रोमी 10 - केवट नया कारारइस्राएलके खुश-खबरीके जरुरत 1 हे विश्वासी भ्या-बहिनसब, हमर आपन हृदयके इच्छा आर हमर आपन यहूदी आदमीसिके लिए परमेश्वरसे हमर प्रार्थना छै कि परमेश्वर ओकरासिके बचैतै। 2 कहिनेकी हमे ओकरसिके गवाही दैछियै कि ओकरासिके परमेश्वरके लिए उत्साह ते छै, मगर परमेश्वरके सेवा केरंके कैल जै, एकर ओकरासिके समझ सही नैछै। 3 कहिनेकी ऊसब परमेश्वर आदमीसिके धर्मी घोषित करैछै कहिके पहचानैमे असफल भ्याके आपन तरिकासे धर्मी घोषित हुऐके कोशिश कर्ते रहै। सेल्याके ऊसब धर्मी घोषित करैके परमेश्वरके तरिकाके स्वीकार नैकैल्कै। 4 विधि-विधानके मकसद, आब ख्रीष्ट जे कैल्कै छे ओकर कारणसे पुरा भ्यागेलै छे। ते हरेक जे ख्रीष्टमे विश्वास करैछै परमेश्वर ओकरासिके धर्मी घोषित करैछै। 5 जब मूसा केरंके आदमीसब विधि-विधान पालन करिके परमेश्वरके संगे धर्मी घोषित हुए सकैछै कहिके लिखल्कै, तब ऊ कहैल्कै, “जे आदमी विधि-विधानके पालन करैछै, ऊ ओक्रहैसे जिन्दा रहतै।” 6 मगर विश्वासद्वारा धर्मी घोषित हुऐके विषयमे धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “अपने आपसे यी नैक, ‘ख्रीष्टके निच्चा आनैके लिए के स्वर्गतक उप्पर जैतै?’ 7 या अपने आपसे यी नैक, ‘ख्रीष्टके मुर्दासे जिन्दा बन्याके उप्पर आनैके लिए के नरक लोकमे जैतै?’ ” 8 मगर यी कहैछै कि, “तुहेंसब पहलहैसे ही वचनसब बोली लेल्हैं छे, आर उटा बात तोर मनमे छौ” यी सन्देश जे तोरासिके परमेश्वरपर भरोसा करे पडैछै कहिके कहैछै, ओकरा अपनासब प्रचार करैछियै। 9 कहिनेकी अगर तुहें येशूके प्रभु कहिके आपन मुखसे स्वीकार कैल्हैं, आर परमेश्वर ओकरा मुर्दासे जिन्दा कैल्कै कहिके आपन हृदयमे विश्वास कर्भैं ते, तोर उद्धार हैतौ। 10 कहिनेकी अपनासब आपन हृदयसे विश्वास करैछियै ते, परमेश्वरद्वारा अपनासब धर्मी घोषित कैल जैछियै। आर जब अपनासब मुखसे स्वीकार करैछियै यी कहैके लिए कि अपनासब विश्वास करैछियै ते, अपनासब उद्धार पाबैछियै। 11 परमेश्वरके वक्ता यशैया ख्रीष्टके बारेमे धरमशास्त्रमे लिखल्कै रहे, “ओकरापर विश्वास करेवाला कोय भी आदमी निराश नैहैतै।” 12 यहूदी आदमी आर गैर-यहूदी आदमीसिमे कोनो फरक नैछै। इहे ल्याके कि परमेश्वर सभैके प्रभु छै, आर सहायताके लिए पुकारेवाला सभैके लिए ऊ उदार छै। 13 कहिनेकी एरं लिख्ल छै, “प्रभु ऊ सभैके बचैतै जेसब सहायताके लिए ओकरा पुकारैछै।” 14 मगर परमेश्वरसे सहायता माँगैसे पहेला, आदमीसिके ओकरापर विश्वास करना चाही, आर ऊसब ओकरापर विश्वास करैसे पहेला, ओकरासिके ओकर बारेमे सुनना चाही, आर आदमीसिके प्रभुके बारेमे सुनैके लिए, येशू ख्रीष्टमे विश्वास करैके बारेमे कक्रहौ ओकरासिके बताना चाही। 15 आर कोय आदमी जैके ओकरासिके बताबैसे पहेला, ऊ आदमीके भेज्ल जाना चाही। सेल्याके धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “खुश-खबरी सुनाबेवाला आदमीसिके पैर कतनें सुन्दर छै!” 16 मगर ऊसब सभेको खुश-खबरीपर विश्वास नैकैल्कै। परमेश्वरके वक्ता यशैया कहैछै, “हे प्रभु, कोय भी आदमीसब हमरसिके सन्देशपर विश्वास नैकैल्कै।” 17 सेल्याके विश्वास तब आबैछै जब तुहेंसब सन्देश सुनैछैं, आर उटा सन्देश येशू ख्रीष्टके बारेमे सन्देश छै। 18 मगर हमे कहैछियै कि यहूदी आदमीसब जरुर ही ख्रीष्टके बारेमे सन्देश सुनल्कै छे। कहिनेकी धरमशास्त्रमे लिख्ल छै, “ओकरसिके सन्देश सारा धर्तीमे पहुँचल छै, आर ओकरसिके वचन धर्तीपर सभे जगह तक पहुँचल छै।” 19 हमे फेर कहैछियै कि यी सच छै कि इस्राएलीसिके ख्रीष्टके बारमे समझमे ऐलै। पहेला ते प्रभु आपन वक्ता मूसाके द्वारा यी कहैल्कै, “हमे तोरासिके जर्नी कराबैके लिए ऊ गैर-यहूदी आदमीसिके प्रयोग कर्बै जे एकटा देश ही नैछै। हमे तोरासिके ऊसब आदमीसिसे क्रोधित बनैबौ जकरा यहूदी आदमीसब मूर्ख समझते रहै।” 20 कहिनेकी परमेश्वर कहैल्कै, सेल्याके परमेश्वरके वक्ता यशैया साहासके साथ एरं कहैछै, “हमरा नैखोजेवाला आदमीसब हमरा पैल्कै छे, आर जेसब हमर बारेमे पुछते भी नैरहै, ओकरसिके बिच्चेमे हमे अपने आपके प्रकट कैलियै छे।” 21 मगर इस्राएलीसिके विषयमे परमेश्वर आपन वक्ता यशैयाके द्वारा कहैल्कै, “हमे सभे दिन हमर हात आज्ञा नैमानेवाला आर विवाद करेवाला आदमीसिके महर हमरलगत वापस आबैले आमन्त्रित करैके लिए फैलैलियै छे।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation