रोमी 8 - केवट नया कारारमौतसे छुटकारा 1 इहे ल्याके आब येशू ख्रीष्टमे विश्वास करेवाला आदमीसिके कोनो सजाय नैछै। 2 कहिनेकी पवित्र आत्मा जे येशू ख्रीष्टके तरफसे आबैछै, ऊ तोरा जीवन देतौ आर तोरा पाप आर मौतसे छुटकारा देतौ। 3 जे काम मूसाके विधि-विधान नैकरे सकल्कै, उटा काम परमेश्वर कैल्कै, कहिनेकी आपनसिके पापी स्वभाव मूसाके विधि-विधानके कमजोर बनैल्कै रहे। ऊ आपन बेटाके पापके बलिदान हुऐके लिए आपनसिके जुगुर शरीरमे भेजल्कै। एरंके ऊ मानव शरीरमे पापके न्याय कैल्कै। 4 ऊ एरं कैल्कै ताकी अपनासब विधि-विधानके आदेशके मुताबिक करियै। आब अपनासब आपन पापी स्वभावके मुताबिक नैजियैछियै मगर पवित्र आत्माके मुताबिक जियैछियै। 5 कहिनेकी पापी स्वभावके नियन्त्रणमे चलेवाला आदमीसब पापी बातसिके विषयमे सोचैछै, मगर पवित्र आत्माके नियन्त्रणमे चलेवाला आदमीसब पवित्र आत्माके खुश करेवाला बातके विषयमे सोचैछै। 6 आपन पापी स्वभावके आपन मनके नियन्त्रण करैले देलेसे मौतके तरफ ल्याजैछै। मगर पवित्र आत्माके आपन मनके नियन्त्रण करैले देलेसे जीवन आर शान्ति मिलैछै। 7 कहिनेकी पापी स्वभावके द्वारा नियन्त्रित होना परमेश्वरसे दुश्मनी राखना छै। कहिनेकी ऊसब परमेश्वरके विधि-विधानके पालन नैकरैछै आर ऊसब उटा पालन भी नैकरे सकैछै। 8 आर पापी स्वभावके नियन्त्रणमे भेल आदमी कहियो भी परमेश्वरके खुश बनाबे नैसक्तै। 9 मगर परमेश्वरके आत्मा तोरासिमे बास करैछौ ते, तुहेंसब पापी स्वभावके नियन्त्रणमे नै, मगर पवित्र आत्माके नियन्त्रणमे छैं। अगर कोय आदमीमे पवित्र आत्मा नैछै ते ऊ ख्रीष्टके नैछै। 10 आब इहे ल्याके कि तोरासिमे ख्रीष्ट बास करैछौ, पापके कारण शरीर मुर्दा भेलपर भी परमेश्वर तोरासिके धर्मी घोषित करैके कारण तोरसिके आत्मा जिन्दा छौ। 11 परमेश्वर येशू ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बनैल्कै। आर परमेश्वरके आत्मा आब तोरासिमे बास करैछौ आर ऊ तोरासिके भी आपन आत्माके द्वारा मुर्दासे फेर जिन्दा बनैतौ। पवित्र आत्माद्वारा बेटा हुऐके हक 12 सेल्याके हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, आज्ञापालन करना आपनसिके कर्तव्य छै, मगर आपनसिके पापी स्वभाव नैचाहैछै कि अपनासब एरं करियै। 13 कहिनेकी अगर तुहेंसब पापी स्वभावके मुताबिक जियैछैं ते, तुहेंसब परमेश्वरसे अलग भ्या जैभैं, मगर यदि तुहेंसब परमेश्वरके आत्माके शक्तिसे पापी स्वभावके कामसिके बन्द कर्भैं ते, तुहेंसब जिभैं। 14 इहे ल्याके कि सभेको जे परमेश्वरके आत्माके मुताबिक जियैछै, उहेसब परमेश्वरके सन्तान छै। 15 कहिनेकी तोरासिके दासके आत्मा नैमिल्लौ छे, कि फेर परमेश्वरसे डराभैं। मगर परमेश्वरके आत्मा अपनासिके परमेश्वरके सन्तान बनाबैछै, इहे कारणसे अपनासब परमेश्वरके “हे बाबु, हे पिता” कहिके कहैछियै। 16 पवित्र आत्मा खुद ही आपनसिके आत्मासे गवाही दैछै कि अपनासब परमेश्वरके सन्तान छियै। 17 आर यदि अपनासब सन्तान छियै ते, हकवाला भी छियै, परमेश्वरके हकवाला आर ख्रीष्टके संगी हकवाला। यदि अपनासब येशूके जुगुर दुःख सहैछियै ते, अपनासब ओकर महिमामे भी सामिल हैबै। तकलीफसे महिमा 18 हमरा पक्का मालुम छै, कि जे महिमा परमेश्वर अपनासिके पाछु दिएवाला छै, से उटा तकलीफसे बहुते बडका छै जे अपनासब एखन सहैछियै। 19 कहिनेकी सृष्टि बडका आशासे परमेश्वर आपन सच्चा सन्तानसिके प्रकट कर्तै कहिके उटा आबेवाला दिनके लिए इन्तजार करैछै। 20 कहिनेकी जे कुछु भी परमेश्वर बनैल्कै ऊ आपन मोल खतम क्यादेल्कै, यी ल्याके नै कि ऊसब खुद एरं चहते रहै, मगर इहे ल्याके कि परमेश्वर एरंको कैल्कै। तैय्योपर भी आशा छै। 21 सृष्टि आपनहैं उटा दिनके इन्तजारमे छै, जब यी मौत आर विनाशसे मुक्त भ्याजैतै आर परमेश्वरके सन्तानसिके महिमाके संगे सामिल हैतै। 22 कहिनेकी अपनासब जानैछियै कि जबसे आदम पाप कैल्कै, तखनसे ल्याके एखनतक परमेश्वरके द्वारा कैल सारा सृष्टि एकटा जनानीके जुगुर दरदसे कुहरैछै जे बच्चाके जनम दिएवाली छै। 23 खाली सृष्टि दरदमे नैकुहरैछै मगर अपनासब भी कुहरैछियै, जकरामे हुएवाला महिमामे ओकर पहेला उपहारके रुपमे पवित्र आत्मा बास छै। मगर अपनासब एखन भी उटा समयके इन्तजार करैछियै जब अपनासिके आपन सन्तान बनैके लिए परमेश्वर उठ्या लेतै आर आपनसिके शरीरके सभे दुष्टतासे उद्धार कर्तै। 24 आब जब परमेश्वर अपनासिके बचैल्कै छे ते, आपनसिके लगत उटा हुएवाला महिमाके आशा छै। मगर जब तुहेंसब कुछु पाबैके इच्छा करैछैं जे तोरसंगे पहलहैसे छौ ते, उटा आशा नैछै। कोनो आदमी भी उटा चीज पाबैके इच्छा नैकरैछै जे ओकरलगत पहलहैसे छै। 25 मगर अपनासिके कुछु एरं मिलैके आशा छै जे आपनसिके लगत एखनतक नैछै, सेल्याके अपनासब धीरजके साथ तबतक इन्तजार करैछियै जबतक कि अपनासब ओकरा हासिल नैकरैछियै। 26 ओहिने करिके पवित्र आत्मा भी अपनासिके सहायता करैछै जब परमेश्वरमे आपनसिके भरोसा कमजोर हैछै। कहिनेकी अपनासब नैजानैछियै कि केरंके प्रार्थना करे पडैछै। मगर पवित्र आत्मा जे कोनो भी आदमी बोले नैसकैछै ओरंके आपनसिके लिए बिन्ती करैछै। 27 आर परमेश्वर, जे आदमीसिके मनके बुझैछै, ऊ पवित्र आत्माके मन भी बुझैछै। कहिनेकी परमेश्वरके इच्छा मुताबिक पवित्र आत्मा विश्वासीसिके लिए बिन्ती करैछै। 28 हमेसब जानैछियै कि परमेश्वरके प्रेम करेवाला आदमीसब आर परमेश्वरसे चुन्ल आदमीसिके लिए परमेश्वर ओकरसिके लिए आपन मकसदके मुताबिक सभे चीजमे भलाइये करैछै। 29 कहिनेकी जकरा ऊ पहलहैसे चुनल्कै छे, ओकरासिके ऊ पहलहैसे आपन बेटा येशूके स्वरुपमे हुऐके लिए निर्णय कैल्कै, ताकी परमेश्वरके बेटा बहुते भ्यासिमेसे पहेला हैतै। 30 फेर जकरा ऊ पहलहैसे आपन बेटा येशूके स्वरुपमे हुऐके लिए निर्णय कैल्कै, ओकरासिके ऊ बोलैल्कै छे, आर जकरा ऊ बोलैल्कै छे, ओकरासिके ऊ धर्मी घोषित भी कैल्कै छे, आर जकरा ऊ धर्मी घोषित कैल्कै छे, ऊ ओकरसिके संगे आपन महिमा बाँटल्कै छे। येशू ख्रीष्टमे परमेश्वरके प्रेम 31 यी सभे बातके ध्यानमे राखते अपनासब यी नतिजामे पहुँचैछियै कि यदि परमेश्वर आपनसिके संगे छै ते कोय भी अपनासिके हराबे नैसक्तै। 32 परमेश्वर आपन बेटाके ते आपन लिए नैराखल्कै, मगर आपनसिके लिए ओकरा आपन दुश्मनसिके सौंपी देल्कै। ऊ अपनासिके जरुर ही उटा सभे चीज मुफ्तमे देतै जे ऊ अपनासिके प्रतिज्ञा कैल्कै रहे। 33 कोय भी अपनासिपर परमेश्वरके समनामे आरोप नैलगाबे सकैछै कहिनेकी ऊ उहे छै जे अपनासिके धर्मी घोषित करैछै। 34 कोय भी आपनसिके निन्दा नैकरे सकैछै कहिनेकी ऊ येशू ख्रीष्ट छै, जे आपनसिके लिए मर्लै आर मुर्दासे जिन्दा बनैल गेलै रहे, आर परमेश्वरके दहिना हातके बगलमे छै, आर आपनसिके तरफसे आपनसिके लिए भी बिन्ती करैछै। 35 कोय भी अपनासिके ख्रीष्टके प्रेमसे अलग नैकरे सक्तै। संकट या दुःख या सतावट या अकाल या नंगापन या खतरा या तलवार, यी सभे चीजसिमेसे एकटा भी अपनासिके ख्रीष्टके प्रेमसे अलग नैकरे सक्तै। 36 जेरं धरमशास्त्रमे लिख्ल गेलै छे, “परमेश्वर, तोर खातिर सभे दिन हमरासिके मौतके खतरा रहैछै, काटैले लजाबेवाला भेंडाके जुगुर हमेसब गिन्तीमे छियै।” 37 मगर आपनसिसे जे प्रेम कैल्कै छे ओकरद्वारा यी सभे खराब चीजसिमे पुरा तरहसे जित आपनसिके छै। 38 कहिनेकी हमरा यी बात पक्का मालुम छै कि कोनो भी चीज अपनासिके, जे प्रेम ख्रीष्ट अपनासिके करैछै, उटा प्रेमसे अलग नैकरे सकैछै। एकरासे कोनो फरक नैपडैछै कि अपनासब मरैछियै या अपनासब जिन्दा छियै। स्वर्गदूत, शासक आर शक्तिसब जे स्वर्गमे छै अपनासिके ओकर प्रेमसे अलग नैकरे सक्तै आर ओकरासे भी अलग नैकरे सक्तै जे एखन हैछै आर जे भविष्यमे हैतै, सारा सृष्टिमे सभे कुछु आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टके द्वारा पैल परमेश्वरके प्रेमसे अपनासिके अलग नैकरे सक्तै। 39 उचाई या गहराई या सभे सृष्टिमे भेल कोनो भी चीज आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टद्वारा पैल परमेश्वरके प्रेमसे अपनासिके अलग नैकरे सक्तै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation