकरै, मगर खुदके सभे दिन इमानदार साबित करै। ताकी आदमीसब ओकरसिके बढियाँ व्यवहारपर ध्यान दै आर ऊसब जे करैछै ओकरासे आदमीसिके परमेश्वर, आपनसिके उद्धारकर्ताके विषयमे सन्देश सुनैके लिए इच्छुक बनैतै। 11 कहिनेकी परमेश्वर सभे आदमीसिके पापसे बचाबैके रस्ता देख्याके आपन अनुग्रह प्रकट कैल्कै छे। 12 यी अनुग्रहके द्वारा परमेश्वर अपनासिके सिखाबैछै कि ओकरा पसन्द नैहुएवाला व्यवहार करैले बन्द कर, आर संसारके अविश्वासी आदमीसब जे चीजके इच्छा राखैछै ऊसब चीजके ललसा करैले बन्द कर। यी धर्तीमे जिन्दा रहैतक समझदारी आर परमेश्वरके खुश करैके व्यवहार कर, जे बात परमेश्वरके आदर कैल देखाबैछै। 13 हमेसब एरंके व्यवहार करैछियै जब आपनसिके आशा कैल उटा सुन्दर दिनके लिए हमेसब उम्मीदके साथ इन्तजार करैछियै: उटा दिन जब आपनसिके महान परमेश्वर आर उद्धारकर्ता येशू ख्रीष्ट आपन सारा महिमाके साथ धर्तीपर फेर वापस ऐतै। 14 उहे येशू ख्रीष्ट अपनासिके सभे पापसे छुटकारा दिलाबैके लिए आर नैतिक रुपसे शुद्ध बनाबैके लिए खुदके बलिदान कैल्कै ताकी अपनासब ओकर आपन विशेष आदमीसब बने सकियै जेसब बढियाँ काम करैके बडका इच्छा राखैछै। 15 सेल्याके तीतस, हमे चाहैछियै कि हमर कहेल यी सभे बातसब तुहें क्रेट टापुमे भेल विश्वासीसिके सिखा। आपन आदमीसिके जते जरुरी छै ओत्ते सही कर्ते यी बातसब करैके लिए उत्साह दहैं। यी करैके लिए तोरलगत अधिकार छौ। निश्चित कर कि तोर सिखैल बातके कोय भी बेवास्ता नैकरौ। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation