रोमी 6 - केवट नया कारारपापके लिए मर्ल आर परमेश्वरके लिए जिन्दा 1 सेल्याके परमेश्वर आपन अनुग्रहके कारण आपनसिके पापसिके माफ करैछै। मगर अपनासिके एरं नैसोचना चाही: चल अपनासब पाप करैछियै। 2 हर्गिस नै! अपनासब पापके लिए मर्ल छियै, आर सेल्याके अपनासिके पापमय काम कर्ते नैरहना चाही। 3 अपनासिके मालुम छै कि जब अपनासब सभेको येशू ख्रीष्टमे बप्तिस्मा लेलियै ते, यी एरं रहै जेरं अपनासब ख्रीष्टके संगे मरि गेलियै रहे। 4 जब अपनासब बप्तिस्मा लेलियै ते यी एरं रहै जेरं अपनासब ख्रीष्टके संगे मरि गेलियै आर ओकरसंगे दफ्नैल गेलियै। ताकी जेरंके ख्रीष्ट परमेश्वर पिताके महिमाद्वारा मुर्दासे जिन्दा बनैल गेलै, ओहिने करिके अपनासब भी एकटा नया तरिकासे जीवन जिबै। 5 कहिनेकी यदि अपनासब बप्तिस्माद्वारा ओकर मौतमे ओकरसंगे एक भेल छियै ते जरुर ही अपनासब ओकर मुर्दासे जिन्दा भेलमे ओकरसंगे एक हैबै। 6 हमेसब जानैछियै कि आपनसिके पुरना पापी स्वभाव येशू ख्रीष्टसंगे क्रूसमे टाँग्ल गेलै, ताकी आपनसिके शरीरके पापमय स्वभाव नाश हैतै, आर फेर अपनासिके पापके दास बने नैपडै। 7 कहिनेकी यदि एकटा आदमी मरैछै ते ऊ पापके शक्तिसे मुक्त हैछै। 8 सेल्याके यदि अपनासब ख्रीष्टके संगमे मर्ल छियै ते, अपनासिके विश्वास यी छै कि अपनासब ओकरसंगे जिन्दा भी रहबै। 9 कहिनेकी हमेसब जानैछियै कि ख्रीष्ट मुर्दासे जिन्दा भेलै आर ऊ फेर कहियो नैमर्तै। आब मौतके ओकरापर कोनो अधिकार नैछै। 10 कहिनेकी ख्रीष्ट जब मर्लै, ऊ पापके लिए एक्केबेर सभे आदमीसिके लिए मर्लै। मगर जे जीवन आब ऊ जियैछै, ऊ परमेश्वरके सेवा करैके लिए जियैछै। 11 अहिने करिके तहुँसब भी अपने आपके पापके शक्तिके लिए मर्ल सोच, मगर येशू ख्रीष्टमे परमेश्वरके सेवा करैके लिए जिन्दा भेल सोच। 12 सेल्याके पापमय इच्छासिके आपन जीवनमे राज्य करैले नैदहैं आर आपन पापमय इच्छासिके मुताबिक काम नैकर। 13 आपन शरीरके अंगसिके दुष्ट काममे प्रयोग हुऐके लिए समर्पण नैकर। मगर मौतसे जीवनमे आन्ल आदमीके जुगुर आपन जीवनके आर आपन शरीरके अंगसिके सही काम करैके लिए परमेश्वरके लगत पुरा समर्पण करि दहैं। 14 तब तोरासिपर पापके कोनो अधिकार नैहैतौ, कहिनेकी तुहेंसब विधि-विधानके अधिनमे नै, मगर परमेश्वरके अनुग्रहके अधिनमे जियैछैं। पापके नै, बल्की परमेश्वरके दास 15 कहिनेकी अपनासब मूसाके विधि-विधानके अधिनमे नैछियै, मगर परमेश्वरके अनुग्रहके अधिनमे छियै, सेल्याके अपनासिके पाप नैकरना चाही। 16 तोरासिके मालुम छौ कि, जब तुहें अपने आपके ककरो दास हुऐके लिए द्या दैछैं ते ऊ आदमी तोर मालिक भ्याजैछै आर तोरा उहे करना चाही जे ऊ कहैछै। तुहेंसब पापके दास हुए सकैछैं जे मौतके महर ल्याजैछै या तुहेंसब परमेश्वरके आज्ञापालन करैके चुनाव करे सकैछैं, जे परमेश्वरसे धर्मी घोषित हुएवाला जीवनके तरफ ल्याजैछै। 17 तुहेंसब पहेला पापके दास रहैं, मगर आब तुहेंसब ऊ शिक्षासिके पालन कैल्हैं छे, जे शिक्षा तोरासिके देल गेलौ रहे। सेल्याके हमे परमेश्वरके धन्यवाद दैछियै। 18 परमेश्वर तोरासिके पापके शक्तिसे मुक्त कैल्कौ छे। तुहेंसब परमेश्वरके दास बनी गेल्हैं छे ताकी तुहेंसब उटा काम करे सक्हैं जे काम सही छै। 19 तुहेंसब आत्मिक बातसब बुझे नैसकैछैं, सेल्याके हमे दैनिक जीवनके उदाहरणसे तोरासिके बताबैछियौ। जेरंके एकबेर तुहेंसब आपन शरीरके अंगसिके अशुद्धता आर आरहौ बेसी पापके लिए समर्पण कैल्हैं, आब ओहिने करिके आपन शरीरके अंगसिके धर्मी जीवन जियैके लिए समर्पण कर, जे पवित्रताके तरफ ल्याजैछै। 20 जब तुहेंसब पापके दास रहैं ते, तोरासिमे धार्मिक काम करैके कोनो इच्छा नैरहौ। 21 आपन पुरना जीवनसे तोरा कोन फैदा भेलौ? तुहेंसब ओकर कारण खाली लाजमे पडैछैं। कहिनेकी उटा सभे कामके फल मौत छै। 22 मगर आब तुहेंसब पापसे मुक्त भ्याके आर परमेश्वरके दास बनिके उटा कामसिके करैछैं, जे पवित्रताके तरफ ल्याजैछै, आर ओकर अन्त कहियो खतम नैहुएवाला जीवन छै। 23 कहिनेकी पापके फल मौत छै, मगर परमेश्वरके देल वरदान, कहियो खतम नैहुएवाला जीवन आपनसिके प्रभु येशू ख्रीष्टमे मिलैछै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation