प्रकाश 3 - केवट नया कारारसार्डिस सहरके मण्डली 1 सार्डिस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे सातटा तारासिके आपन हातमे पक्डीके राखैछै आर जे परमेश्वरके सात आत्मासिके भेजैछै। हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें विश्वासयोग्य विश्वासीसिके जुगुर दिखाई दैछैं, मगर वास्तवमे तुहें आब हमर अनुसरण नैकरैछैं। 2 हमे पैलियौ छे कि विश्वासीसिके रुपमे तोरसिके जीवन उटा स्तरसे मेल नैखैछौ जे हमर परमेश्वर निर्धारित कैल्कै छे। सेल्याके आपन आत्मिक निनसे जाग आर जे ख्रीष्टियन गुण तोरामे आब भी बच्ल छौ ओकरासिके नया बना एकरासे पहेला कि ऊ पुरा तरहसे गायब भ्याजौ। 3 उटा शिक्षाके याद कर जे तुहें बहुते पहेला सुन्लहैं रहे आर विश्वास कैल्हैं रहे। जे तोरा सिखैल गेलौ रहे ओकर अनुसरण कर, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। यदि तुहें गलत काम कर्ते रहैछैं ते हमे अचानक ऐबौ, जेरंके रातके समयमे चोर आबैछै आर तुहें उटा समयके भी नैजाने सक्भैं जब हमे तोरा सजाय दियैके लिए आबी जैबौ। 4 मगर सार्डिस सहरमे तोरसिके बीचमे कुछु आदमीसब छै जेसब विश्वासीसिके रुपमे शुद्ध जीवन जिल्कै छे। ऊसब शुद्ध उजरा कपडा पिन्हीके हमरसंगे रहतै कहिनेकी ऊसब योग्य छै। 5 जे आदमीसब जित हासिल करैछै ओकरासिके भी एकरेसिके जुगुर उजरा कपडा पिन्हैल जैतै। हमे ओकरसिके नाम उटा जीवनके किताबसे नै हटैबै जकरामे परमेश्वर ऊ आदमीसिके नाम लिखल्कै छे जकरासिके कहियो खतम नैहुएवाला जीवन मिल्तै। हमे आपन पिताके समनामे आर ओकर स्वर्गदूतसिके समनामे यी घोषित कर्बै कि ऊसब हमर छै। 6 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। फिलाडेल्फिया सहरके मण्डली 7 आर फिलाडेल्फिया सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे पवित्र आर सच छै, जकर लगत दाऊद राजाके राज्यपर अधिकार छै। यदि हमे दरवाजा खोलैछियै ते कोय भी ओकरा बन्द नैकरे सकैछै। आर यदि हमे ओकरा बन्द करिदियै ते, कोय भी ओकरा नैखोले सकैछै। हमे तोरासे यी कहैछियौ। 8 हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें बहुते मजगुत नैछैं। मगर जे हमे तोरा कहैलियौ ओकर तुहें पालन कैल्हैं छे। तुहें हमरापर निरन्तर विश्वास करैछैं। सेल्याके, हमे तोर लिए एकटा केबाड खोल्लियौ छे, जकरा कोय भी बन्द नैकरे सकैछै। 9 हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब झुठ बोलैछै, वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै। हमे ओकरासिके तोरलगत आबिके तोर पैरीमे गोड लागैले लगैबै आर हमे तोरा प्रेम करैछियौ कहिके ओकरासिके बुझ्या देबै। 10 तुहें हमर सन्देशके पालन कैल्हैं ताकी जब तुहें दुःख उठाभैं ते ओकरा धीरजके साथ सहे सक्हैं। इहे कारण, हमे तोरा बडका परीक्षाके समयमे तोर रक्षा कर्बौ। परीक्षाके यी समय संसारके सभे आदमीसिपर ऐतै। 11 हमे जल्दी ही आबेवाला छियौ। इहे ल्याके, आपन विश्वासमे मजगुतसे र, ताकी कोय भी तोर प्रतिफल छिनी नैलौ। 12 ऊसब जे जित हासिल करैछै, जेरंके एकटा खम्भा घरके मजगुत बनाबैछै, ओहिने करिके ऊसब भी सभे दिनके लिए परमेश्वरके मन्दिरमे रहतै। हमे ओकरासिमे हमर परमेश्वरके नाम लिख्बै आर परमेश्वरके सहरके नाम लिख्बै, यानिकी नया यरूशलेम सहर। यी उहे सहर छै जे स्वर्गसे यानिकी हमर परमेश्वरके तरफसे निच्चा ऐतै। हमे ओकरसिमे हमर नया नाम भी लिख्बै। 13 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। लाउडिकिया सहरके मण्डली 14 लाउडिकिया सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे ऊ छियै जे आमेन कहलाबैछियै, कहिनेकी हमे भरोसामन्द छियै आर हमे परमेश्वरके विषयमे जे भी साबित करैछियै ऊ सच छै। जे कुछु भी ऊ सृष्टि कैल्कै छे, हमे ऊ सभैके स्रोत भी छियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ। 15 हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें नैते हमरापर भेल आपन विश्वासके इन्कार करैछैं आर नैते हमरा पुरा मनसे प्रेम करैछैं। हमे चाहैछियै कि या ते तुहें हमरा इन्कार करि दे या हमरासे पुरा मनसे प्रेम कर। 16 मगर कहिनेकी जेरंके सुसुम पानी नैते गरम हैछै नैते ठण्डा हैछै ओहिने करिके हमर विषयमे तोर मन दुविधामे छौ, इहे ल्याके हमे तोरा पुरा तरहसे हटाबैके लिए तैय्यार छियौ। 17 तुहें सोचैछैं कि तुहें मातबर छैं आर तोरलगत उटा सभे छौ जकर तोरा जरुरत छौ, मगर तुहें नैजानैछैं कि एकर सच्चाई यी छै कि तोरापर तरस आना चाही। कहिनेकी सच्चाई यी छै कि तुहें गरिब छैं, तोरलगत कपडा नैछौ आर तुहें अनराह छैं। 18 सेल्याके हमे तोरा चेतावनी दैछियौ कि तोरा हमरासे शुद्ध सोना खरीद करना चाही ताकी वास्तवमे तुहें धनवान बने सक्हैं। तोरा हमरासे पिन्हैके लिए उजरा कपडा भी खरीद करना चाही ताकी तोर शरीर झाँप्ल रहौ आर तुहें शर्मिन्दा नैहैं। आर तोरा आपन आँखके इलाज करैके लिए हमरासे दवा भी खरीद करना चाही ताकी तुहें देखे सक्हैं। 19 हमे जकरा भी प्रेम करैछियै, ओकरा हमे सिखाबैछियै आर सजाय दैछियै ताकी ऊसब बढियाँ बनी जै। सेल्याके बढियाँ काम करैमे लाग्ल र, पाप करैले छोड आर परमेश्वरके तरफ मन लगा। 20 तोर हृदयमे प्रवेश करैके लिए, हमे ऊ आदमीके जुगुर छियै जे घरके बाहार खडा छै आर केबाड खटखटाबैछै। यदि तुहें हमर आवाजके सुनैछैं आर हमर लिए आपन हृदय खोलैछैं ते हमे भितर ऐबौ आर अपनासब एक दोसरके संगे संगति कर्बै। 21 जे आदमीसब जित हासिल करैछै, ओकरा हमे आपन सिंहासनके बगलमे सिंहासनपर बैठैके अधिकार देबै। यी बिल्कुल हमर जुगुर ही हैतै, जे जित हासिल कैल्कै आर आपन पिताके बगलमे आसन प्राप्त कैल्कै छे। 22 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation