Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

रोमी 11 - केवट नया कारार


इस्राएलीसिपर परमेश्वरके दया

1 सेल्याके हमे पुछैछियै, “कि परमेश्वर आपन प्रजाके त्यागी देल्कै छे ते? हर्गिस नै!” कहिनेकी हम्हुँ भी ते अब्राहमके सन्तान, बेन्यामिनके कुलके एकटा इस्राएली छियै।

2 परमेश्वर पहलहैसे चुन्ल आपन आदमीसिके नैत्यागल्कै। तुहेंसब जानैछैं कि परमेश्वरके वक्ता एलिया धरमशास्त्रमे इस्राएलीसिके विरुद्धमे परमेश्वरके समनामे आरोप लगैल्कै रहे।

3 ऊ कहैल्कै, “हे प्रभु, ऊसब तोर वक्तासिके जान मारल्कै छे, तोर वेदीसब नाश करिदेल्कै छे आर खाली हमे ही छियै जे तोर आज्ञापालन करैछै, आर ऊसब हमर जान मारैले चाहैछै।”

4 मगर परमेश्वर आपन वक्ता एलियाके जबाब देल्कै, “झुट्ठा देवता बालके मूर्तिके आराधना नैकरेवाला सात हजार आदमीसिके हमे आपन लिए बच्याके राख्लियै छे।”

5 ओहिने करिके एखन वर्तमान समयमे भी परमेश्वरके अनुग्रहके कारण यी यहूदी आदमीसिके एकटा छोटका हिस्सा छै, जकरा परमेश्वर आपन सच्चा आदमीके रुपमे चुनल्कै छे।

6 परमेश्वर ओकरासिके अनुग्रहसे चुनल्कै छे। यी उद्धार बढियाँ कामसिके करैके द्वारा नैछै, अगर यी उद्धार बढियाँ कामसिके करैके द्वारा हैतियै ते, अनुग्रह फेर अनुग्रह नैरहैतियै।

7 ते यी उहे छै जे भेलै छे: तैय्योपर भी इस्राएलीसब परमेश्वरसंगे धर्मी घोषित हुऐके कोशिश कैल्कै, मगर ऊसब सफल नैभेलै। मगर जे आदमीसिके परमेश्वर चुनल्कै, ऊसब परमेश्वरके नजरमे धर्मी घोषित भेलै। दोसर आदमीसिके जिद्दी बन्या देल्कै आर परमेश्वरके बात सुनैसे इन्कार करिदेल्कै।

8 जेरं परमेश्वरके वक्ता यशैया धरमशास्त्रमे लिखल्कै छे, “परमेश्वर ओकरासिके ऐजके दिनतक सुस्त दिमाग देल्कै छे, एरंको आँख देल्कै छे, जेटा आँखीसे देखे नैसकै, आर एरंको कान देल्कै छे, जेटा कानसे सुने नैसकै।”

9 आर दाऊद राजा कहैछै, “ऊसब आपन भोजमे भेल समयमे अचानक पकड्ल जै, जेरंके एकटा चिडिया एकटा जालमे फसी जैछै या एकटा जानवर एकटा खधामे अचानक गिरी जैछै, ताकी ऊसब ठीकसे दण्डित कैल जै।

10 ओकरसिके मनमे भी अनहार भ्याजै, ताकी ऊसब सचके नैसम्झे सकै आर ऊसब लगातार बोझ आर तकलीफमे भी रहै।”

11 फेर हमे पुछैछियै, “कि यहूदी आदमीसब ठोकर लागैके कारणसे सभे दिनके लिए पतित भ्यागेलै छे ते? हर्गिस नै!” मगर ऊसब अनाज्ञाकारी हुऐके कारणसे गैर-यहूदी आदमीसिके उद्धार मिल्लै छे, ताकी इस्राएलीसिके जर्नी भ्याजै।

12 यदि इस्राएलीसिके अनाज्ञाकारिता संसारके गैर-यहूदी आदमीसिके भलाइके कारण बनैछै ते, इस्राएलीसब परमेश्वरके लगत वापस ऐतै ते ओकरसिके लिए बडका आशिष हैतै।

13 हमे तुहें गैर-यहूदी आदमीसिके कहैछियौ। जब कि हमे गैर-यहूदी आदमीसिके लिए चुन्ल आर भेज्ल चेला छियै, ते हमे आपन सेवकाईमे घमण्ड कर्बै।

14 ताकी कोनो रितीसे हमर आपने यहूदी आदमीसिके तोरासिसे जर्नी कर्याके ओकरामेसे कक्रहौ-कक्रहौ बचाबे सकियै।

15 कहिनेकी जब इस्राएलीसब परमेश्वरके त्यागल्कै, तब संसारके सभे आदमीसब परमेश्वरके संगे मिलापमे ऐलै। जब ऊसब ख्रीष्टके मसीहाके रुपमे स्वीकार कर्तै, यी एकटा मर्ल आदमीके जुगुर हैतै जे फेर जिन्दा भ्यागेलै छे।

16 हमे यहूदी आदमीसिके बारेमे तोरासिके एकटा उदाहरण दैछियौ। यी आपन यहूदी आदमीसिके रिवाज छै, जब अपनासब रोटी बनाबैके लिए अट्टा सानैछियै ते, अपनासब परमेश्वरके दियैके लिए मुट्ठीभर अट्टा लैछियै। यदि उटा एक मुट्ठी अट्टा परमेश्वरके छै ते, एकर मतलब यी छै कि पुरा अट्टा भी परमेश्वरके ही छै। अहिने करिके गाछके जड पवित्र छै ते सभे ठ्यारसब भी पवित्र छै।

17 इस्राएलीसब एकटा बढियाँ जैतुनके गाछके ठ्यारके जुगुर छै आर पुर्खासब अब्राहम, इसहाक आर याकूब उटा गाछके जडके जुगुर छै। गैर-यहूदी आदमीसब जंगली जैतुनके गाछके ठ्यारसब छै। यदि कुछु ठ्यारसब काट्ल गेलै, आर तुहें गैर-यहूदी आदमीसब जंगली जैतुन भ्याके यहूदी आदमीसिके जगहमे कलमी बान्हल गेल्हैं ते, तुहेंसब यहूदी आदमीसिसे ओहिने करिके फैदा पाबैछैं जेरंके जंगली जैतुनके गाछके ठ्यारसब बढियाँ जैतुनके गाछके रससे फैदा पाबैछै।

18 इहे ल्याके, उटा काट्ल ठ्यारसिके बारेमे घमण्ड नैकर। आर अगर तुहेंसब घमण्ड करैछैं ते, यी याद राख कि जडके थामेवाला तुहें नैछैं, मगर जड तोरा थामैछौ।

19 तुहें शायद कहे सकैछैं, “यी हमेसब छियै जकरा परमेश्वर पसन्द कैल्कै छे, कहिनेकी ऊ यहूदी आदमीसिमेसे कुछुके अस्वीकार कैल्कै ताकी हमेसब ओकर जगह लिए सकियै।”

20 यी बात सच छै, कि ओकरसिके अविश्वासके कारणसे ऊसब गाछसे काट्ल गेलै। मगर तुहेंसब ते तोरसिके विश्वाससे टिक्ल छैं। सेल्याके घमण्डी नैहु, मगर श्रद्धापूर्ण भय राख।

21 यदि परमेश्वर असली ठ्यारसिपर दया नैकैल्कै, ते तोरहौसिपर दया नैकर्तौ।

22 सेल्याके तोरासिके परमेश्वरके दया आर कठोरपनके ध्यान देना चाही। पतन भेल आदमीसिपर कठोरता देखैल जैतै मगर यदि तुहेंसब ओकर दयापर रहभैं ते, तोरासिपर परमेश्वरके दया देखैल जैतौ, नैते तहुँसब ठ्यारके जुगुर काट्ल जैभैं।

23 अगर यहूदी आदमीसब विश्वास करैले शुरु कर्तै ते, जेरंके जैतुनके गाछमे ठ्यारके कलमी बान्हल जैछै ओहिने करिके यहूदी आदमीसब भी परमेश्वरके संगे फेर जोड्ल जैतै, कहिनेकी परमेश्वर उटा काम करैके लिए सक्षम छै।

24 कोनो जंगली ठ्यारके कोनो बढियाँ गाछके हिस्सा बनना स्वभाविक नैछै। आर तुहें जे यहूदी नैछैं एकटा जंगली जैतुनके गाछसे काट्ल ठ्यारके जुगुर छैं आर एकटा बढियाँ जैतुनके गाछमे सामिल भ्या गेल्हैं छे। कहिनेकी यदि ऊ यहूदी आदमीसब एकटा ठ्यारके जुगुर छै जे बढियाँ गाछसे बाढ्लै रहे, जरुर ही ओकरासिके फेरसे आपन जैतुन गाछसे मिलैल ज्या सकैछै।

25 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमे चाहैछियै कि तुहेंसब इस्राएलके आदमीसिके बारेमे यी भेदके जान ताकी तुहेंसब अपने आपके बारेमे घमण्ड महसुस नैकरिहैं। इस्राएलीसिमेसे कुछु कठोर दिलके छै, मगर खाली यी तबतक रहतै जबतक कि गैर-यहूदी आदमीसिके पुरा संख्या ख्रीष्टके लगत आबैछै।

26 यी बात भेलके बाद एरंके सभे इस्राएलीसब उद्धार पैतै। जेरंके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “उद्धार करेवाला आदमी यरूशलेम सहरसे ऐतै, आर ऊ याकूबके वंशके खराब कामसे दूर हटैतै।

27 आर जब हमे ओकरसिके पाप माफ कर्बै, तब ओकरसिसे हमर इहे करार हैतै।”

28 यहूदी आदमीसब परमेश्वरके दुश्मन छै कहिनेकी ऊसब खुश-खबरीपर विश्वास नैकरैले चाहैछै, आर यी तोरसिके लिए फैदा भ्या गेलौ छे। मगर परमेश्वर ओकरासिके प्रेम करैछै कहिनेकी ऊ ओकरासिके चुनी लेल्कै। इहे बातके परमेश्वर ओकरसिके बाप-पुर्खासिसे प्रतिज्ञा कैल्कै रहे।

29 कहिनेकी परमेश्वर आपन वरदान आर बुलाहटसे कहियो भी आपन मन नैबदलैछै।

30 कहिनेकी तहुँसब भी एकबेर परमेश्वरके आज्ञापालन नैकर्ते रहैं, मगर आब यहूदी आदमीसिके अनाज्ञाकारितासे तुहेंसब दया पैल्हैं छे।

31 सेल्याके ऊसब भी आब अनाज्ञाकारी भेलै छे कि तोरासिपर भेल परमेश्वरके दयाके नतिजा स्वरुप ऊसब भी आब दया पाबे सकै।

32 कहिनेकी परमेश्वर सभे आदमीके अनाज्ञाकारी हुऐके अनुमति दैछै, ताकी ऊ सभे आदमीसिपर आपन दया देखाबे सकै।


परमेश्वरके स्तुति आर आदर

33 आहा! परमेश्वरके धन आर बुद्धि आर ज्ञान सच्चे बहुते महान छै! कोय भी ओकर फैसलाके व्याख्या नैकरे सकैछै, कोय भी ओकर रस्ताके नैसम्झे सकैछै!

34 कहिनेकी प्रभुके मनके बात कोय नैजाने सकैछै। या कोय भी ओकर सल्लाहकार नैबने सकैछै।

35 कोय भी कहियो परमेश्वरके कोनो चीज नैदेल्कै छे, ताकी परमेश्वर ओकरासिके घुम्याके दिए पड्लै।

36 कहिनेकी सभे कुछु परमेश्वरसे आबैछै। ऊ सभे कुछु बनैल्कै छे, आर सभे चीज ओकरे छै। ओकरा सभे दिन महिमा मिल्ना चाही! आमेन!

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan