प्रकाश 9 - केवट नया कारार1 तब पाँचवा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर हमे एकटा ताराके आकाशसे धर्तीमे खस्ल देख्लियै। एकरा उटा चाभी देल गेलै, जे उटा अथाहा कुण्डके खोले सकैछै जकर गहराईके कोनो अन्त नैछै। 2 ऊ अथाहा कुण्ड खोल्लकै, आर उटा कुण्डसे बडका आगिनके भट्टीके जुगुर धुवाँ निकल्लै आर कुण्डके धुवाँसे सुरुज आर वायुमण्डलके झाँपी देल्कै। 3 उटा धुवाँमेसे धर्तीपर फडिंगासब निकल्लै आर ओकरासिके बिच्छुसिके जुगुर आदमीसिके काटैके लिए शक्ति मिल्लै। 4-5 जेरंके कक्रहौ बिच्छुके काटैसे दरद हैछै, ओहिने करिके यी फडिंगासिके पाँच महिनातक ऊ आदमीसिके तडपाबैके अनुमति देल गेलै रहे, जकर मथापर परमेश्वरके मोहरके निशान नैरहै। मगर ओकरासिके नैते धर्तीके घासके नैते कोनो गाछ-वृक्षसिके हानी करना रहै। 6 उटा पाँच महिनासिमे आदमीसब मरैके तरिका खोज्तै मगर ऊसब मरे नैसक्तै। ऊसब मरैके इच्छा कर्तै मगर ओकरासिके मरैके कोनो तरिका नैमिल्तै। 7 यी फडिंगासब लडाईमे जैके लिए तैय्यार भेल घोडासिके जुगुर दिखाई देते रहै। ऊसब आपन मथामे कुछु पिन्हल रहै जे सोनाके मकुट जुगुर लाग्ते रहै। ओकरसिके चेहरा आदमीके चेहराके जुगुर लाग्ते रहै। 8 ओकरसिके केश जनानीसिके केशके जुगुर लम्बा रहै। आर ओकरसिके दाँत शेरके दाँतके जुगुर मजगुत रहै। 9 आपन छातीपर ऊसब लुहासे बन्ल कवच लगैले रहै। जब ऊसब उड्ते रहै ते, ऊसब एरं आवाज कर्ते रहै जेरं कि बहुते घोडासब लडैमे ज्यावाला रथसिके टान्ते करैछै। 10 ओकरसिके बिच्छुसिके जुगुर नाँगर आर सुङ रहै। ऊसब आपन नाँगरके डंकसे पाँच महिनातक आदमीसिके कष्ट दियैमे सक्षम रहै। 11 एकटा राजा छै जे ओकरासिके काबुमे राखैछै। यी उहे दूत छै जे अथाहा कुण्डके खोल्लकै रहे। हिब्रू भाषामे ओकर नाम “एबाड्डोन” छै आर यूनानी भाषामे “अपोल्लियन” छै जकर मतलब छै, ऊ जे नाश करैछै। 12 पाँच महिनाके बाद यी बिपत्ति खतम भ्याजैतै। मगर एकरबाद भी आरहौ दीटा बिपत्ति आबेवाला छै। 13 एकरबाद छठमा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै। जब ऊ एकरा फुकल्कै ते हमे परमेश्वरके समनामे धुप जराबेवाला सोनाके वेदीके चारो कोनामेसे एकटा आवाज सुन्लियै। 14 आर उटा आवाज धुतहुक लेल छठमा स्वर्गदूतसे कहैल्कै, “आब बडका लद्दी युफ्रेटिसके किनारमे बान्हल ऊ चारटा दूतके खोली दहैं।” 15 सेल्याके तब ऊ चारोटा दूतके खोली देल गेलै। ऊसब पहेलासे ही तैय्यार रहै आर ओकरासिके कहेल गेलै रहे कि यीटा समय, यीटा दिन, यीटा महिना आर यीटा सालके लिए इन्तजार करै आर आब यी एखन आबी गेलै रहे। ओकरासिके संसारके एक हिस्सा आदमीसिके जान मारना रहै। 16 ऊसब घोडसवार सैनिकसिके एकटा बहुते बडका फौज जमा कैल्कै, जकर गन्ती हमे बीस करोड सुन्लियै। 17 उटा घोडासब आर घोडसवारसब जकरा हमे दर्शनमे देख्लियै ऊसब एरं दिखाई देते रहै: ओकरसिके छातीके रक्षा करेवाला कवच आगिनके जुगुर लाल, गहरा नीला आर गन्धकके जुगुर हर्दिहा रंगके रहै। घोडासिके मुडा शेरसिके मुडाके जुगुर लाग्ते रहै। ओकरसिके मुखसे आगिन, धुवाँ आर गन्धक निकल्ते रहै। 18 यी तीनटा बिपत्तिसब, जे कि घोडासिके मुखसे निक्लेवाला आगिन, धुवाँ आर गन्धक रहै, सभे मानव जातिसिमेसे एक तिहाइके जान मारल्कै। 19 उटा घोडासिके नाँगरमे डसेवाला साँपसिके मुडाके जुगुर चीजसब रहै। आपन नाँगरसे ऊसब आदमीसिके यातना देते रहै। ऊ घोडासब आपन मुख आर नाँगरके द्वारा आदमीसिके यातना देल्कै आर जान मारि देल्कै। 20 आर बच्ल आदमीसब, जेसब उटा हानीकारक घोडासिके द्वारा जान नै मार्ल गेलै, ऊसब आपन सोना, चानी, पित्तल, पत्थल, आर लकडीके मूर्तिसिके पूजा करैले नैछोडल्कै, जे ऊसब बनैल्कै रहे। यी मूर्तिसब देखे नैसकैछै, सुने नैसकैछै, आर लरे भी नैसकैछै। ऊसब भूत-प्रेतसिके भी पूजा करैले नैछोडल्कै। 21 ऊसब आपन कैल हत्या, जादु-टोना, व्यबिचार आर चोरीसे पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन नैलगैल्कै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation