Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

रोमी 2 - केवट नया कारार


परमेश्वरके धर्मी न्याय

1 सेल्याके शायद तुहें एरं सोचैछैं कि तुहें एरंको आदमीसिपर दोष लगाबे सकैछैं, मगर तुहें जे दोसर आदमीसिपर दोष लगाबैछैं, तोरसंगे कोनो बहाना नैछौ, कहिनेकी जे बातमे तुहें दोसरके दोषी बनैभैं, उहे बातमे तहुँ दोषी हैभैं, कहिनेकी तुहें दोष लगाबेवाला भी उहे काम करैछैं।

2 हमरासिके मालुम छै कि जब परमेश्वर एरं काम करेवाला आदमीसिके इन्साफ करैछै ते ऊ सही हैछै।

3 तुहें एरं काम करेवाला आदमीसिके दोष लगाबैछैं, आर खुद भी उहे काम करैछैं ते, कि तुहें परमेश्वरके इन्साफसे बची जैबै कहिके सोचैछैं?

4 या तुहें परमेश्वरके भलाइ, सहनशीलता आर धीरजके तुच्छ सम्झैछैं? आर कि यी नैसम्झैछैं कि परमेश्वरके भलाइ तोरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए सिखाबैछै?

5 मगर कहिनेकी तुहेंसब हठी छैं आर पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैले इन्कार करैछैं, उटा दिन जब परमेश्वर आपन क्रोध देखैतै परमेश्वरके सच्चा इन्साफ प्रकट हैतै, परमेश्वर आरहौ बेसी गम्भीर रुपसे तोरसिके इन्साफ कर्तौ।

6 परमेश्वर सभे आदमीके ओकर कामके मुताबिक प्रतिफल देतै।

7 धीरजके साथ बढियाँ काम करिके महिमा, इज्जत आर अमरता खोजेवाला आदमीके परमेश्वर कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देतै।

8 मगर जेसब स्वार्थी छै आर सचके नैमानैछै, मगर कुकर्मके पालन करैछै, ओकरासिपर परमेश्वर आपन क्रोध आर गोस्सा देखैतै।

9 खराब काम करेवाला सभे आदमीके उप्परमे संकट आर आफत ऐतै आर परमेश्वर पहेला यहूदी आदमीसिके इन्साफ कर्तै, तकरबाद गैर-यहूदी आदमीसिके इन्साफ कर्तै।

10 जेसब बढियाँ काम करैछै, परमेश्वर ओकरासिके महिमा, आदर आर शान्ति देतै, पहेला यहूदी आदमीसिके मिल्तै तकरबाद गैर-यहूदी आदमीसिके मिल्तै।

11 कहिनेकी परमेश्वर सभे आदमीसिसे एक समान व्यवहार करैछै।

12 इहे ल्याके कि जब मूसाके विधि-विधान नैभेल गैर-यहूदी आदमीसब पाप करैछै आर ऊसब मूसाके विधि-विधानके बिना ही परमेश्वरसे सजाय पैतै। जब मूसाके विधि-विधान भेल यहूदी आदमीसब पाप करैछै, परमेश्वर ओकरासिके मूसाके विधि-विधानके मुताबिक ही सजाय देतै।

13 कहिनेकी परमेश्वरके विधि-विधान सुनिके खाली आदमी परमेश्वरके समनामे धर्मी घोषित नैहैछै, मगर मूसाके विधि-विधानके आज्ञापालन करिके धर्मी घोषित हैछै।

14 फेर जब गैर-यहूदी आदमीसब जकर लगत मूसाके विधि-विधान नैछै, आदमीसब स्वभाविक रुपसे मूसाके विधि-विधानमे पाबेवाला कामसिमेसे कुछु कामसिके करैछै ते, मूसाके विधि-विधान ओकरसिके लगत नैभेल पर भी ऊसब साबित करैछै कि ओकरसिके लगत ओकरसिके आपन मनमे एकटा विधि-विधान छै।

15 ऊसब देखाबैछै कि परमेश्वरके विधि-विधान ओकरसिके मनमे लिख्ल छै, कहिनेकी ओकरसिके आपन विवेक देखाबैछै कि यी सच छै कहिनेकी ओकरसिके विचार या ते ओकरासिपर दोष लगाबैछै या ओकरासिके बताबैछै कि ऊसब सही करैछै।

16 यी सभे उटा दिन हैतै जब परमेश्वर हमर प्रचार कैल खुश-खबरीके मुताबिक येशू ख्रीष्टद्वारा आदमीसिके गुप्त कामके इन्साफ कर्तै।

17 कहिनेकी तुहें खुदके यहूदी आदमी कहैछैं, विधि-विधानमे भरोसा राखैछैं, परमेश्वर तोरासिके बहुते पसन्द करैछौ कहिके घमण्ड करैछैं।

18 आर तोरा परमेश्वरके इच्छा मालुम छौ, तुहें बढियाँ-बढियाँ बातके पाछु चलैछैं कहिनेकी तोरासिके यी बातसिके विषयमे विधि-विधानसे सिखैल गेलौ छे।

19 आर कहिनेकी तोरा यी बातके यकीन छौ कि तुहें एरं आदमीसब छैं जकरा अनराह आदमीसिके परमेश्वरके रस्ता देखाना चाही, आर तुहें ऊ आदमीसिके लिए उजेतके जुगुर छैं जेसब अनहारमे छै,

20 आर तुहें मूर्ख आदमीसिके सिखाबैछैं, कमजोर आदमीसिके शिक्षा दैछैं। आर तोरासिके मालुम छौ कि तोरसिके संगे मूसाके विधि-विधान छौ, तोरासिके सभे बात बढियाँसे मालुम छौ आर तोरसिके कहेल बात एकदम सही छौ।

21 एरंके जब तुहें दोसर आदमीसिके सिखाबैछैं ते, तुहें खुदके कहिने नैसिखाबैछैं? जब तुहें चोरीके विरुद्धमे प्रचार करैछैं ते, कि तुहें खुद चोरी नैकरैछैं?

22 तुहें जे व्यबिचार नैकर कहिके प्रचार करैछैं ते, कि तुहें खुद व्यबिचार नैकरैछैं? तुहें जे मूर्तिके घृणा करैछैं ते, कि खुद परमेश्वरके मन्दिरसब नैलुटैछैं?

23 परमेश्वरके विधि-विधान तोरसिके संगे छौ कहिके तुहेंसब घमण्ड करैछैं ते, तुहें विधि-विधानके तोडीके परमेश्वरके अनादर कहिने करैछैं?

24 सेल्याके धरमशास्त्रमे एरं लिख्ल छै, “तुहें यहूदी आदमीसिके कारणसे ही गैर-यहूदी आदमीसब परमेश्वरके बारेमे अपमानवाला बातसब बोलैछै।”

25 हमे तोरा कुछु कहैले चाहैछियौ। तोर खतना कैल जैके मोल खाली तखनिहैं छै जब तुहें विधि-विधानके मानैछैं। मगर यदि विधि-विधानके आज्ञापालन नैकरैछैं ते तुहें खतना कैल यहूदी आदमीसब ऊ आदमीसिके जुगुर ही छैं जेसब यहूदी आदमीसब नैछै आर जकर खतना नैभेलै छे।

26 अगर शरीरमे खतना नैभेल आदमीसब विधि-विधानके आज्ञापालन करैछै ते, परमेश्वर जरुर ही विचार कर्तै कि खतना नैभेल ऊ आदमीसब परमेश्वरके आदमीसब बने सकैछै।

27 तब शरीरमे खतना नैकरिके भी जेसब विधि-विधानके आज्ञापालन कैल्कै छे, ऊ आदमी मूसाके विधि-विधान पैल आर शरीरमे खतना भेल आदमीसब जे विधि-विधानके आज्ञापालन नैकैल्कै छे, ओकरा दोषी बनैतै।

28 कहिनेकी तुहेंसब एकटा यहूदी आदमीके सन्तान भ्याके जनमैके कारणसे या तोरसिके खतना हुऐके कारणसे तुहेंसब सच्चा यहूदी नैहुए सकैछैं।

29 सच्चा यहूदी आदमी ऊ छै जकर हृदय परमेश्वरके संगे सही छै। आर सच्चा खतना खाली मूसाके विधि-विधानके पालन करना नैछै, मगर यी हृदयके बदलाव छै, जे पवित्र आत्माके द्वारा उत्पन्न हैछै। एरंको आदमी दोसर आदमीसिसे नै मगर परमेश्वरसे प्रशंसा पाबैछै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan