Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

प्रकाश 8 - केवट नया कारार


सतमा मोहर आर सोनाके धुपदानी

1 जब बलि-भेंडा सतमा मोहर खोलल्कै ते, ऊसब जे स्वर्गमे रहै आधा घण्टाके लिए शान्त भ्यागेलै।

2 आर हमे परमेश्वरके समनामे खडा रहेवाला सातटा स्वर्गदूतसिके देख्लियै। ओकरासिके सातटा धुतहुक देल गेलै।

3 ओत्तेसे, आरहौ एकटा स्वर्गदूत ऐलै आर धुपके वेदी लगत खडा भेलै। ऊ स्वर्गदूत धुप जराबैके लिए सोनाके धुपदानी ल्याके ऐलै आर ओकरा सभे आदमीसिके प्रार्थनाके सहित जराबैके लिए बहुते धुप देल गेलै। ऊ धुप आर प्रार्थनासिके उटा सोनाके धुपके वेदीके उप्परमे जर्या देल्कै, जे परमेश्वरके सिंहासनके समनामे रहै।

4 स्वर्गदूतके द्वारा जरैल गेल धुपसे निक्लेवाला धुवाँ परमेश्वरके आदमीसिके प्रार्थनासिके संगे उप्पर परमेश्वरके समनामे पहुँचलै।

5 तब स्वर्गदूत धुपदानी ल्याके एकरा वेदीके उप्परमे बरेवाला आगिनसे भरि देल्कै आर धर्तीमे फेकि देल्कै। तब मेघ-गर्जनके जुगुर गडगडाहटके आवाज निक्ले लाग्लै, बिजली चम्के लाग्लै आर भूकम्प भेलै।


सातटा धुतहुकसब

6 उटा सातटा धुतहुक हुएवाला सातोटा स्वर्गदूत धुतहुक फुकैले तैय्यारी भेलै।

7 पहेला स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर तुरन्ते खूनसे मिल्ल बहुते पत्थल आर आगिन धर्तीमे बर्से लाग्लै। नतिजा स्वरुप धर्तीके एक तिहाइ भाग, गाछसिके एक तिहाइ भाग आर सभे हारा घाससब जरि गेलै।

8 दोसर स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै, एरंको कुछु जे एकटा बडका जर्ते रहेवाला पहाडके जुगुर दिखाई देते रहै, समुन्दरमे गिरी गेलै,

9 आर समुन्दरके एक तिहाइ भाग खून बनी गेलै। तब समुन्दरमे रहेवाला एक तिहाइ जिन्दा प्राणी मरि गेलै। यी समुन्दरके एक तिहाइ जहाजसिके भी नाश करिदेल्कै।

10 तेसर स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर एकटा बडका तारा जे मसालके जुगुर जर्ते रहै, आकाशसे टूट्लै आर नतिजा स्वरुप लद्दीसिके एक तिहाइ भाग आर पानीसिके मोकासिमे खस्लै।

11 जकर कारणसे पानीके उटा भाग तित्त आर जहरिला भ्यागेलै। आर एकरा पियेवाला बहुते आदमीसिके मौत भ्यागेलै। आर उटा ताराके नाम “चिरौत” यानिकी “तित्त” राख्ल गेलै।

12 चौथा स्वर्गदूत आपन धुतहुक फुकल्कै आर सुरुजके एक तिहाइ भागपर आर चानके एक तिहाइ भागपर आर ताराके एक तिहाइ भागपर प्रहार भेलै आर नतिजा स्वरुप दिनके एक तिहाइ समयतक सुरुज चमक नैदेल्कै, चान आर तारा रातके एक तिहाइ समयतक नैचम्कलै।

13 जब हमे फेर देख्लियै, हमे एकटा गरुडके आकाशमे उप्पर उड्ते देख्लियै आर बडका आवाजमे जोरसे एरं कहते सुन्लियै, “जब अन्तिम तीनटा स्वर्गदूत उटा धुतहुकके फुकैछै जे ओकरासिके देल गेलै छे, तब संसारके सभे आदमीसिपर आबेवाला बिपत्तिसब बहुते ही भयानक छै।”

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan