Biblia Todo Logo
Bìoball air-loidhne

- Sanasan -

प्रकाश 20 - केवट नया कारार


एक हजार साल

1 एकरबाद हमे अथाहा कुण्डके चाभी आर एकटा बडका सिक्कड ओकर हातमे ल्याके एकटा स्वर्गदूतके स्वर्गसे उतरिके निच्चा ऐते देख्लियै।

2-3 ऊ उटा विशाल अजगर यानिकी पुरना साँपके जकरा शैतान भी कहेल जैछै, झपटीके पक्डल्कै। ऊ ओकरा बान्ही देल्कै आर अथाहा कुण्डमे फेकि देल्कै। ऊ केबाड बन्द करिके ताला लग्या देल्कै आर ओकरापर लाहा छाप लग्या देल्कै ताकी उटा अथाहा कुण्डके एक हजार सालतक खोल्ल नैजै। इहे ल्याके उटा समयके दौरान शैतान एक हजार सालतक जात-जातके आदमीसिके धोखा नै दिए सक्तै। एकरबाद, ओकरा फेरसे कुछु समयके लिए रिहा कैल जैतै।

4 तब फेर हमे कुछु सिंहासनसब देख्लियै, जकरापर बैठेवालाके मुडासिके काटी देल गेलै रहे कहिनेकी ऊसब येशूके सन्देश आर परमेश्वरके वचनके घोषणा कैल्कै रहे। यी आदमीसब उटा जंगली जानवर आर ओकर मूर्तिके पूजा नैकैल्कै रहे आर यीसब आपन मथामे आर हातसिमे जंगली जानवरके छाप नैलगैल्कै रहे। ऊसब फेरसे जिन्दा भ्यागेलै रहे आर सिंहासनसिमे बैठी गेलै। परमेश्वर ओकरासिके राज्य करैके अधिकार देल्कै आर ऊसब ख्रीष्टके संगे एक हजार सालतक राज्य कैल्कै।

5-6 यी आदमीसब मुर्दासे जिन्दा कैल ज्यावालासिमे सभैसे पहेला रहै आर यीसब विशेष रुपसे धन्य आर पवित्र छै। दोसर मौतके ओकरासिपर कोनो शक्ति नैछै। ऊसब परमेश्वरके आर ख्रीष्टके पुजारी हैतै आर एक हजार सालतक राज्य कर्तै। यी एक हजार सालसे पहेला कोनो दोसर मुर्दा आदमीसिके जिन्दा नैकैल गेलै।


शैतानके पराजय

7 एक हजार साल पुरा भेलके बाद शैतान ओकर कैदसे छोड्ल जैतै।

8 आर ऊ जात-जातके आदमीसिके धोखा दियैके लिए बाहार ऐतै जे पुरा संसारभर छिरियैल छै। यी जात-जातके आदमीसब गोग आर मागोग देशके आदमीसब कहेल जैछै। शैतान ओकरासिके सभैके एकटा जगहमे जमा कर्तै जते ऊसब लडाई कर्तै। ऊसब बहुते संख्यामे हैतै, एतनें कि कोय ओकरासिके समुन्दरके किनारमे भेल बालुके जुगुर गिने नैसक्तै।

9 शैतानके सेना पुरा संसारमे फैली गेलै आर ऊसब उटा सहरके घेरी लेल्कै, जकरासे परमेश्वर प्रेम करैछै, जते ओकर आदमीसब रहते रहै। मगर परमेश्वरके तरफसे स्वर्गसे आगिन बाहार ऐलै आर सभे सेनाके भसम करिदेल्कै।

10 एकरबाद शैतान पकड्ल जैतै, जे जात-जातके आदमीसिके भर्मैल्कै आर ओकरा गन्धकके आगिनमे फेकि देल जैतै यानिकी उटा आगिनमे जे तालाबके जुगुर बडका छै। जंगली जानवर आर झुट्ठा भविष्यवक्ताके पहेला ही ओत्ते फेकि देल गेलै रहे। आर ओत्ते उटा आगिनमे ओकरासिके सभे दिनके लिए रात-दिन तड्पैल जैतै।


अन्तिम न्याय

11 फेर हमे एकटा उजरा सिंहासन देख्लियै जकरापर परमेश्वर विराजमान रहै। मगर ओत्ते जते परमेश्वर विराजमान रहै, ओत्तेसे धर्ती आर आकाश सभे गायब भ्यागेलै आर कोय भी ओकरासिके फेर नैदेखल्कै।

12-13 आर हमे मर्ल आदमीसिके उटा सिंहासनके समनामे खडा भेल देख्लियै यानिकी ओकरासिके जेसब महत्वपूर्ण छै आर जेसब महत्वहीन छै, ऊ आदमीसब जेसब समुन्दरमे डुबिके मरि गेलै रहे आर सारामे रहेल सभे मर्ल आदमीसब आर ऊ सभे आदमीसब जे पातालमे रहै, ऊ सभेको सिंहासनके समनामे खडा भेलै। उटा किताब खोल्ल गेलै, जकरामे ऊ आदमीसिके नाम लिख्ल रहै, जकर लगत कहियो खतम नैहुएवाला जीवन रहै। उटा किताब भी खोल्ल गेलै, जकरामे आदमीसब जे-जे कैल्कै छे, उटा लिख्ल गेलै रहे आर हरेक आदमी जे कुछु कैल्कै रहे ओकर मुताबिक ओकर फैसला कैल गेलै जे उटा किताबसिमे लिख्ल रहै।

14-15 ऊ सभे आदमीसब जकर नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल रहै, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरबाद, आब मौत नैछै आर आब पाताल भी नैछै जते मर्ल आदमीसब रहैछै, कहिनेकी ऊ सभे आदमीसब जकरसिके नाम जीवनके किताबमे नैलिख्ल गेलै रहे, ओकरासिके आगिनके समुन्दरमे फेकि देल गेलै। एकरा ही दोसर मौत कहेल जैछै, जे कि आगिनके समुन्दरमे मिलेवाला सजाय छै।

Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.

Beyond Translation
Lean sinn:



Sanasan