प्रकाश 2 - केवट नया कारारप्रेमहीन मण्डली 1 येशू हमरा यी भी कहैल्कै, “एफिसस सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हमे उहे छियै जे आपन दहिना हातमे सातटा तारा पक्डीके राख्लियै छे आर हमे उहे छियै जे दियाके राखेवाला सोनाके लबनाके बीचमे लरैछियै। हमे तोरासे यी कहैछियौ: 2 हमे जानैछियै कि तुहें कि करैछैं। तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, हमरापर विश्वास करैके कारण जब तोरा सतैल जैछौ तैय्योपर भी तुहें सहैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें दुष्ट आदमीसिके स्वीकार नैकरैछैं। तुहें एरंको आदमीसिके जाँच कैल्हैं छे, जे झुट्ठा दावा करैछै कि ऊसब चुन्ल आर भेज्ल चेला छै आर तुहें बुझी गेल्हैं छे कि ऊसब झुट्ठा छै। 3 आर तुहें धीरजके साथ सहन कैल्हैं छे कहिनेकी तुहें हमरापर विश्वास करैछैं आर तुहें हमर सेवा करैले बन्द नैकैल्हैं छे। 4 मगर एकटा बात हमे तोरामे गलत पाबैछियौ: आब तुहें हमरासे ओरं प्रेम नैकरैछैं जेरं तुहें शुरुआतमे कर्ते रहैं। 5 सेल्याके याद कर कि तुहें शुरुआतमे हमरासे केरं प्रेम कर्ते रहैं आर आब तुहें हमरा ओरंको प्रेम नैकरैछैं। यी बातसे पाप करैले छोडिके हमर तरफ मन लगा। हमरासे उहे तरहसे प्रेम करना शुरु कर जेरं तुहें शुरुआतमे कर्ते रहैं। यदि तुहें परिवर्तन नैहैभैं ते, हमे तोरलगत ऐबौ आर हमे दियाके ओकर जगहसे हट्याके तोरा सजाय देबौ। 6 मगर एकटा बढियाँ बात छै जे तुहें करैछैं। ऊ यी छै कि तुहें निकोलाइटससिके द्वारा सिखैल ज्यावाला खराब कामसिसे घृणा करैछैं, ठीक ओहिने जेरंके हमे घृणा करैछियै। 7 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। ऊ आदमीसब जे जित हासिल करैछै, ओकरासिके हमे जीवन दिएवाला गाछसे फल खैके इजाजत देबै, जे परमेश्वरके स्वर्गीय बगीचामे छै।” स्मुर्नाके मण्डली 8 आर स्मुर्ना सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके शुरुआत कैलियै आर हम्हीं छियै जे सभे चीजसिके समाप्त कर्बै, हमे एकबेर मरि गेलियै रहे। मगर आब हमे जिन्दा छियै आर हमे सभे दिन जिन्दा रहबै। हमे तोरासे यी कहैछियौ: 9 हमे जानैछियै कि तोरा सतैल गेलौ छे आर तुहें गरिब छैं। मगर आत्मिक बातमे तुहें बहुते मातबर छैं। हमे ऊ आदमीसिके विषयमे जानैछियै जेसब दावा करैछै कि ऊसब परमेश्वरके चुन्ल आदमीसब यानिकी यहूदी आदमीसब छै, मगर नैछै। ऊसब तोर विषयमे अपमानवाला बात बोलैछै, मगर वास्तवमे ऊसब उटा दलके सदस्य छै जे शैतानके छै। 10 उटा तकलीफसिसे नैडर जे तोरा मिल्तौ। शैतान तोरासिमेसे कुछु आदमीसिके गिरफ्तार करवैतौ आर तोरासिके कैद करि देल जैतौ ताकी ऊ तोरसिके परीक्षा करे सकौ। तुहें दश दिनतक बडका कष्टके अनुभव कर्भैं। मगर हमरापर विश्वास करैले कहियो नैछोडिहैं, चाहे तोर जान भी मारि देल जौ, कहिनेकी हमे तोरा जितके पुरस्कारके रुपमे कहियो खतम नैहुएवाला जीवन देबौ। 11 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। जे आदमीसब जित हासिल करैछै, ओकरासिके दोसर मौतसे कोनो हानी नैहैतै, जब परमेश्वर अन्तिम न्याय कर्तै। पर्गामम सहरके मण्डली 12 पर्गामम सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: हम्हीं छियै जकर लगत धर्हा दी धारवाला तलवार छै। हमे तोरासे यी कहैछियौ: 13 हमे जानैछियै कि तोर सहर शैतानके कब्जामे छौ, मगर एकर बावजुद भी तुहें हमरापर आपन विश्वासके मजगुतसे पक्डीके राख्लहैं छे आर तुहें हमर शिक्षासिके नैछोडलहैं छे, एत्तेतक कि तखनी भी नै जब बहुते समय पहेला एन्टिपासके जान मार्ल गेलै रहे। ऊ हमर वचनके प्रचार करैमे विश्वासयोग्य रहै, इहे ल्याके ओकरा तोर सहरमे जान मार्ल गेलै जे सहर शैतानके कब्जामे छै। 14 मगर कुछु छै जे हमे तोरामे गलत पाबैछियौ: कहिनेकी तुहें ऊ आदमीसिके विरोध नैकरैछैं जे तोर मण्डलीमे झुट्ठा शिक्षा दैछौ, जेरंके भविष्यवक्ता बालाम पहेलाके समयमे देल्कै रहे। भविष्यवक्ता बालाम राजा बालाकके सिखैल्कै कि इस्राएलीसिके पाप करैके लिए उक्साबैके लिए कि करना चाही। ऊ ओकरासिके मूर्तिसिके चढैल भोजन खैके लिए आर अनैतिक रुपसे जीवन जियैले सिखैल्कै। 15 अहिने करिके, तोरसिके बीचमे कुछु आदमीसब छौ जेसब निकोलाइटसके दलके शिक्षासिके अनुसरण करैछै। 16 सेल्याके पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगा, यदि तुहें खराब काम करैले बन्द नैकर्भैं ते, हमे जल्दी ही ऐबै आर जे आदमीसब गलत शिक्षा दैछै ओकरसिके विरुद्ध तलवारसे लडाई कर्बै, जे हमर मुखसे निक्लैछै जे हमर वचन छै। 17 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै। जे आदमीसब जित हासिल करैछै, हमे ओकरासिके उटा मन्नामे से कुछु भाग देबै जे नुकैल छै। हमे ओकरासिमेसे हरेकके एकटा उजरा पत्थल भी देबै, जकरापर एकटा नया नाम लिख्ल हैतै। जे आदमी ओकरा प्राप्त कर्तै, ओकर छोडिके कोय भी उटा नामके जाने नैसक्तै। थिआटिरा सहरके मण्डली 18 थिआटिरा सहरके मण्डलीके स्वर्गदूतके यी सन्देश लिख: “हमे, परमेश्वरके बेटा, तोरासे यी बात कहैछियौ, जकर आँख आगिनके धधकके जुगुर चम्कैछै आर जकर पैर भट्टीमे धिपैल पित्तलके जुगुर चम्कैछै। हमे तोरासे यी कहैछियौ: 19 हमे जानैछियै कि तुहें पुरा मेहनतसे हमर काम करैछैं, तुहें एक दोसरसे प्रेम करैछैं आर हमरापर मजगुतीसे विश्वास करैछैं। हमे जानैछियै कि तुहें केरंके एक दोसरके सहायता कैल्हैं छे आर तोर सहैके क्षमता भी जानैछियौ। हमे जानैछियै तुहें आब यी बढियाँ काम उटा समयसे बेसी करैछैं जब तुहें हमरापर पहेला बेर विश्वास कैल्हैं रहे। 20 मगर एकटा बात हमे तोरामे गलत पाबैछियौ: रानी इजेबेल, जे बहुते पहेलाके समयमे रहते रहै, ओकर जुगुर एकटा जनानी तोरसिके बीचमे छौ। ऊ खुदके परमेश्वरके वक्ता कहैछै मगर हमर विश्वासीसिके गलत शिक्षा दैछै। ऊ ओकरासिके अनैतिक जीवन जियैके आर मूर्तिसिके चढैल भोजन खैके शिक्षा दैछै। 21 हमे ओकरा पाप करैले छोडिके परमेश्वरके तरफ मन लगाबैके लिए अवसर देलियै छे, मगर ऊ आपन अनैतिक व्यवहारके बन्द करैसे इन्कार करैछै। 22 सेल्याके, हमे ओकरा रोगी बन्या देबै। आर जे ओकरसंगे व्यबिचार करैछै, हमे ओकरासिके भयानक कष्ट सहैले लगैबै, जबतक कि ऊसब ओकरसंगे जे खराब काम करैछै, ओकरा बन्द करैले तैय्यार नै भ्याजै। 23 हमे ऊ आदमीसिके जान मारि देबै जेसब ओकर शिक्षाके अनुसरण करैछै आर सभे मण्डली जानी जैतै कि हम्हीं छियै जे हरेक आदमीके विचारसिके आर मकसदसिके जाँच करैछियै। हमे तोरसिमेसे हरेकके ओकर कामके मुताबिक प्रतिफल देबौ। 24-25 मगर थिआटिरा सहरमे तुहें बाँकी आदमीसब उटा झुट्ठा शिक्षाके अनुसरण नैकैल्हैं छे। तुहें उटा शिक्षाके सिखैले नैचाहैछैं जकरा शैतानके ज्ञान कहेल जैछै। हमे तोरासिसे कहैछियौ कि हमे तोरासिपर कोनो दोसर महत्वपूर्ण आज्ञा नै लादबौ, सिवाय एकर कि जबतक हमे नै आबैछियौ तबतक आपन विश्वासमे मजगुतसे र। 26 जे आदमीसब जित हासिल करैछै आर जे आदमीसब संसारके अन्ततक हमर आज्ञाके पालन करैले नैछोडैछै, हमे ओकरासिके जात-जातके आदमीसिपर राज्य करैके अधिकार देबै। 27 हमे ओकरासिके राज्य करैके उहे अधिकार देबै जेरं हमर पिता हमरा देल्कै छे। ओकरसिके राज्य लुहाके जुगुर मजगुत हैतै जे नैटुटैछै आर ओकरसिके दुश्मनसब फुट्ल माटीके बर्तनके जुगुर नाश हैतै। 28 हमे ओकरा आपन जितके देखाबैके लिए भरौवाके तारा देबै। 29 जे कोय यी बातके सुने सकैछै जे हमे कहैछियै, ऊ यी बातके बुझैके कोशिश करक कि पवित्र आत्मा मण्डलीके कि कहैछै।” |
Kayort (केवट) Bible by The Love Fellowship is licensed under Creative Commons Attribution-ShareAlike 4.0 License.
Beyond Translation